• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार कए पछुआ देलक दिल्‍ली

July 15, 2012
in संपादकीय, समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

दिल्‍ली आखिरकार बिहार कए पछुआ देलक। अपहरण क मामला मे दिल्‍ली बिहार स आगू भ गेल। दिल्‍ली इ रिकार्ड बिहार स झकटि लेलक अछि। नेशनल क्राइम रिकार्ड ब्‍यूरो क ताजा आंकडा मे इ खुलासा कैल गेल अछि। पूरा देशक अपराध क आंकडा देखला पर स्‍पष्‍ट भ जाइत अछि जे पिछला तीन साल मे दिल्‍ली अपहरण क राजधानी बनि चुकल अछि, जखन कि बिहार एहि मामला मे लगातार पछुआ रहल अछि। रिपोर्ट क अनुसार 2011 मे देश मे कुल 4044 गोटे क अपहरण भेल जाहि मे असगर दिल्‍ली मे 2670 गोटेक अपहरण कैल गेल। कुल अपहरणक मामला वर्ष 2010 स बेसी अछि कि त 2010 मे कुल अपहरणक ममाला मात्र 3565 छल, जे 2011 मे 4044 भ गेल। मुदा दिल्‍ली क आंकडा मे गजब क उछाल अछि। दिल्‍ली मे खास क नाबालिक बच्‍चा आ किशोर क अपहरण देशक आन राज्‍य स कई गुना बेसी भेल अछि।
रिपोर्ट अनुसार 15 साल तक क किशोर क अपहरणक मामला मे दिल्‍ली आब बिहार स आगू भ गेल अछि। 2009 मे जतए दिल्‍ली मे 1447टा बच्‍चाक अपहरण भेल छल ओतहि 2011 मे एक स 15 साल तक क बच्‍चा क अपहरण क 2242 टा मामला दर्ज भेल। 2010 मे इ आंकडा 2014 छल। 2011 मे दोसर स्‍थान पर 782 मामलाक संग उत्‍तर प्रदेश रहल जे दिल्‍ली क आंकडा स काफी कम अछि। बिहार त एहि कतार मे आठम स्‍थान पर रहल। बिहार मे एहन 184टा मामला दर्ज भेल। एहिना 2011 मे 15 स 18 वर्ष क किशोर क अपहरण क दिल्‍ली मे कुल 431टा मामला दर्ज भेल जे कोनो राज्‍य लेल सबस बेसी अछि। एहि मामला मे बिहार दोसर स्‍थान पर रहल आ ओहि ठाम मात्र 133टा मामला दर्ज भेल। एहि आयुवर्ग मे सेहो दिल्‍ली बिहार से बहुत आगू भ गेल अछि। गौरतलब अछि जे आन राज्‍य स अलग दिल्‍ली मे एहन घटना कए रोकबा लेल विशेष व्‍यवस्‍था कैल गेल अछि। स्‍थानीय पुलिस क अलावा क्राइम ब्रांच सेहो एहन मामला क देखरेख करैत अछि। एकर बावजूद दिल्‍ली स लगातार बच्‍चा आ किशोर गायब भ रहल अछि। एक दिस एनजीओ एहि अपहरण सब कए मावन तस्‍करी स जोडबाक प्रयास मे छथि त दोसर दिस दिल्‍ली पुलिस क दावा अछि जे दिल्‍ली मे भ रहल अपहरण बिहार जेकां फिरौती लेल नहि भ रहल अछि। ओना दूनू दावा कए स्‍वीकार करब जानकार लेल कठिन अछि। हुनक कहब अछि जे अपहरण कोनो कारण स भ रहल अछि त ओकरा वैध नहि कहल जा सकैत अछि। कईटा जांच मे पता चलल जे दिल्‍ली मे अपहरण क बाद बरामद बच्‍चा क मामला क फाइल बरामदगीक बाद बंद करि देल गेल। पुलिस जबरन बच्‍चाक परिजन स मामला बंद करबा लेल शपथपत्र ल लैत अछि। एहन मे इ बुझब कठिन भ जाइत अछि जे अपहरण किया भेल छल आ बरामदगी कोना भेल। दिल्‍ली पुलिसक रिकार्ड बता रहल अछि जे बच्‍चा बरामदगी क बाद कोनो मामला पर अनुसंधान जारी नहीं राखल गेल। एहन मे दिल्‍ली पुलिसक इ दावा मे कोनो दम नहि बुझाइत अछि जे दिल्‍ली मे अपहरण फिरौती लेल नहि भ रहल अछि। दोसर दिस निठारी क बाद दिल्‍ली मे बच्‍चा क सुरक्षित घर वापसी एकटा चिंताक कारण त बनि चुकल अछि। किछु हालक वर्ष मे मानव तस्‍करी क मामला सेहो बढल अछि ताहि मे बच्‍चा तस्‍करीक आंकडा सबस बेसी अछि। खास क दिल्‍ली स युवती जेना गायब भ रहल छथि ओ चिंताक सबस पैघ कारण बनल जा रहल अछि। एहन मे एनजीओ क इ दावा मे सेहो दम लगैत अछि जे इ अपहरण मानव तस्‍करी क हिस्‍सा अछि। कारण जे हो, मुदा एतबा स सच अछि जे दिल्‍ली मे कहांक कखन, कतए आओर कोना अपहरण भ जाएत इ कियो नहि जनैत अछि। दिल्‍ली स सब दिन 10टा बच्‍चा गायब भ रहल अछि, मुदा सरकार लेल इ चिंताक विषय नहि अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

अपन क्षेत्र लेल आवाज उठेबा मे बिहारक अधिकतर सांसद बौक

Esamaad Epaper Website

आब कोसी मैया पर अछि पटरी बचेबाक जिम्‍मा

Esamaad Epaper Website

बिहार मे बेअसर भेल मंदी, विकास दर 16.71 पहुंचल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि