• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

भागलपुर स उड़ान अगिला मास तक : कश्यप

May 14, 2013
in समाचार, साक्षात्‍कार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

बिहार मे हवाई सेवा पर इसमाद शुरू स नजरि रखने अछि। 2009 मे सबस पहिने इसमाद इ समाद देने छल जे स्प्रीट एयर दरभंगा आ पूर्णिया स सेवा शुरू करत। दरभंगा स त सेवा शुरू भेलाक संगहि बंद भ गेल आ पूर्णिया स चालू अछि। पिछला दू मास पूर्व भागलपुर स सेवा शुरू करबाक समाद भेटल आ कहल गेल जे स्काईफिशर 15 मई स इ सेवा शुरू करत। बिहार मे हवाई सेवा शुरू करबा मे भ रहल देरी पर इसमाद लेल कंपनीक महाप्रबंधक से विस्तार स गप केलथि अछि पत्रकार सुनील कुमार झा। प्रस्तुत अछि इसमाद लेल विशाल कश्यप स भेल खास गप-शप अंश। – समदिया

प्र. भागलपुर 15 मई स हवा मे सफर करबा लेल तैयार अछि, अहां तैया छी।
विशाल कश्यप : जी, तैयार त हमहुं सब छी, मुदा बिहार सरकार स एकटा महत्वपूर्ण कागज नहि भेटल अछि ताहि कारण स उड़ान मे विलम्ब भ रहल अछि। 15 मई स त नहि मुदा उम्मीद कैल जा सकैत अछि जे अगिला मास क पहिल वा दोसर सप्ताह स इ सेवा शुरू भ जाएत।

प्र. आखिर कोन एहन कागज अछि जे सेवा कए शुरू करबा मे बाधक बनल अछि।
विशाल कश्यप : कागज स्टेट हैंगर क उपयोग संबंधी अनुमति क अछि। पटना एअरपोर्ट पर जगह नहि भेटि रहल अछि, संगहि हैंगर क दिक्कत सेहो अछि। 9 मई कए हमरा सबकए चिट्ठी भेटि गेल छल जे हम सब एयर ओपरेशन क सकैत छी, मुदा अखन धरि हैंगर संबंधी चिट्ठी भेटल नहि अछि।

प्र. हवाई सेवा परिचालनक डेडलाइन कहिया धरि रखने छी
विशाल कश्यप : अखन धरि कोनो आधिकारिक घोषणा त नहि कैल गेल अछि, मुदा एहि मासक अंत बा जून क दोसर सप्ताह तक इ सेवा शुरू भ सकैत अछि।

प्र. मतलब हम सब तय मानि जे अगिला मास सेवा शुरू भ जाएत।
विशाल कश्यप : इ सब किछु बिहार सरकार आ एअरपोर्ट आॅथिरिटी पर निर्भर अछि, जेहन सहयोग हमरा सबहक हुनका सब स भेटत ओहिने सहयोग हम यात्री क देब। बिहार स विमान सेवा शुरू करब हमर व्यक्तिगत सपना अछि आ इ जल्द साकार होए बला अछि।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

प्र. भागलपुर क अलावा कोनो नव शहर स सेवा शुरू करबाक योजना अछि बा नहि।
विशाल कश्यप : एखन हम सब पटना, गया आ भागलपुर स सेवा शुरू क रह छी आ एहि शहर पर ध्यान केंद्रीत क रखने छी। एहि ठाम स नीक रिेस्पोंस भेटि रहल अछि। हवाई परिचालन शुरू भेला क छह मासक बाद हम आन शहर क बारे मे सोचब। अखन त खाली पटना, गया आ भागलपुर मोन मे अछि।

प्र. भागलपुर एयरपोर्ट क मरम्मत पूरा नहि भ सकल अछि, अखन धरि एहि एअरपोर्ट क एनओसी नहि भेटल अछि। सेवा मे देरीक इ कारण सेहो अछि की।
विशाल कश्यप : कहल जा सकैत अछि। भागलपुर एअरपोर्ट पर किछु काज बांकी अछि चाहरदीवारी क अनुमोदन सेहो भेट गेल छल आ जल्द एकर निर्माण शुरू भ जाएत। स्ट्रिप आ बाउंड्रीक काज एक बेर पूर्ण भ जाए तखन एनओसी सेहो भेट जाएत।

प्र. अहां सब कोन प्रकारक सेवा शुरू क रहल छी।
विशाल कश्यप : हमरा सब कए त नॉन शिड्यूल क लाइसेंस भेटल अछि, मुदा हम सब एकरा नियमित रूप स भोर आ साँझ शुरू करबाक तैयारी मे छी। राति मे सेहो कार्गो सेवा पर विचार भ रहल अछि। एकर अलावा इमरजेंसी मे कियो विमान किराया पर लेत त हुनका सेहो उपलब्ध भ जाएत।

प्र. किराया सब तय भ गेल।
विशाल कश्यप : नहि यउ, अखन कोनो फाइनल फैसला त नहि भेल अछि मुदा तखनो भागलपुर स पटना क किराया 2 स 3 हजार तक रहत, वाराणसी स गया 4 हजार तक रहत, आ वाराणसी स पटना साढ़े तीन हजार तक रहत।

प्र. गप करबा लेल धन्यवाद।
विशाल कश्यप : अहूं कए धन्यवाद।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

जर्मनीक स्कूल मे पढाउल जाएत दरभंगाक अमितक किताब

कनाडा आ बांग्लादेश निर्यात होएत दरभंगा मे बनल हाइड्रोलिक जैक

Esamaad Epaper Website

बिहार मे गुजरात स बेसी मोबाइल उपभोक्ता

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि