पटना । बिहार मे कईटा नव शहर बनबाक बाट साफ भ गेल अछि। एहि लेल बिहार सरकार कई साल स प्रस्तावित बिहार अरबन प्लानिंग एंड डेवलपमेंट योजना 2012 कए पारित क देलक अछि। सरकार प्रदेश मे शहरीकरण कए तेज करबा लेल एहि योजना कए पारित केलक अछि। एकर पुष्टि करैत नगर विकास मंत्री डा. प्रेम कुमार क कहब अछि जे शहर पर बढि रहल दबाव आ राष्ट्रीय शहरी अनुपात कए मद्देनजर सरकार बिहार अरबन प्लानिंग 2012 कए मूर्त रूप देलक अछि। पैघ-पैघ शहर क बगल मे एकटा नव शहर बसेबाक योजना अछि। जेकरा लेल विकास आयुक्त क नेतृत्व मे एकटा कमेटी बनाउल गेल अछि। ओहि मे 26टा विभाग क अधिकारी शामिल छथि। प्रथम चरण मे 11टा नगर निगम आ 42टा नगर परिषद क सर्वे क काज शुरू कैल गेल अछि। उक्त योजना क तहत नव जे शहर बसत ताहि मे यातायात, स्वास्थ, पार्किंग, बिजली सहित मूलभूत सुविधा क अलावा नव रूप मे विकसित सेहो कैल जेबाक योजना अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर