पटना । नवी मुंबई स्थित पेंटागन समुद्री प्रशिक्षण आ अनुसंधान संस्थान (पीएमटीआरआई) बिहार मे मर्चेंट नेवी प्रशिक्षण संस्थान खोलबाक इच्छा( प्रकट केलक अछि। पीएमटीआरआई एहि संबंध मे एकटा प्रस्ता(व बिहार सरकार कए पठेलक अछि, जाहि पर बिहार सरकार सेहो सकारात्ममक उत्त र देलक अछि। जानकारी क अनुसार एहि संबंध मे पिछला मास पीएमटीआरआई क अधिकारी पटना क दौरा सेहो केलथि अछि। हालांकि सरकार दिस स एखन अधिकारिक तौर पर किछु नहि कहल जा रहल अछि, मुदा सूत्रक दावा अछि जे मुख्यरमंत्री क मार्च मे मुंबई यात्रा क दौरान एहि पर अंतिम फैसला होएत। ज्ञात हुए जे निवेश कए प्रोत्सााहित करबा लेल मार्च मे नीतीश कुमार मुंबई जा रहल छथि। एहि बीच योजना कए जमीन पर उतारबा लेल बिहार क प्रशासनिक अधिकारी सेहो मुंबई स्थित मर्चेंट नेवी प्रशिक्षण संस्थान क दौरा क रहल छथि। बिहार राज्य औद्योगिक विकास प्राधिकरण क प्रबंध निदेशक दीपक कुमार सिंह पिछला सप्ताकह मुंबई क प्रमुख मर्चेंट नेवी प्रशिक्षण संस्थान क दौरा केलथि अछि। जानकारक कहब अछि जे बिहार सरकार ओहि क्षेत्र मे सेहो संभावना ताकि रहल अछि जाहि मे एखन धरि ओकर कोनो खास स्थान नहि रहल अछि। एहन मे राज्य सरकार मर्चेंट नेवी सन क्षेत्र स आयल प्रस्तानव पर काफी उत्सांह देखा रहल अछि आ एहि क्षेत्र मे सेहो बिहार क दमदार उपस्थिति दर्ज करेबा क तैयारी क रहल अछि। बिहार सरकारक एकटा अधिकारी क कहब अछि जे अगर कोनो संस्था न पटना मे एकटा समुद्री प्रशिक्षण केंद्र स्थापित करबाक इच्छा प्रकट केलक अछि त बिहार लेल इ शुभ संकेत अछि। विश्व स्तरीय मर्चेंट नेवी प्रशिक्षण संस्थान खोलबा लेल सरकार ओहि संस्थावन कए आमंत्रित करि रहल अछि। एहि स पटना मे एकटा विश्व स्तरीय प्रशिक्षण केंद्र क स्थापना भ सकत आ बिहार क युवा कए रोजगारक अवसर भेट सकत।
बिहार फाउंडेशन क प्रवक्ता क अनुसार बिहार मे निवेशक कए आकर्षित करबा क जे प्रयास भ रहल अछि ताहि मे सेहो इ प्रस्ताकव मदद करत। एहि स युवा वर्ग क प्रतिभा कए निखारल जा सकत आ युवा कए नीक रोजगार भेट सकत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर