पटना। राज्य सरकार बिहार मे जेनेटिकली मोडीफाइड (जीएम) बीज क परीक्षण करबाक अनुमति नहि देत। प्रदेश मे जीएम बीज क परीक्षण पर रोक लगा देल गेल अछि। गांधी संग्रहालय मे जीएम फ्री बिहार मूवमेंट आ राष्ट्रीय आशा गठबंधन क संयुक्त तत्वावधान मे आयोजित संगोष्ठी मे कृषि मंत्री नरेन्द्र सिंह कहला जे सरकार किसान कए आत्मनिर्भर बनेबाक लेल मुख्यमंत्री तीव्र बीज विस्तार योजना चला रहल अछि। एकर माध्यम स किसान कए उन्नत बीज मुहैया कराउल जा रहल अछि। ओ कहला जे इ एकटा भ्रम अछि जे हाइब्रीड बीज स पैदावार मे वृद्धि होइत अछि। जीएम बीज क खतरनाक परिणाम सामने आबि रहल अछि। एहि अवसर पर कृषि विशेषज्ञ डा.देवेन्द्र शर्मा कहला जे किसान क आय बढेबा लेल एकटा आयोग गठित करबाक जरूरत अछि। देसी बीज स किसान क भला भ सकैत अछि। ओ कहला जे जीएम बीज क परीक्षण पर रोक लगा कए सरकार सराहनीय काज केलक अछि। किसान परंपरागत बीज स दूर होइत जा रहल छथि। जीएम बीज स धरती क जैवविविधता संकट मे आबि गेल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper