सब पंचायत मे बनत 10-10टा पोखरि, भेटत पांच लाख गोटे कए रोजगार
पटना । बिहार सरकार राज्य मे पोखरिक जाल बिछेबाक एतिहासिक फैसला केलक अछि। एकरा अहां इ’समाद मे आयल रिपोर्ट क असर नहि कहि सकैत छी, मुदा इ’समाद पोखरि क महत्व पर बेर-बेर चर्च करैत रहल अछि। इ’समाद लेल इ एकटा पैघ उपलब्धि अछि जे तिरहुत राज क राजा नरेंद्र सिंह क नारा पग-पग पोखर…..क सिद्धांत कए बिहार सरकार एक बेर फेर स दोहरेबाक फैसला केलक अछि।
जानकारी क अनुसार सरकार सब पंचायत मे 10-10टा पोखरि क निर्माण करेबाक फैसला लेलक अछि। बिहार मे कुल 8411टा पंचायत मे एक अप्रैल स एहि योजना पर काज शुरू भ जाएत। 60 दिनक भीतर कुल एक लाख पोखरिक निर्माण भ सकत। एतबा पैघ संख्या मे पोखरि क एक संग निर्माण केवल 17वीं सदी मे तिरहुत क राजा नरेंद्र सिंह क शासनकाल मे भेल अछि। ओ तिरहुत कए बाढ आ सूखाड स बचेबा लेल विभिन्न आकार क करीब एक लाख पोखरिक एक संग निर्माण करेने छलाह। नरेंद्र सिंह कए तिरहुतक अर्थशास्त्री सेहो मानल जाइत अछि। ओ क्षेत्र कए आर्थिक संपन्नता हासिल करेबा लेल एहि पोखरि सबहक उपयोग मात्र सिंचाई आ जल संचय लेल नहि केलथि बल्कि माछ आ मखान क पैघ पैमाना पर खेती शुरू करबा लेल लोक कए प्रोत्साहित केलथि। हुनकर देल नारा- पग पग पोखर माछ मखान, बाद मे आर्थिक उत्थान क नारा क स्थान पर मिथिला क सांस्कृतिक पहचान क नारा क रूप मे प्रयोग कैल जा रहल अछि।
राजा नरेंद्र सिंह क कई साल पुरान एहि विजन कए आखिरकार बिहार सरकार अपना रहल अछि। मनरेगा क तहत भ रहल एहि पोखरि निर्माण स करीब एक लाख परिवार कए रोजगार भेटत। इ पोखरि औसतन 25 मीटर लंबा, 25 मीटर चौडा आ तीन मीटर गहीर होएत। संगहि इ पोखरि सब निजी जमीन पर कोरल जाएत, जाहि स करीब पांच लाख परिवार कए फायदा पहुंचत। एतबा पैघ पैमाना पर पोखरिक निर्माण स एक दिस जतए भूमिगत जल स्रोत क स्तर मे सुधार होएत ओतहि वर्षा जल क संचयन सेहो पैघ पैमाना पर भ सकत। बाढ क समय मे नदी स ऊनल जल क संचयन मे सेहो इ पोखरि सब मददगार साबित होएत। सरकारक कहब अछि जे इ एक लाख परिवार क संपत्ति होएत आ खेत मे सिंचाई लेल उपयोगी साबित होएत। सरकारक कहब अछि जे एहि पोखरि सबहक उपयोग माछ पालन आ मखान क खेती मे सेहो कैल जा सकत। सरकार क पूरा परियोजना अगर सफल भेल त मिथिला संगहि पूरा बिहार एक बेर फेर सूखाड आ बाढ सन समस्या स मुक्त भ जाएत आ जल संचय लेल आदर्श भ जाएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर