• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

भूस्सी स आधा दर्जन गांव भेल रोशन

September 22, 2009
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

samaad18
बगहा/पटना। पिछला साल पांचम अंक में इ समाद अहां लोकनि तक पहुंचल छल जे भूस्सी भगाउत बिहारक अनहार। आइ इ सपना करीब-करीब पूरा भ रहल अछि। करीब दू साल पहिने धनहा क तमकुहा मे धान क भूस्सी स बिजली बनेबा लेल शुरू भेल कवायद रंग पकडि़ चुकल अछि। एहि दू साल मे गंडक दियारा क आधा दर्जन गांम दौनाहा, धनहा, मधुबनी, रूपही, मलाही आ कोइरपट्टी मे सेहो धान क भूस्सी स बिजली बनेबाक प्लांट लगाउल जा चुकल अछि। एहि प्रकार स आइ इलाका क करीब साढ़े तीन हजार घर रोशनी स जगमगा रहल अछि।
पिछड़ापन आ दुरुह भौगोलिक बनावट क दंश झेल रहल दियारावासी कए इ प्लांट मानू नवजीवन द देलक अछि। ओ आइ शान स अपन घर मे केवल बल्ब क प्रकाश नहि, बल्कि पंखे क हवा आ टेलीविजन पर सुर-संग्राम क लुत्फ सेहो उठा रहल छथि। सबस पैघ गप, हुनकर विद्युत आपूर्ति बाधित नहि होइत अछि।
मजा क गप कि जे एहि साल जखन प्रकृति मुंह फेरलक त धनहा क दर्जन भरि किसान क धान क बिचड़ा बचेबा लेल पाइन चलेबा लेल एहि प्लांट स मुफ्त बिजली उपलब्ध कराउल गेल। एतबे नहि,ब्याह क आयोजन मे सेहो प्लांट स मुफ्त बिजली सप्लाई कैल जाइत अछि।
सिताब दियारा क किसान सुरेश शर्मा समाद स कहलथि जे धान क पीअर बिआ देखि कए छाती फाटत रहे त फ्री मे हमरा सब कए पाइन इ प्लांट स पाटाइल। इ हमरा लोकनि कए क्षेत्र मे भगवान क वरदान अछि। सुविधा शुल्क क गप करि त उपभोक्ता कए नियमित छह घंटा बिजली आपूर्ति क एवज मे प्रति यूनिट चालीस रुपए मासिक लगैत अछि।
बभनी क जोड़ा चौरसिया, सरल चौरसिया हो या फेर शंभू साह। सबहक दिल मे आइ उमंग दिखल जा रहल अछि, जेकरा ओ शहर गेलाक बाद देखिकए सपना क दुनिया मे चलि जाइत छलाह। धनहा गाम क गोबरी गिरि क मानी त ‘आब बिटिया क बिआह मे जेनरेटर क साटा नहि बांध कए पड़ल। राति भरि चकाचक लाइट जरल, उहो बिना टका कए।Ó
जहि गाम में एहि प्लांट स बिजली आपूर्ति भ रहल अछि, ओहिठामक लोक एहि पहल कए ऊर्जा क्रांति स जोडि़कए देखि रहल छथि। समता समृद्धि फाउंडेशन आ हस्क पावर सिस्टम क बैनर तले धान क भूस्सी स बिजली बनेबाक इ कवायद मझौलिया निवासी ज्ञानेश पांडेय अपन दोस्त रत्नेश कुमार क संग मिलकए शुरू केने छलाह। आइ हुनकर संग मनोज सिन्हा आ विदेशी मित्र चाल्र्स रैनसलर सेहो जुडि़ गेलथि अछि।
32000 वाट बिजली पैदा करैय वाला एहि एक प्लांट कए चलेबा मे प्रति घंटा मात्र 50 किलो धान क भूस्सी क जरूरत होइत अछि। फाउंडेशन 2009 क अंत तक एहन बीसटा प्लांट लगेबाक प्रयास मे लागल अछि। दौनाहा प्लांट क चालक राजेश कहैत छथि जे प्रतिदिन छह घंटा प्लांट चलेबा लेल करीब साठि टका क भूस्सी क आवश्यकता अछि। भूस्सी जडि़ कए गैस बनिकए विद्युत मे परिवर्तित होइत अछि।
फाउंडेशन क निदेशक आ ज्ञानेश पांडेय क मित्र रत्नेश कुमार क मानी त संस्था वर्ष 2014 तक देश क विभिन्न हिस्सा मे धान क भूस्सी स चालित 2014 प्लांट लगेबाक लक्ष्य रखने अछि। रत्नेश क अनुसार 2010 तक 50 आ 2011 तक दू सौ प्लांट विभिन्न हिस्सा मे लगाउल जाइत। दियारा क बाद नक्सल क्षेत्र क गाम मे सेहो एहि योजना क लाभ पहुंचबाक कवायद शुरू भेल अछि। ओ कहलथि जे भारत सरकार क ऊर्जा संरक्षण विभाग क दिस स समय-समय पर एकरा लेलसहायता राशि प्राप्त भ रहल अछि, जेकर बदौलत सेवा क विस्तार कैल जा रहल अछि।

Tags: BaghaBiharBurntfirehusklosspatnavillage

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

दुष्कर्म करि महिला कए जरा देनिहार मनसे नेता छथि

दिसंबर स मूर्त रूप लेत इन्द्रपुरी जल विद्युत परियोजना

मारीशस मे खुलत सीआईएमपी क सेंटर

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि