• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

बिहार कए चाही देश क मजदूर

August 6, 2013
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

मजदूरक इंतजाम करबा मे निर्माण एजेंसी परेशान
बंगाल आ झारखंड स साधल जा रहल संपर्क
पंजाब आ दिल्ली स सेहो होएत मजदूरक आयात
प्रवासी मजदूरक सबस पैघ केंद्र बनत पटना
पटना : मजदूरक पलायन लेल विख्यात बिहार आइ मजदूर संकट स डरायल अछि। देश भरि कए मजदूर मुहैया करेनिहार बिहार क नजरि देश क मजदूर पर टिकल अछि। निर्माण एजेंसी लेल पटना मे मजदूर क इंतजाम करब मुश्किल भ सकैत अछि। छह माह क भीतर एक संग साढ़े तीन हजार करोड़ टकाक क निर्माण कार्य असगर पटना मे शुरू भ रहल अछि। निर्माण कंपनी लग संकट इ अछि जे एतबा पैघ परियोजना लेल थोक मात्रा मे मजदूर क जरूरत होएत, जे कठिन बुझा रहल अछि। एहन मे एजेंसी क नजरि एखने स पश्चिम बंगाल आ झारखंड मे सक्रिय लेबर कांट्रैक्टर पर अछि। ओना पंजाब आ दिल्ली स सेहो पैघ संख्या मे मजदूरक वापसी क संभावना जताउल जा रहल अछि। एहन किछु लेबर कांट्रैक्टर क सक्रियता पटना मे देखल जा रहल अछि। जानकारक कहब अछि जे बिहार लग अपन एतबा मजदूर नहि अछि जे परियोजना कए आपूर्ति कैल जा सकत, एहन मे बिहार खास क पटना आयातित लेबर फोर्स क हब मे तब्दील भ सकैत अछि। पटना मे साढ़े तीन हजार करोड़ रुपये क परियोजना असगर रोड सेक्टर क अछि, जाहि मे मजदूरक काफी जरूरत होइत अछि। भवन निर्माण विभाग क परियोजना कए अगर एहि मे जोडि देल जाए त मामला साढ़े चारि हजार करोड़ क करीब पहुंच जाइत अछि। इ ओहि परियोजना क अतिरिक्त अछि जे एखन पटना मे काफी तेज गति स चलि रहल अछि।
अक्टूबर मे गंगा ड्राइव-वे क काज शुरू हेबाक अछि। लगभग दू हजार करोड़ क एहि भारी-भरकम परियोजना लेल थोक मे मजदूर आ दक्ष मिस्त्री क जरूरत होएत। काज एतबा पैघ अछि जे असगर एहि परियोजना लेल मजदूर आ तकनीकी रूप स दक्ष मिस्त्री क आपूर्ति असगर बिहार स संभव नहि भ सकैत अछि। मजदूरी क रूप मे मोट राशि क फ्लो एहि परियोजना क तहत हेबाक अछि। एहि परियोजना क किछु माह बाद दीघा स्टेशन स एम्स तक एलिवेटेड सड़क क परियोजना पर काज शुरू होएत। सितंबर मे एकर निविदा खुलत। इ परियोजना 1300 करोड़ क छी। एकरा लेल सेहो थोक मे मजदूर आ ट्रेंड मिस्त्री क जरूरत पड़त। एहन मे बिना आयातित श्रमिक कए इ काज सेहो संभव नहि अछि। मीठापुर फ्लाईओवर कए गांधी मैदान स जोड़बा लेल आ फेर आर.ब्लाक होइत हार्डिग रोड उतरबा लेल निर्माण काज सेहो जल्द शुरू हेबाक अछि। एहि ठाम सेहो मोट राशि खर्च हेबाक अछि। एजेंसी लग आयातित मजदूर क बिना कोनो चारा नहि अछि। पूर्व मे पटना रोड प्रोजेक्ट्स क तहत जखन तांतिया कंस्ट्रक्शन पटना मे रोड निर्माण क काज कए आरंभ केने छल तखन ओ पश्चिम बंगाल क मजदूर कए पटना मे लगेने छल। पटना मे एहि नव काज क अतिरिक्त बेली रोड मे बनि रहल फ्लाईओवर आ दक्षिणी हिस्सा मे बनि रहल आरओबी क अतिरिक्त दीघा-पहलेजा पुल निर्माण मे सेहो पैघ संख्या मे मजदूर पहिने स लागल अछि।
रोड आ पुल सेक्टर क काज क अतिरिक्त भवन निर्माण क सरकारी सेक्टर मे सेहो निर्माण कार्य क बहार अछि। थोक मे नव काज शुरू भ रहल अछि आ किछु चलि रहल अछि। नव विधानसभा भवन क निर्माण कार्य पैघ स्तर पर चलि रहल अछि। हाल मे बेली रोड पर बिहार संग्रहालय क पैघ परियोजना क कायार्रंभ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स्वयं केलथि अछि। एहि परियोजना मे सेहो मोट राशि निर्माण काज मे खर्च हेबाक अछि आ पैघ संख्या मे मजदूर क जरूरत अछि। एमएलए हाउसिंग परियोजना तुरंत शुरू हेबाक अछि। नव नियोजनालय भवन क निर्माण कार्य आयकर गोलंबर क समीप शुरू अछि आ गांधी मैदान लग पांच हजार क्षमता क कन्वेंशन सेंटर क कायार्रंभ सेहो भ चुकल अछि, एहन मे देश भरि कए मजदूर मुहैया करेनिहार बिहार क नजरि देश क मजदूर पर टिकल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

फेर बिछाउल जाएत औरंगाबाद क कालीन

पटना मेट्रो लेल फिजिबिलिटी रिपोर्ट तैयार

Esamaad Epaper Website

आब फोन स भरि सकैत छी बिजली बिल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

गाँधी सेतु नहि आब पीपा पुल स करू गंगा पार

by संपादक
February 18, 2017
0

Read more

सोहर, कजरी आ नचारी स भेटल सुर समाद

by संपादक
August 24, 2015
0

Read more

रंग स नहायल मिथिला

by संपादक
March 1, 2010
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि