• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

भूदान क 2 लाख 77 हजार एकड़ जमीन लापता

June 10, 2013
in समाचार
A A
58
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

भूमिहीन कए भेटल 2 लाख 60 हजार एकड़ क पर्चा
पर्चाधारी डेढ़ लाख परिवार कए नहि भेटल जमीन पर हक

नर्मदा कुमारी
पटना : भूदान क जमीन पर दबंग क कब्जा बरकरार अछि, मुदा ओहि स बेसी गंभीर सवाल अछि जे आखिर भूदान क जमीनक खाता सरकार लग किया नहि अछि। बिहार राज्य भू-दान कमेटी क अध्यक्ष शुभमूर्ति सेहो एहि गप स सहमत छथि। हुनकर मानि त आब मात्र पांच-छह सौ एकड़ भूमि बांटबा लेल बचल अछि। ज्ञात हुए जे राज्य मे भू-दान क तहत 6 लाख 48 हजार एकड़ भूमि उपलब्ध कराउल गेल छल। जाहि मे दरभंगा महाराज डा कामेश्वर सिंह असगर 51 हजार एकड जमीन दान केने छलाह। कुल भूदानक जमीन मे स 2 लाख 60 हजार एकड़ भूमि क पर्चा भूमिहीन कए देल जा चुकल अछि। जखन कि तीन लाख 80 हजार एकड़ भूमि क संबंध मे स्पष्ट जानकारी सरकार लग नहि अछि। सरकारक कहब अछि जे दाता ओहन जमीन सेहो दान देने छथि जे नदी, नाला आ पहाड़ अछि। सरकारक एहि दावा क बावजूद प्राप्त जानकारी क अनुसार तीन लाख 80 हजार मे स एखन तक केवल एक लाख तीन हजार एकड़ भूमि क संपुष्टि सरकार क सकल अछि, भूदान क 2 लाख 77 हजार एकड़ जमीन एखनो लापता अछि। ओना तत्कालीन भूमि सुधार आयोग क अध्यक्ष डी बंद्योपाध्याय सेहो अयोग्य भूमि क सर्वे क अनुशंसा केने छलाह, मुदा सरकार इ नहि करा सकल अछि। दोसर दिस भू-दान कमेटी क अध्यक्ष क अनुसार पर्चा रहबाक बावजूद प्रदेश मे डेढ़ लाख परिवार एखनो बेघर अछि। ज्ञात हुए जे एखन धरि भू-दान क वितरण योग्य दो लाख 60 हजार एकड़ भूमि कए साढ़े तीन लाख परिवार मे बांटल गेल अछि, मुदा पर्चा भेटलाक बावजूद डेढ़ लाख परिवार कए एखन धरि जमीन पर कब्जा नहि भेट सकल अछि। इ स्थिति शहरी आ ग्रामीण क्षेत्र मे समान रूप स अछि। आधिकारिक सूत्र क अनुसार सासाराम, गया, मधेपुरा, कटिहार आ चंपारण क ग्रामीण इलाका मे भू-दान क सर्वाधिक जमीन अतिक्रमण क चपेट मे अछि। ओतहि राजधानी पटना क कुम्हरार आ गंगा क कछैर क भूदान क जमीन पर अवैध कब्जा क नव भवन क निर्माण कैल जा रहल अछि। बिहार राज्य भू-दान कमेटी क अध्यक्ष शुभमूर्ति त प्रदेश कांगे्रस कार्यालय सदाकत आश्रम पर सेहो करीब एक एकड़ जमीन कब्जा करबाक आरोप लगा देलथि अछि। सवाल अछि भूदान क ओ जमीन जे भूमिहीन लेल दान कैल गेल अछि ओहि जमीन पर कौन जमींदार क कब्जा अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
Share58TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

सरकार केलक देशरत्न क घोर उपेक्षा

Esamaad Epaper Website

जून 2014 स भेटत नवीनगर स बिजली

Esamaad Epaper Website

केंद्र करत देरी त बिहार अपन टका स बनाउत दीघा रेल पुल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि