पटना : बिजली क किल्लत झेल रहल बिहार मे करीब 800 मेगावाट क कुल 25टा पनबिजली परियोजना क प्रस्ताव पर विभिन्न स्तर पर काज जारी अछि। बिहार राज्य जल विद्युत निगम क प्रबंध निदेशक एके पांडेय कहला अछि जे वर्तमान मे प्रदेश मे 54 मेगावाट क स्थापित जल विद्युत क्षमता अछि आ 33 मेगावाट क विभिन्न पनबिजली परियोजना क निर्माण कार्य जारी अछि। करीब 800 मेगावाट क 25टा अन्य पनबिजली परियोजना क प्रस्ताव पर काज चलि रहल अछि। ओ कहला जे सुपौल जिला मे कोसी नदी पर बहुप्रतिक्षित 130 मेगावाट क डागमारा पनबिजली परियोजना क विस्तृत परियोजना प्रतिवेदन (डीपीआर) केंद्र कए पठा देल गेल अछि, स्वीकृति भेटलाक बाद ओहि पर काज शुरू क देल जाएत। एहि परियोजना लेल एशियाई विकास बैंक आ जापान क जाईका सन वित्तीय संगठन अपन रूचि दिखा चुकल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper