सात सौ करोड़ क एहि परियोजना स भेटत 25 हजार लोक कए रोजगार
भागलपुर : आखिरकार कोशिश रंग देखा देलक। भागलपुर मे मेगा फूड पार्क क स्थापना पर मंडरा रहल संकट लगभग खत्म भ गेल। फरवरी क अंत तक मेगा फूड पार्क क शिलान्यास भ जाएत। ज्ञात हुए जे चारि चाल पूर्व स्वीकार भेल एहि फूड पार्क क स्थापना लेल बियाडा या बिहार सरकार त जमीन नहि द सकल मुदा एकर स्थापना मे लागल प्रमोटर जमीन क व्यवस्था कए लेलथि अछि। एकरा लेल कहलगांव अनुमंडल मे एकचारी स्टेशन लग 100 एकड़ जमीन चिह्नित कैल गेल अछि। किसान स सहमति सेहो भेट गेल अछि। किसान क एकटा समूह क गप सेहो पार्क क मुख्य प्रमोटर स भ चुकल अछि। एकर बाद एहि काज मे तेजी आउत। पार्क क प्रमोटर सह शक्ति सुधा क चेयरमैन सत्यजीत सिंह कहला जे चिह्नित जमीन क रजिस्ट्री 31 जनवरी तक केवेंटर कंपनी क नाम स भ जाएत। केवेंटर समूह क चेयरमैन महेंद्र कुमार जालान कहला जे रजिस्ट्री भेलाक बाद यथाशीघ्र जमीन क घेराबंदी सेहो कर लेल जाएत। जालान जमीन दियेबा लेल प्रमंडलीय आयुक्त मिन्हाज आलम आ बिहार सरकार क योगदान क सेहो सराहना केलथि। गौरतलब अछि जे केंद्र क टीम प्रमोटर सब कए मौखिक रूप स निजी जमीन क खरीद लेल तैयार रहबा लेल कहने छल। फिलहाल कीनल जा रहल जमीन क खरीद मे प्रमोटर सब कए दस करोड़ टका खर्च भ रहल अछि। जखनकि कहलगांव क बियाडा मे जमीन दियेबा लेल प्रमोटर सब कए पांच करोड़ टका एखनो फंसल अछि। एकर वसूली बाद मे कैल जाएत। पार्क क स्थापना मे पांच स्टेक होल्डर छथि। उपरोक्त दूटा क अलावा बिग बाजार आ फ्यूचर समूह क किशोर बियानी आ दक्षिण भारत क दूटा छोट उद्यमी सेहो शामिल छथि। पार्क क स्थापना मे प्रारंभिक पहल स ल कए एखन धरि स्थानीय सांसद शाहनवाज हुसैन क योगदान उल्लेखनीय अछि। ओ केंद्रीय कृषि मंत्री शरद पवार स एहि संबंध मे कई दौर क बैसार क परियोजना न केवल पास करौलथि बल्कि जखन जखन एकर भागलपुर स आन ठाम जेबाक गप भेल ओ एकरा रोकबाक काज केलथि। टर्नओवर केतबा, रोजगार केतबा प्रोजेक्ट लगबा स एक वर्ष मे छह स सात हजार करोड़ क टर्नओवर क लक्ष्य अछि। प्रोजेक्ट क स्थापना मे एक हजार करोड़ क निवेश हेबाक अछि। प्रोजेक्ट चालू भेला पर प्रत्यक्ष आ अप्रत्यक्ष ढंग स डेढ़-दू लाख लोक कए रोजगार भेटत।
की की बनत
चिप्स, टोमैटो सॉस, फ्रूटी पेय, बिस्कुट, ग्लूकोज, केला, चावल, मखाना, बार्ली, टोमैटो चेरी, आंवला, आटा, स्टार्च क निर्माण होएत।
प्रोजेक्ट मे के के छथि सहयोगी
भारत सरकार स इ प्रोजेक्ट केवेंटर एग्रो लिमिटेड, कोलकाता क नाम स भेटल अछि। मेगा फूड प्रोजेक्ट कए केवेंटर एग्रो लिमिटेड, कोलकाता क चेयरमैन एमके जालान भागलपुर मे अनलथि अछि। हुनक संग दूटा आओर सहयोगी छथि। शक्ति सुधा क एमडी सत्यजीत सिंह आ बिग बाजार क चेयरमैन किशोर बियानी।
की अछि परियोजना
कुल 80 एकड़ जमीन क जरूरत अछि। 40 एकड़ मे इ सब अपन यूनिट लगेताह। शेष 40 एकड़ भूमि मे छोट-छोट उद्यमी कए आधारभूत संरचना तैयार क देबाक छल। स्थानीय आ छोट उद्यमी सब कए प्रशिक्षण सेहो मूल निवेशक कए देबाक अछि। 15टा कंपनी एहि ठाम केवल कच्चा माल तैयार करत जे पैघ उत्पाद मे सहायक बनत। एहि ठाम कई तरह क पाउडर तैयार करबाक योजना अछि। जेकर प्रयोग पैघ उत्पाद मे कैल जाइत अछि। एहन उत्पाद एखन केवल देश क मध्य-पूर्व क्षेत्र, गुजरात, राजस्थान मे तैयार भ रहल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa