• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बेरंग भ गेल मिथिला क रंगक शहर लखीसराय

March 19, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

लखीसराय । होलिका क दहन मिथिला मे भेल, मुदा ओहि समय होली रंग स नहि बल्कि सम्‍मतक छाउर स खलेबाक परंपरा छल। मुदा जखन होली मे रंग क प्रयोग शुरू भेल त मिथिला कए रंग मे लपेटबा लेल एकर उत्‍पादन शुरू भेल । ओना त बहुत दिन त रंग बाहर स अबैत रहल, मुदा रंग क शहर क नाम स मशहूर लखीसराय मे मुख्‍य रूप स रंगक व्यवसाय जमाउल गेल । आइ लखीसराय रंगहीन अछि। धीरे-धीरे एकर रंग फीका पडैत रहल अछि ।
लखीसराय कए रंग क शहर बनबाक इतिहास देखी त वर्ष 1937 मे चिरंजी लाल ड्रोलिया एहि शहर मे ड्रोलिया केमिकल कंपनी नामक फैक्ट्री क शुभारंभ केलथि, जाहि मे सेनूर क निर्माण कैल जाइत छल। लखीसराय क बनल सेनूर देश क अलावा नेपाल आ बांग्लादेश तक क हाट-बाजार मे जाइत छल । रंग क त्योहार होली स किछु मास पूर्व लखीसराय मे सिंदूर क संग-संग रंग अबीर आ गुलाल क निर्माण शुरू भ जाइत छल। रंग निर्माण लेल कच्चा माल मुंबई, पुणे, दिल्ली, जबलपुर आ अलवर स मंगाउल जाइत छल।
लखीसराय क रंग कारोबार एतबा फलल-फुलल जे ड्रोलिया क अलावा कईटा आओर कारखाना एहि शहर मे खुलल, मुदा मिथिला क कपार कही बा कालचक्र क फेर, आन कारोबार जेकां एहि कारोबार कए सेहो पहिने बिजली आ फेर खराब कानून व्यवस्था चौपट क देलक । 1980 क आसपास आधा स बेसी कारखाना क दुहारि पर ताला लटकि गेल छल। एखन वाणिज्य कर विभाग द्वारा निबंधित मात्र छहटा कारखाना अछि जाहि मे सेनूर क निर्माण होइत अछि।
कहियो होली क तीन मास पूर्व स लखीसराय क कारखाना अबीर आ गुलाल बनेबा मे जुटि जाइत छल। सेनूर वाणिज्य कर स मुक्त अछि जखन कि अबीर आ गुलाल पर पांच फीसदी बिक्री कर देय अछि। ओतहि रंगो पर 13 फीसदी वाणिज्य कर देय अछि, मुदा आइ एहि कारोबार कए खत्‍म भेला स रंग क व्यवसाय स सरकारी खजाना मे एक पाइ तक नहि पहुंचैत अछि।
वर्ष 1937 स एहि व्यवसाय स जुड़ल शहर क रजिस्टर्ड कारखाना मे भले भारी पैमाना पर रंग क निर्माण नहि भ रहल अछि, मुदा होली क मौसम मे किछु किछु रंग क उत्‍पादन भ जाइत अछि। होली स दुर्गा पूजा तक एहि ठाम कुल पांच करोड़ टकाका व्यवसाय करबा क गप कहल जाइत अछि । सवाल अछि आखिर मिथिला क उद्योग और मिथिला क औद्योगिक नगर क विकास आ ओकरा फेर स जीवंत करबा लेल कोनो प्रयास अगर नहि होएत त एक दिन इ उपमा मात्र इतिहास मे दर्ज भ जाएत जे रंगक शहर बेरंग भ गेल।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

देखू त बिहार 101 साल क भ गेल

Esamaad Epaper Website

बिहार दिवस पर महिला कए भेटल सनेस

Esamaad Epaper Website

बिहार क पहचान बनत पटना लिटरेचर फेस्टिवल : नीतीश

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि