पटना। बिहार मे आपराधिक मामलाक जांच लेल आब डीएनए जांच क नमूना कए बाहर पठेबाक मजबूरी नहि रहत किया त जल्द पटना स्थित अपराध विज्ञान प्रयोगशाला (एफएसएल) मे डीएनए जांच क अत्याधुनिक सुविधा उपलब्ध होएत। पुलिस महानिदेशक अभयानंद कहला जे पटना क बेली रोड स्थित अपराध विज्ञान प्रयोगशाला (एफएसएल) मे अत्याधुनिक डीएनए जांच क सुविधा स्थापित कैल जाएत। करीब तीन करोड़ क लागत स डीएनए जांच क अत्याधुनिक प्रणाली कीनल गेल अछि। ओ कहला जे एफएसएल मे निर्माण क काज चलि रहल अछि आ उम्मीद अछि जे एहि साल क अंत तक एकर इन्स्टॉलेशन क काज पूरा भ जाएत आ इ काम करै लागत। डीएनए जांच आ मशीन क संचालन लेल बिहार पुलिस क लोक कए प्रशिक्षण सेहो देल जा रहल अछि। ज्ञात हुए जे पटना स्थित फारेंसिक लैब मे बिसरा रिपोर्ट चपरासी द्वारा बनेबाक सनसनीखेज खुलासा भ चुकल अछि आ इ विभाग मुख्यमंत्री लग मे रहबाक बावजूद कोनो ठोस कार्रवाई नहि कैल गेल अछि। बिहार मे दहेज हत्या क मामला बिसरा रिपोर्ट पर बहुत हद तक निर्भर करैत अछि। एहन मे फारेंसिंक लैव आजुक तारिख मे दहेज मामला मे वर पक्ष स वसूलीक दुकान बनि चुकल अछि। आशा कैल जाए जे फारेसिंक लैव जेना डीएनए लैब नहि काज करत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna
Sampadikaji, theek likhlahun,”आजुक तारिख मे दहेज मामलामे वर पक्षस वसूलीक दुकान बनि चुकल अछि। “ham swaym bhuktbhogee chhii- kono mahila sagthan jaanch kay liyaa…