पटना : पीएमसीएच समेत बिहार क पांचटा मेडिकल कालेज कए 210 अतिरिक्त एमबीबीएस सीट क सनेस भेट गेल अछि। भारतीय चिकित्सा परिषद (एमसीआइ) क 24म बोर्ड आफ गवर्नर क बैसार मे इ फैसला लेल गेल। चिकित्सा शिक्षा क क्षेत्र मे वर्ष 2013 यादगार साल रहत। एहि वर्ष प्रदेश कए एक झटका मे 460टा अतिरिक्त सीट भेट गेल। नवसृजित पावापुरी आ बेतिया मेडिकल कालेज मे 100-100 सीट मे नामांकन क अनुमति आ एम्स पटना मे 50 सीट वृद्धि पहिने भ चुकल छल। जखन कि एनएमसीएच पटना, आइजीआइएमएस आ एम्स मे सौ-सौ टा सीट एहि मे शामिल नहि अछि । देशभरि क कुल 43टा मेडिकल कालेज अतिरिक्त सीट बढेबाक आवेदन केने छल। एमसीआइ सबहक कागजात क जांच केलाक बाद कुल 32टा संस्थान कए अनुमति द देलक अछि । ज्ञात हो जे केंद्रीय स्वास्थ्य मंत्रालय 10 साल स पुरान मेडिकल कालेज स बिना एमसीआइ निरीक्षण 50टा सीट बढेबाक आवेदन 24 जुलाई तक मंगने छल।
आनन-फानन मे बढल सीट : केंद्रीय स्वास्थ्य मंत्रालय मेडिकल कालेज कए एमबीबीएस सत्र 2013-14 मे सीट वृद्धि लेल 8 जुलाई कए अधिसूचना जारी कैल गेल आओर 16 जुलाई कए गजट भ गेल। 30 जुलाई कए एमसीआइ बोर्ड आफ गवर्नर क छह सदस्य देश भिर स आएल 43टा मेडिकल कालेज क आवेदन पर विचार केलक। आवेदन क संग मेडिकल कालेज स एमबीबीएस सीट क वर्तमान क्षमता, केतबा सीट बढ़ेबाक चाहैत छी, कोन वर्ष लेटर आफ परमिशन जारी कैल गेल, आवेदन अग्रसारित करनिहार अधिकारी के छथि, एफिलेशन क सहमति, शुल्क जमा अछि बा नहि, अंडरटेकिंग संबंधी पत्र, लीगल आ विजिलेंस क्लीयरेंस सन कागजात मांगल गेल छल। दस साल क गणना पहिल बेर नामांकन क अनुमति भेटबाक तिथि स कैल गेल।
प्रदेश मे एमबीबीएस क सीट
कालेज पहिने आब
पीएमसीएच 100 150
डीएमसीएच 90 100
एसकेएमसीएच 50 100
जेएलएनएमसीएच 50 100
एएनएमसीएच 50 100
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
Bahut sukhad samad. Chahe je kono vyavstha san bhe hua muda ehi nirnayak swagat achhi. Man me ehi baatak tis jaroor rahat je DMCH me 10 ta matra sitak badhottari bhel jakhan ki ekar sthiti SKMCH san sab tarhen nik achhi.