• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home खेल

बिहार मे किया नहि भेल राष्टमंडल खेल

June 26, 2010
in खेल
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

आरएसएस कालेज बीहट कए हरा जेडी कालेज, बेगूसराय बनल चैंपियन 

September 10, 2018

दरभंगा क लाल बनलाह उत्तराँचल क्रिकेट टीम क सेलेक्टर

September 8, 2018

लगातार खेलेबा मे कुक क विश्व रिकॉर्ड

June 2, 2018

नंदनी
पटना। खेलक स्तर पर सबस कम आधारभूत संरचना बिहार मे अछि। सच पूछू त एहि राज्य मे एकटा नीक मैदान तक नहि अछि। एहन मे अगर राष्टमंडल खेल बिहार सन राज्य मे आयोजित होइत त राज्य मे एकटा ठोस आधारभूत संरचना तैयार करबा मे आसानी क संग-संग देश कए एकटा नव खेल गांव क सनेस सेहो भेट जइते। मुदा एहन नहि भेल, मणिशंकर जी क गप सुननिहार कियो नहि अछि। आखिर दिन मे रोशनी करबाक चेष्टïा हमर देशक सरकार करैत रहल अछि, ताहि राति एहनो अनहार अछि। जे शहर आ राज्य विकसित अछि ओकर विकास करबाक विचार भारत सन देशक सरकार आ नेताक भ सकैत अछि। पचास हजार करोड़ मे एकटा नव शहर बसेबाक बदला मे दिल्ली सन बनल बनाएल शहर कए
फेर स बनेबाक कौन जरूरत छल, जखन कि बिहार मे शहरीकरणक रफ्तार सबस कम अछि। एकर संग-संग राज्य मे खेल क हाल बेहाल अछि। हालात इ भ चुकल अछि जे राज्य मे ख्ेालक सुनहगर अतीत पर धुंध छा गेल अछि। क्रिकेट कए धर्म बुझनिहार एहि देश मे बिहार एकटा एहन राज्य अछि जतय क्रिकेट क खेल स्टेडियम क जगह अदालत मे खेलल जा रहल अछि। बिहारक क एकमात्र अंतरराष्ट्रीय स्टेडियम मोइनुल हक मे खेल बंद अछि। आसपास क जिला क स्टेडियम क गप नहि हुए। एस्ट्रोटर्फ एहि ठाम सपना बनल अछि। मैदान क कमी क असर राष्ट्रीय खेल हॉकी क अलावा फुटबाल, एथलेटिक्स आ अन्य खेल पर साफ देखा रहल अछि। पहिने जतय स्टेडियम मे खिलाड़ी क मेला लगैत छल, आइ खिलाड़ी दोसर राज्य क दिस पलायन करि रहल अछि। वीरान पड़ल 35 हजार दर्शक क क्षमतावाला मोइनुल हक स्टेडियम कए इ पता नहि अछि जे ओकर भाग्य मे की लिखल अछि। 2001 मे बीसीसीआई पर्यवेक्षक दल स्टेडियम क दौरा करि एकरा क्लीन चिट द देने छल। एकर बाद सांसद कपिल सिब्बल फ्लड लाइट्स क लेल तीन करोड़ टका सेहो देलथि, मुदा मान्यता विवाद आ रख-रखाव सबटा खेल बिगाडि़ देलक। 1996 मे जिम्बाब्वे आ केन्या क बीच भेल विश्व कप क्रिकेट मैच क दौरान सुनील गावस्कर, माइकल होल्डिंग, रवि शास्त्री स बेहतरीन आउटफील्ड क दर्जा पैनिहार इ मैदान आइ मूसक रैन बसेरा बनल अछि।
जखन कि बिहारशरीफ मे मौजूद दीपनगर स्टेडियम, गया क काल्हा स्टेडियम, हरिहर सुब्रह्मण्यम स्टेडियम, मगध विवि स्टेडियम आ इंदिरा गांधी इंडोर स्टेडियम, हाजीपुर क अक्षयवट राय स्टेडियम, छपरा क राजेन्द्र स्टेडियम अतिक्रमण क चपेट मे अछि। आसमाजिक तत्व क अड्डा बनल आरा क वीर कुंवर सिंह स्टेडियम मे महिला खिलाड़ी जेनाई तक छोडि़ देलथि अछि। बक्सर क किला मैदान कए स्टेडियम मे परिवर्तित करबाक मुख्यमंत्री शहरी विकास योजना स 27 लाख क राशि आवंटित भेल, जखकि नवनिर्मित जहानाबाद इंडोर स्टेडियम मे खेल नहि शुरू भ सकल अछि। गोपालगंज, नवादा, सिवान समेत अन्य जगह क खेल मैदान क दुर्दशा कननिहार कियो नहि अछि।
मजेदार गप अहि या अज्ञानता मुदा दरभंगा क पोलो मैदान मे बनल क्रिकेट स्टेडियम क पवैलियन गलत स्थान पर बना देल गेल अछि जाहि स ओ तकनीकी रूप स स्टेडियमक दर्जा नहि पाबि सकल अछि। एतबे नहि दरभंगा राज मैदान मे पिछला बीस साल स बनि रहल स्टेडियम आइ धरि शिलान्यास स आगू नहि बढि़ सकल अछि।
32 करोड़ 55 लाख क लागत स पटनाक कंकड़बाग मे बनि रहल अंतरराष्ट्रीय कंकड़बाग स्पोर्ट्स काम्पलेक्स क शिलान्यास 1989 मे भेल छल। मुदा एहि मे काज कम आ शिलान्यास बेसी भेल। एखन धरि चारि बेर शिलान्यास भ चुकल एहि स्पोर्ट्स काम्पलेक्स क पहिने जिम्मेवारी पटना कमिश्नरी कए सौंपल गेल छल, मुदा ओकर ढुलमुल रवैया स काज शुरू नहि भ सकल त निर्माण विभाग एकर ढांचा तैयार करि लेलक अछि, मुदा काज एखनो बहुत बाकी अछि। राजनीति मे खेल आ खेल मे राजनीतिक कारण बिहार मे एखनो पढ़ोगे लिखोगे बनोगे नबाव, खेलोगे कूदोगे बनोगे खराब क सिद्धांत पर आगू बढि़ रहल अछि।

Tags: पटना
ShareTweetPin

Related Posts

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

आरएसएस कालेज बीहट कए हरा जेडी कालेज, बेगूसराय बनल चैंपियन 

September 10, 2018

दरभंगा क लाल बनलाह उत्तराँचल क्रिकेट टीम क सेलेक्टर

September 8, 2018

लगातार खेलेबा मे कुक क विश्व रिकॉर्ड

June 2, 2018

गिल और कार्तिक केकेआर के जितेलक

May 4, 2018

बहुरत बिहार क्रिकेटक दिन

January 5, 2018
Next Post
Esamaad Epaper Website

रोजगार क तलाश मे बिहार आबि रहल छथि राजस्थानी

Esamaad Epaper Website

लालूक पाछु पड़ल ममता कए फेर हाथ लागल मायूसी

Esamaad Epaper Website

गहूम क जगह माटी भरल बोरा पठाउल जा रहल छल बिहार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि