• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

बिहार क 14टा जिला मे गैस पाइप लाइन बिछेबाक मंजूरी

April 26, 2013
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

बरौनी उर्वरक कारखाना खुलबाक बढल उम्मीद
बिहार क आठटा शहर मे खत्म होएत सिलेंडर युग
पटना समेत कईटा शहर मे पहुंचत सीएनजी
उद्योग कए भेटत बढाबा, बिजली क लागत संयंत्र

पटना । जगदीशपुर(उत्तरप्रदेश) स हल्दिया (बंगाल) तक नेचुरल गैस पापइ लाइन बिछेबाक तीन साल पुरान योजना क तहत बिहार सरकार आइ नेचुरल गैस क इंफ्रास्ट्रक्चर एंड सिटी गैस डिस्ट्रीब्यूशन लेल गेल इंडिया लिमिटेड क संग समझौता क प्रस्ताव कए स्वीकृति द देलक अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क अध्यक्षता मे भेल मंत्रिपरिषद क बैसार मे एहि संदर्भ मे मंजूरी प्रदान कैल गेल। एहि फैसला स आब बिहार क उद्योग कए गति भेटत। इ गैस पाइप लाइन बिहार क 14टा जिला स गुजरत। एहि स बरौनी उर्वरक कारखाना कए सेहो नेचुरल गैस क आपूर्ति भ सकत संगहि पटना समेत कईटा शहर मे सीएनजी उपलब्ध भ सकत। एहि स दिल्ली क भांति बिहार मे सेहो प्राकृतिक गैस स गा़डी चलत आ डीजल आ पेट्रोल क जमाना खत्म भ जाएत। एहि स एक दिस तए लोक कए वाहन खर्च मे कमी आउत ओतहि वाहन क प्रदूषण स लोक कए सेहो मुक्ति भेटत।
एहि पाइप लाइन लेल जमीन आ अन्य सुविधा मुहैया करेबा मे राज्य सरकार क भूमिका अहम होएत। प्रदेश मे कुल 631 किलोमीटर मे नेचुरल गैस पाइप लाइन बिछाउल जाएत।
ज्ञात हुए जे इसमाद एहि संबंध मे पिछला दू साल स सूचना द रहल अछि।
जानकारक कहब अछि जे अगर सबकिदु ठीक रहल त अगिला चारि साल मे गैस पाइप लाइन योजना जमीन पर उतरि जाएत । राज्य सरकार ऊर्जा आ ईंधन क खपत क जरूरत कए पूरा करबाक प्रयास मे जुटि गेल अछि। कोल लिंकेज देबा मे केंद्र क भेदभावपूर्ण नीति आओर शहर मे ब़ढैत प्रदूषण पर नियंत्रण लेल राज्य सरकार नेचुरल गैस क उपलब्धता पर गंभीरता स विचार करि रहल अछि। दरअसल कोल लिंकेज क इंतजार मे बिहार मे निजी क्षेत्र क कईटा बिजली प्रोजेक्ट लटकल अछि। आधिकारिक सूत्र क कहब अछि जे सरकार क एहि महात्वाकांक्षी योजना स निजी क्षेत्र क थर्मल प्लांट मे बिजली उत्पादन करबा मे मदद भेटत। एहि स लाभ बिहार कए होएत। बिहार के बेगूसराय, गया, पटना, बेतिया, छपरा, सीवान आ गोपालगंज होइत इ पाइप लाइन बिछाउल जाएत। हालांकि गैस पाइप लाइन क जरिए नेचुरल गैस क उपलब्धता बिहार सन राज्य लेल सस्ता नहि अछि।
एहि परियोजना स बिहारक आठ टा शहर मे अगिला पांच साल मे सिलिंडर युग खत्म भ जाइत। सरकार शहर मे गैस पाइप लाईन बिछा कए भनसाघर तक गैस पहुंचेबाक योजना कए मंजूर करि लेलक अछि। केंद्र सरकार एहि परियोजना कए पहिने मंजूरी द चुकल अछि। पेट्रोलियम एवं प्राकृतिक गैस राज्य मंत्री जितिन प्रसाद कहलथि जे देश मे गैस पाइप लाइन क जाल बिछाबा लेल विजन 2015 कए अंतिम रूप दे देल गेल अछि। ओ कहला जे गेल इंडिया लिमिटेड क संयुक्त उद्यम सहित केन्द्र सरकार द्वारा अधिकृत नगर गैस वितरण कंपनी पाइप लाइन क नेटवर्क क विस्तार क लेल काज करि रहल अछि। एहि काज क लेल किछु आओर कंपनी कए अधिकृत करबाक काज पेट्रोलियम एवं प्राकृतिक गैस विनियामक बोर्ड द्वारा कैल जायत। प्रसाद कहला जे जाहि बिहारक जहि आठ शहर मे 2015 तक पाइप लाइन बिछाउल जाइत ओहि मे पटना, गया, सासाराम, औरगाबाद, बरौनी, भागलपुर, मुजफ्फरपुर आओर दरभंगा अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

बॉलिवुड क पहिल चाह अछि मैथिलक हाथ स बनल जूता

Esamaad Epaper Website

स्थानीय नेता स होएत विकास : फातमी

जून स शुरू होएत देखनुक पटनाक काज

Comments 1

  1. Santoshi Kumar says:
    10 years ago

    Ekta nik sapana achhi, entajar ka dekha parat vastavik dharatal par sakar hoyat ki nahi. Jan ehi ken tahat Barouni Fertiliser ken renascence bha jay ta bhersak mithlanchal ke din phirbak rasta bhetat. E yojana ta ekata kalpna achhi muda Barouni Fertiliser ekta vastavikta chhal jakra band bhela san kateko Mithilavasi berojgar bhela. Ehi yojnak safalta hetu hamar subhkamana rahat!

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि