• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

मंजूर भेल बिहारक सबसे पैघ योजना आकार

February 16, 2011
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018


नई दिल्ली । योजना आयोग बिहार क लेल 2011-12 मे 24,000 करोड़ टकाक वाषिर्क योजना क प्रस्ताव कए मंजूरी द देलक। इ वाषिर्क योजना मौजूदा वित्त वर्ष क लेल स्वीकृत योजना क तुलना मे 20 प्रतिशत अधिक अछि। योजना आयोग क उपाध्यक्ष मोंटेक सिहं अहलूवालिया आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क बीच करीब ढाई घंटा चलल बैठक मे इ निर्णय लेल गेल। बैठक मे आयोग क सदस्यगण, उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी आ प्रदेश सरकार क वरिष्ठ अधिकारी शामिल छलाह। अहलूवालिया राज्य सरकार क प्रदर्शन कए कुल मिलाकए बेहतर कहलाह। ओ कहला जे कृषि, शिक्षा आ अन्य क्षेत्र मे राज्य सरकार नीक काज केलक अछि, मुदा ऊर्जा क्षेत्र मे एहन बहुत किछु करबाक जरूरत अछि। ओ कहला जे आयोग ऊर्जा क्षेत्र मे सुधार क लेल वीके शुंगलू समिति गठित केने अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे राज्य योजना पर आयोग क संग गप उपयोगी रहल। अगिला वित्त वर्ष क लेल मंजूर 24,000 करोड़ मे राज्य सरकार क योगदान पहिने स काफी बढ़ल अछि। एहिमे राज्य सरकार अपन बचत स 41 प्रतिशत राशि उपलब्ध कराउत, 27 प्रतिशत राशि उधारी क जरिए जुटाउल जाएत जखनकि केन्द्रीय सहायता स 32 प्रतिशत राशि भेटत। राज्य सरकार क बेहतर वित्तीय प्रबंधन क जिक्र करैत ओ कहला जे जतए वर्ष 2004-05 मे वाषिर्क योजना बजट मे केन्द्रीय सहायता 70 प्रतिशत तक रहैत छल, ओतहि आब इ सहायता घटिकए 32 प्रतिशत रहि गेल अछि। छह साल पहिने राज्य क अपन बचत आ संसाधन जतए 9.26 प्रतिशत तक छल, वर्तमान मे इ राशि 40 प्रतिशत तक पहुंच गेल अछि। नीतीश कहला जे वर्ष 2002 मे केन्द्र सरकार पिछड़ा क्षेत्र क विकास क लेल राष्ट्रीय श्रम विकास योजना शुरू केने छल। ओहि मे कईटा परियोजना क क्रियान्वयन मे देरी स परियोजना क लागत बढ़ि गेल अछि। इ मुद्दा कए हम आयोग क समक्ष उठेलहुं। ओे कहला जे एहि मे 3100 करोड़ तक लागत बढल अछि। आयोग क समक्ष इ मांग कए राखल गेल अछि। एहि दिशा मे गप भ गेल अछि आ उम्मीद अछि जे ओ राशि सेहो भेट जाएत। एखन आयोग 1450 करोड़ एहि लेल उपलब्ध करा रहल अछि। बिजली क्षेत्र मे राज्य क प्रयास क बारे मे नीतिश कहला जे राज्य सरकार ऊर्जा क्षेत्र पर ध्यान केन्द्रित करि रहल अछि। राज्य मे कांटी आ बरौनी मे ताप विद्युत परियोजना क विस्तार कैल जा रहल अछि। एनटीपीसी क संग संयुक्त उपक्रम क तहत नवीनगर मे 660 मेगावाट क तीनटा इकाई लगाउल जा रहल अछि। राज्य मे दीर्घकालिक आधार पर 450 मेगावाट विद्युत प्राप्ति क योजना अछि आ एकर संगहि 660 गुणा दू मेगावाट क तीनटा इकाई क लेल स्थल विकसित करबाक योजना अछि। नीतीश एक बेर फेर कहला जे केन्द्रीय प्रायोजित योजना क संख्या कम हेबाक चाही। केन्द्र कए राज्य क ओकर योजना क लेल सीधा सहायता उपलब्ध करेबाक चाही। ओ कहला जे इ राष्ट्रीय विकास परिषद क पुराना प्रस्ताव अछि। ओ कहला जे बिहार क अर्थव्यवस्था हाल क वर्ष मे तेजी स आगू बढल अछि। वर्तमान मूल्य पर राज्य क सकल घरेलू उत्पाद 2005-06 आ 2009-10 मे 14.7 प्रतिशत रहल अछि। वर्ष 2005-06 मे राज्य क प्रति व्यक्ति वाषिक आय 7659 टका छल जे कि 2009-10 मे 51 प्रतिशत बढिकए 11,558 टका तक पहुंच गेल अछि।

Tags: bihar governmentdelhiनई दिल्लीनीतीशबिहार
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

बिहार कए केंद्र स चाही 20,000 करोड़

Esamaad Epaper Website

डॉ. नित्यानन्द लाल दास कए भेटल साहित्य अकादेमीक मैथिली अनुवाद पुरस्कार

Esamaad Epaper Website

अगिला साल तक होएत निर्मली-लौकहा खंड क आमान परिवर्तन

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

by संपादक
February 23, 2019
1

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि