• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

बिहार मे प्राथमिक शिक्षा स्थानीय भाषा मे देबा दिस बढल डेग

January 16, 2013
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
  • पहिल चरण मे मैथिली, भोजपुरी आ मगही क 10 हजार स बेसी शब्द क होएत प्रयोग
  • पांचवीं कक्षा तक लेल तैयार भ रहल अछि शब्द क सूची
  • अलाव क स्थाषन पर घूर, सब्जी क स्था्न पर तिमन बा तरकारी, पारिश्रमिक क जगह पर होएत बोइन शब्द क प्रयोग

दरभंगा। बिहार मे प्राथमिक स्तर पर स्थानीय भाषा मे पढाई दिस सरकार एकटा डेग बढेबाक प्रयास केलक अछि। सरकारक एहि प्रयास स इ संभावना प्रबल भ गेल अछि जे भविष्यक मे प्राथमिक स्तर पर बिहार क स्थानीय भाषा मैथिली, भोजपुरी आ मगही क माध्यम स अध्ययन भ सकत। वर्तमान सरकार एहि दिशा मे पहल करैत एखन विद्यालय मे घर सन माहौल देबाक मादे मैथिली, भोजपुरी आ मगही भाषा क करीब 10 हजार एहन शब्द क सूची तैयार क रहल अछि जे मिथिला, भोजपुर आ मगध क्षेत्र मे बाजल जाइत अछि। मिथिला क्षेत्रक बच्चा कए पांचवीं कक्षा तक आब अमरूद क बदला मे लताम पढाउल जाएत। एहिना पांचवीं कक्षा तक अलाव क स्थान पर घूर, सब्जी क स्थान पर तिमन बा तरकारी, पारिश्रमिक क जगह पर बोइन शब्दब क प्रयोग कैल जाएत। शिक्षा विभागक एकटा अधिकारीक कहब अछि जे बच्चा कए घर क भाषा मे प्राथमिक शिक्षा भेटला स ओकरा ओहि शब्द क प्रयोग आ अर्थ बुझबा मे सुविधा होइत अछि आ बच्चा क शब्द ज्ञान सुलभ भ जाइत अछि। विद्यालय मे घर सन माहौल भेटला स पढाई छोडबाक औसत सेहो कम होएत। स्थानीय भाषा क महत्व कए रेखांकित करैत अधिकारी कहला जे स्थानीय शब्दक क प्रयोग स शिक्षक कए सेहो बच्चा कए बुझेबा मे मदद भेटत। जेना शिक्षक लेल मछली, बछडा, बिछावन,भिंडी क स्थान पर माछ, बाछा, ओछाउन, रामझुमनी बच्चा कए जल्दी बुझाउल जा सकत। स्थानीय भाषा मे प्राथमिक शिक्षा देबाक मांग बिहार मे बहुत पुरान अछि, एहि मांग पर विचार करैत सरकार इ स्‍वीकार केलक अछि जे प्राथमिक स्‍तर पर बच्चा स्थानीय शब्दक जल्दी ग्रहण करैत अछि आ ओकरा एकर स्‍मरण रखबा मे दिक्कत नहि होइत अछि। ताहि लेल सरकार पहिल चरण मे स्थानीय भाषा क शब्द कए किताब मे शामिल करबा क फैसला लेलक अछि। राज्‍य शिक्षा शोध संस्थान एहि पर काज शुरू क देलक अछि। एहि संबंध मे डायट क दरभंगा केंद्र क प्राचार्य सुभाषचंद्र झा क कहब अछि जे एखन तक करीब 300 शब्द क चयन भ चुकल अछि आ बाकी शब्द क चयन लेल चर्च भ रहल अछि। ज्ञात हुए जे 1984 मे लागू भेल राष्ट्रीय पाठयचर्चा की रूपरेखा मे मानक शब्द पर जोर देल गेल छल, जाहि स बच्चा् कए स्थानीय शब्द क संग संग मानक शब्द सेहो स्मरण रखबाक मजबूरी भ गेल छल। बच्चा क एहि मजबूरी कए खत्म करबाक उद्देश्य स 2004 मे नवका राष्ट्रीय पाठयचर्चा की रूपरेखा लागू भेल छल। बिहार सेहो ओकरा लागू केने छल, जाहि मे स्थानीय भाषा कए प्रयोग पर बल देल गेल छल। मुदा जमीन पर एखन धरि इ लागू नहि भ पाबि सकल अछि। आब जा कए सरकार एहि दिस पहल केलक अछि आ भविष्‍य मे प्राथमिक शिक्षा क माध्यम स्थानीय भाषा भ सकत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

नवरूणा कए तकबाक जिम्मा आब सीआइडी लग

Esamaad Epaper Website

मिथिला स दूर भेल परदेशी पाहुन

Esamaad Epaper Website

बिजली पर निर्भर भेल नीतीश क राजनीति

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

गामे-गाम गृह उद्योग स्थापित करबाक अछि योजना : अमरनाथ

by संपादक
May 28, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि