भागलपुर । जिला स्कूल परिसर मे 10 करोड़ क लागत स बिहार विद्यालय परीक्षा समिति (बीएसइबी) क पहिल क्षेत्रीय कार्यालय क निर्माण होएत। एकरा लेल जिला स्कूल परिसर मे बेकार पडल कंप्यूटर सेंटर क जमीन क चयन कैल गेल अछि। फरवरी क आखिर या मार्च क पहिल सप्ताह मे कार्यालय क निमार्ण शुरू भ जाएत। बिहार विद्यालय परीक्षा समिति क अध्यक्ष राजमणि सिंह क कहब अछि जे जिला स्कूल परिसर क 9025 वर्गफीट क कारपेट एरिया मे चारि मंजिला भवन क निर्माण कराउल जा रहल अछि आ भवन क नीचलका तल्ला क उपयोग बीएसइबी क कार्यालय क रूप मे कैल जाएत आ शेष तल्ला क उपयोग जिला स्कूल करत। प्रत्येक तल्ला पर परीक्षा भवन लेल 83 गुणा 39 वर्गफीट क हॉल बनत। सब तल्ला पर करीब 2000 छात्र कए परीक्षा देबा योग्य कोठली बनाउल जाएत। ज्ञात हुए जे भागलपुर मे क्षेत्रीय कार्यालय खुलला स पूर्णिया, कोशी आ भागलपुर प्रमंडल क नौ जिला क विद्यार्थी कए फायदा होएत। एहि ठाम 10वीं आ 12वीं क विद्यार्थी कए सर्टिफिकेट, माक्र्स सीट आदि प्रमाणपत्र आ डुप्लीकेट सर्टिफिकेट देल जा सकत। एकरा लेल आब पटना जेबाक मजबूरी खत्म भ जाएत।
समिति क अध्यक्ष क कहब अछि जे प्रत्येक साल डेढ़ स दू लाख बच्चा परीक्षा मे बढि रहल अछि। अगर एक हजार मे एक टा गडबड पाउल जाइत अछि त 1400 बच्चा क शिकायत क अतिरिक्त बोझ बिहार बोर्ड पर बढि जाएत अछि। भागलपुर मे क्षेत्रीय कार्यालय खुलला स इ बोझ कम भ जाएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर