• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

बिहार कए भेटल जीत, पूर्वी क्षेत्र क अनएलोकेटेड बिजली मे भेटत हिस्सा

April 26, 2013
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

प्रीतिलता मल्लिक
पटना । बिजली क संकट झेल रहल बिहार कए बिजली क्षेत्र मे एकटा पैघ जीत भेटल अछि। बिहार कई साल स केंद्र लग इ मांग रखैत रहल छल जे पूर्वी क्षेत्र क अतिरिक्त बिजली दक्षिण भारतीय राज्य क बदला मे बिहार कए देल जाए। इसमाद एहि मसला पर लगातार बिहार क पक्ष उठबैत रहल। केंद्र सरकार आखिरकार बिहारक मांग कए मंजूर करैत पूर्वी क्षेत्र क अतिरिक्त बिजली मे स 150 मेगावाट बिजली बिहार कए देबाक फैसला केलक अछि। इ अतिरिक्त बिजली बिहार कए 26 अप्रैल स भेटत। एहि प्रकार स बिहार क कोटा मे 150 मेगावाट बिजलीक बढोतरी भ गेल अछि। एहि संबंध में कहल जा रहल अछि जे सब बिजली क्षेत्र क अनएलोकेटेड बिजली ओहि क्षेत्रक राज्य कए आवंटित कैल जाइत रहल अछि, मुदा पूर्वी क्षेत्र क अनएलोकेटेड बिजली तामिलनाडु, आंध्रप्रदेश आ केरल सन दक्षिण क्षेत्र कए आवंटित होइत रहल अछि, जेकर बिहार पिछला आठ साल स विरोध करैत आबि रहल छल। बिहार क कहब छल ले पूर्वी क्षेत्रक अनएलोकेटेड बिजली पर बिहार सन पूर्वी क्षेत्रक राज्यक पहिल हक अछि, ताहि कारण स इ बिजली बिहार कए आवंटित कैल जाए। एहि संबंध में बिजली मंत्री विजेंद्र प्रसाद यादव कहला जे बिहार लगातार केंद्र स इ मांग करैत रहल अछि। 2011 में केंद्र सरकार कए एहि संबंध में एकटा पत्र सेहो पठाउल गेल छल। ओ कहला जे पिछला मास केंद्रीय ऊर्जा मंत्री ज्योतिरादित्य सिंधिया स हुनका एहि संदर्भ मे आश्वासन भेटल छल। ओ कहला जे इ बिहारक अधिकार छल जे भेटल अछि। ज्ञात हुए जे पूर्वी क्षेत्र में स्थिति एनटीपीसी संयंत्र स उत्पादित अनएलोकेटेड बिजली मे स 150 मेगावाट 26 अप्रैल स दक्षिण राज्य कए नहि जा बिहार कए देल जाएत। ऊर्जा मंत्रालय एहि संबंध मे आवंटन कए नव रूप मे लागू क अधिसूचना जारी क देलक अछि। सेंट्रल इलेक्ट्रिसिटी अथॉरिटी क संग संग एनटीपीसी कए सेहो एकर जानकारी द देल गेल अछि।

ज्ञात हुए जे पूर्वी क्षेत्र मे बिहार क संग झारखंड, बंगाल, ओडिशा आ सिक्किम अबैत अछि। जखन कि पूर्वी क्षेत्र मे केंद्रीय संयंत्र क रूप कहलगांव (स्टेज एक आ दू), फरक्का आओर तालचर अछि। पन बिजली क संयंत्र तिस्ता, रंगीत क अलावा कुरुच, चूखा, ताला(भूटान) अछि। पूर्वी क्षेत्र मे कुल बिजली उत्पादन 6860 मेगावाट अछि, जाहि मे स 1030 मेगावाट बिजली कोनो राज्य लेल आवंटित नहि अछि। पूर्वी क्षेत्रक एहि गैर आवंटित बिजली समेत कुल 2200 मेगावाट बिजली दक्षिण राज्य कए देल जाइत रहल अछि। बिहारक विरोधक बाद पूर्वी क्षेत्र स आंध्रप्रदेश कए देल जा रहल स बिजली मे स 100 मेगावाट, केरल स 35 आ तामिलनाडु स 15 मेगावाट बिजली आब बिहार कए देल जाएत। जहां धरि बिहारक कोटा क संबंध अछि त फरक्का स्टेज एक -दू स उत्पादित 1600 मेगावाट मे स बिहार कए 65.29 मेगावाट भेटैत अछि। फरक्का स्टेज तीन स उत्पादित 500 मेगावाट मे स बिहार कए 67.27 मेगावाट भेटैत अछि। तालचर स उत्पादित 1000 मेगावाट मे स बिहार कए 397.20 मेगावाट भेटैत अछि। तालचर स उत्पादित 1000 मेगावाट मे स बिहार कए 397.20 मेगावाट भेटैत अछि। कहलगांव स्टेज एक स उत्पादित 840 मेगावाट मे स बिहार कए 337.69 मेगावाट भेटैत अछि। कहलगांव स्टेज दू स उत्पादित 1500 मेगावाट मे स बिहार कए 98.77 मेगावाट भेटैत अछि। पनबिजली संयंत्र क रूप में ताला स उत्पादित 1020 मेगावाट मे स बिहार कए 260.10 मेगावाट भेटैत अछि। चूखा स उत्पादित 270 मेगावाट मे स बिहार कए 80 मेगावाट भेटैत अछि। तिस्ता स उत्पादित 510 मेगावाट मे स बिहार कए 108.43 मेगावाट भेटैत अछि। रंगीत स उत्पादित 60 मेगावाट मे स बिहार कए 21 मेगावाट भेटैत अछि। मुदा एहि मे स एकटा पैघ हिस्सा रेलवे, नेपाल आ आवश्यक सेवा कए देल जाइत अछि।

सम्बंधित खबैर   – बिहार क बदला मे आंध्र कए देल जा रहल अछि अनएलोकेटेड कोटाक बिजली

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार क 14टा जिला मे गैस पाइप लाइन बिछेबाक मंजूरी

बॉलिवुड क पहिल चाह अछि मैथिलक हाथ स बनल जूता

Esamaad Epaper Website

स्थानीय नेता स होएत विकास : फातमी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि