• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

बॉलिवुड क पहिल चाह अछि मैथिलक हाथ स बनल जूता

April 27, 2013
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

Jameel-Shahदरभंगाक जमील देशक असगर एहन शू मेकर छथि जे डांसिंग शूज बनबैत छथि
मुंबई : दरभंगा स आठवीं क्लास क पढ़ाई बीच मे छोड़िकए मुंबई गेल जमील शाह सपना मे नहि सोचने छलाहजे एक दिन हुनकर बनाउल जूता बॉलिवुड क सितारा क पहिल पसंद बनि जाएत। मुंबई क धारावी मे वर्कशॉप चलेनिहार जमील शाह क डिजाइन कैल जूता अजय देवगन स ल कए रितिक रोशन तक तमाम बॉलिवुड क सितारा क पैर मे नजरि आबि रहल अछि। आइ हुनकर बनाउल जूती काइली मिनॉग स ल कए कटरीना कैफ तक तकैत छथि। जमील क दावा अछि जे ओ देशक असगर एहन शू मेकर छथि जे डांसिंग शूज बनबैत छथि। आइ हुनकर बनाउल डांसिंग शूज काजोल, प्रियंका चोपड़ा, ऐश्वर्या राय, अमीषा पटेल, बारबरा मोरी, रितिक रोशन, रणबीर कपूर आ अजय देवगन सन कलाकार पहिर रहल छथि। ओतहि ‘झलक दिखला जा’ आ ‘नच बलिए’ सन डांस रिऐलिटी शो मे सेहो एहि मैथिलक बनाउल जूता सप्लाई होइत अछि।
करीब 30 साल क बैस मे एकटा मुकाम हासिल क चुक ल जमील 1999 क आसपास मुंबई आबि गेल छलाह। ओ कहला-हम मुंबई आबि कए एकटा लेदर फैक्ट्री मे काज शुरू केलहुं। तखन हमर दिमाग मे डांसिंग शूज बनेबाक कोनो विचार नहि छल। मुदा बाद मे ओहि लेदर फैक्ट्री क अनुभव हमरा काज देलक। ओहि अनुभव क कारण आइ हम नीक डांसिंग शूज डिजाइन क पाबि रहल छी।
पहिने लोग कहैत छलथि जे विदेश जा रहल छी त डांसिंग शूज लेने आयब मुदा आब उलटा भ रहल अछि विदेश स लोग हमर डांसिंग शूज लेबा लेल आबि रहल अछि।
जमील कए डांसिंग शूज क एक्सपर्ट हेबाक क पाछु सबस पैघ कारण ओकर नीक डांसर होएयब अछि। ओ डांसर्स क जरूरत कए बुझैत अछि आ तखन डांसिंग शूज तैयार करैत अछि। जमील कहैत छथि जे हुनका डांस क शौक त दरभंगा स छल। मुंबई एला पर सिलेब्रिटी कोरियॉग्राफर संदीप सोपारकर हुनका डांस मे एक्सपर्ट बना देलथि। हुनके पैर पर पहिल बेर ओ डांसिंग शूज देखलथि, जे विदेश स आयात कैल गेल छल। ओ कहला जे जूता देखला स लागल जे हम ओकरा बना सकैत छी। बस फेर की छल हम पहिने डांसिंग शूज तैयार कदेलहुं। पहिल जूता हम अपन डांसिंग शूट अपन गुरु संदीप सोपारकर कए पहिरा कए चेक केलहुं। एकर बाद हमर जूता हिट भ गेल।
बाजार मे जमील क जूता 50 हजार तक मे बेचल जाइत अछि मुदा जमील क अपन रेट केवल 2 स 3 हजार टका अछि। ओ कहैत छथि जे किछु सिलेब्रिटीज डायरेक्ट जूता लेल हमरा स संपर्क करैत छथि। त किछु लेल डिजाइनर अप्रोच करैत अछि। ओ कहला जे हुनका सबस खुशी ओहि दिन भेल जहिया हुनकर बनाउल जूता बारबरा मोरी कीनबा लेल एलथि।
आइ बिहारक जमील स आइ दरभंगा तक परिचित नहि अछि मुदा बॉलिवुड क सितारा लेल इ नाम नुकायल नहि अछि। जे सिलेब्रिटी एहि हिनक जूता पहिर लैत छथि हुनकर माथ पर एहि हाथ क जादू माथ चढ़िकए बचैत अछि। आइ जमील स आग्रह कैल जाइत अछि जे डेली यूज लेल डांसिंग शूज मे नॉर्मल सोल लगाकए द देल जाए। खासक अजय देवगन रुटीन लाइफ मे सेहो जमील क बनाउल जूता पहिरैत छथि।
साभार: नभाटा

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

स्थानीय नेता स होएत विकास : फातमी

जून स शुरू होएत देखनुक पटनाक काज

Esamaad Epaper Website

रैयाम मे डिस्टीलरी फैक्ट्री क शिलान्यास

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि