• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

बेकाबू भीड़ पर गोलीबारी लेल अनुमति क दरकार नहि : डीजीपी

November 15, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

दरभंगा। ‘शूट विद कैमरा नॉट विद वेपन’ सन बयान द नव बहस शुरू केनिहार बिहार क पुलिय महानिदेश अभयानंद कहला अछि जे उपद्रव आ हिंसा क स्थिति मे जान माल क रक्षा आ सार्वजनिक संपत्ति कए नुकसान स बचेबा लेल बेकाबू भीड पर फायरिंग लेल पुलिस कए ककरो स अनुमति लेबाक जरूरत नहि अछि। किशनगंज स दरभंगा तक भेल अपराध क समीक्षा लेल दरभंगा आयल डीजीपी पत्रकार क सवाल क उत्‍तर द रहल छलाह।
ज्ञात हुए जे एक दिन लेल दरभंगा पहुंचल अभयानंद दरभंगा जोन क पुलिस क समस्या स रूबरू सेहो भेलथि। एहि बैसार मे डीजीपी क अलावा आइजी जेएस गंगवार, डीआइजी मानवाधिकार रवीन्द्रन शंकरण, डीआइजी सुधांशु कुमार, पूर्णिया क डीआइजी बच्चू सिंह मीणा, सहरसा क डीआइजी संजय सिंह, एसएसपी गरिमा मलिक, सिटी एसपी कुमार एकले, मधुबनी क एसपी आरके मिश्रा, समस्तीपुर क एसपी वरुण कुमार, सहरसा क एसपी एके सत्यार्थी, मधेपुरा क एसपी सौरभ कुमार साह, कटिहार क एसपी किम, किशनगंज क एसपी मनोज कुमार आ पूर्णिया क अमित लोढ़ा शामिल छलाह।
पुलिस महानिदेशक अभयानंद क इ दौरा कई दृष्टिकोण स महत्वपूर्ण रहल। ओ स्वीकार केलथि जे पुलिस मे सुविधा क कमी अछि मुदा एकर मतलब इ कतई नहि जे अनुसंधान मे कोताही कैल जाए। एहि परिस्थिति मे बेहतर काज करबाक अछि। निरंतर सुधार क प्रक्रिया चलि रहल अछि। एहि दिशा मे सरकार आ पुलिस महकमा गंभीर अछि।
राज्य मे कानून व्यवस्था क समीक्षा क क्रम मे डीजीपी अपन पदाधिकारी कए सीखबा आ अपना आप मे निरंतर सुधार अनबा क नसीहत देलथि, ओतहि ओ जनता स संयम बरतबा क अपील सेहो केलथि। बैसार मे ओ आपराधिक वारदात क वैज्ञानिक अनुसंधान, आर्थिक अपराध पर कार्रवाई, तेजी स ट्रायल करेबा लेल जरुरी कार्रवाई, त्वरित अपील आ जमानत पर छूटल अपराधी क खिलाफ कार्रवाई पर जोर देलथि।
ओ कहला जे संगीन वारदात मे काफी कमी आयल अछि। बाहुबली क दिन लद चुकल अछि। जे किछु घटना हाल फिलहाल मे भेल अछि ओ दोसर तरहक अछि। एहन घटना कए रोकबा लेल सेहो आब त्वरित कार्रवाई कैल जा रहल अछि। चाहे ओ मधुबनी क घटना हो या फेर दरभंगा क अशोक पेपर मिल फायरिंग कांड। एकटा समय एहनो छल जखन बेसरा जांच रिपोर्ट एबा मे तीन चार माह लागि जाइत छल मुदा आइ 24 स 48 घंटा मे जांच रिपोर्ट तैयार भ जाइत अछि। अनुसंधान क तौर तरीका बदलल अछि। फारेंसिक साइंस लेबोरेट्री (एफएसएल) क जांच टीम दू स तीन घंटा मे घटनास्थल पर पहुंच जाइत अछि। आब घटना क तुरंत बाद थानाध्यक्ष या अनुसंधानकर्ता एफएसएल टीम स मोबाइल पर संपर्क क घटनास्थल पर मौजूद सामान क नमूना एकत्रित क सकैत छथि।
मधुबनी क घटना क उल्‍लेख करैत ओ जनता स सेहो संयम बरतबाक अपील केलथि आ कहला जे पुलिस अहांक संग अछि। अगर कोनो पुलिस पदाधिकारी गलत काज करैत छथि त निश्चित रूप स हुनकर खिलाफ कार्रवाई होएत।
दरभंगा में भेल पुलिस फायरिंग पर ओ कहला जे जखन भीड बेकाबू भ जाइत अछि त आत्मरक्षा लेल पुलिस कए गोलीबारी करबा लेल ककरो स अनुमति लेबाक कोनो जरूरत नहि अछि। एहन पुलिस कए फायरिंग करबाक अधिकार अछि। ओ कहला जे अशोक पेपर मामला क विशेष जांच करा रहल छी।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

समानता क अदभुत उदाहरण अछि छठ

पत्रकार डॉ अनुज नहि रहलाह, रांची स्‍तब्‍ध, पटना में शोक

पटना क भगदड मे हेरा गेल सुशासन

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

by संपादक
January 15, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि