शेखपुरा। बिहार मे बहि रहल प्रगति क बयार क अहसास सात समुन्दर पार विदेश मे सेहो भ रहल अछि। बिहार मे भ रहल एहि पाजेटिव डेवलपमेंट मे एहि ठामक एनआरआई (विदेश मे बसल भारतीय) सेहो अपन भागीदारी दिए चाहैत छथि। मनोचिकित्सक क रूप मे इंग्लैंड क बरबिंघम मे कार्यरत चिकित्सक दंपति संजय कुमार आ टीना मल्होत्रा छठ पूजा क विशेष अवसर पर अपने पैतृक गांव गवय (शेखपुरा) आयल अछि। इंग्लैंड मे बिहार-झारखंड मेडिकल एसोसिएशन चला रहल डॉ संजय कहलथि जे बिहार मे भ रहल बदलाव क गूंज सात समुंदर पार सेहो पहुंच रहल अछि आ विदेश मे बसल एनआरबी (प्रदेश मे बसल बिहारी) क संग विदेशी सेहो बिहार क बारे मे सकारात्मक सोच रखय लागलथि अछि। चिकित्सक दंपति कहलथि जे पहिलका बिहार आ आजुक बिहार मे काफी अंतर आबि चुकल अछि, एहि बदलाव आ सरकार क सोच स प्रभावित भ कए बिहार क विकास मे हमरा सन बहुतो लोक अपन सहयोग दिए चाहैत अछि। डॉ संजय कहला जे बिहार मे मनोचिकित्सा क क्षेत्र मे काफी कमी अछि एहि कमी कए पूरा करबा लेल हम सब काज करय चाहैत छी। एकरा लेल राज्य सरकार द्वारा नियुक्त एकटा सचिव स्तर क पदाधिकारी स प्रथम चक्र क गपशप भ चुकल अछि।