नई दिल्ली । योजना आयोग द्वारा प्रस्ताव मंजूर भेलाक बाद राष्ट्रीय औसत स कम साक्षरता दर वाला बिहार, उत्तर प्रदेश, बंगाल आ छहटा अन्य राज्य कए सर्व शिक्षा अभियान क तहत केंद्र आर बेसी कोष उपलब्ध कराउत। एहि राज्य कए कोष मौजूदा 65:35 क मुकाबला मे 75 : 25 क अनुपात मे भेटत।
वर्ष 2011 क जनगणना क अनुसार राष्ट्रीय साक्षरता क औसत दर 74.04 प्रतिशत अछि, जखनकि बिहार मे साक्षरता क दर 63.8 अछि। बिहार क मांग छल जे एहि कोष मे केंद्र क हिस्सेदारी आओर बढबाक चाही। तर्क छल जे ओ सर्व शिक्षा अभियान कार्यक्रम लेल अपन हिस्सा कए पूरा करबा मे असमर्थ अछि।
ज्ञात हुए जे सर्व शिक्षा अभियान क तहत छह स 14 साल तक क बच्चा लेल ओकर मौलिक अधिकार क रूप मे शिक्षा कए नि:शुल्क आ आवश्यक बनाउल गेल अछि। एहि कार्यक्रम क तहत स्कूल खोलल जाइत अछि संगहि अतिरिक्त कक्ष, शौचालय, पेयजल सन सुविधा सुनिश्चित कैल जाइत अछि।
सर्व शिक्षा अभियान क तहत खर्च 2010-11 क 32 हजार करोड़ स बढ़ाकए 2011-12 मे 38 हजार करोड़ क देल गेल अछि। वर्ष 2000-2001 मे लागू भेलाक बाद स सर्व शिक्षा अभियान क तहत करीब तीन लाख नव स्कूल खुलल अछि आ शिक्षकक 20 लाख पद मंजूर कैल गेल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna