पटना। मॉरीशस अपन कलाकार आ कला शिक्षक कए प्रशिक्षित करवाक लेल प्रसिद्ध मधुबनी पेंटिंग क दू टा विशेषज्ञ कए आमंत्रित कएला अछि। इ विशेषज्ञ चार नवंबर स शुरू भ रहल कार्यशाला मे प्रशिक्षण देएत।
एक अधिकारी इ जानकारी देलक कि मॉरीशस क युवा, खेल, कला आ संस्कृति मंत्रालय क तहत चल वाला रबींद्रनाथ टैगोर संस्थान क प्रख्यात डिजाइनर अमिताभ पांडे आ अंतरराष्ट्रीय ख्याति प्राप्त मधुबनी पेंटर दिवंगत यशोदा देवी क बेटा मधुबनी पेंटर राज कुमार कए आमंत्रित कएने छलि। सोलह दिवसीय कार्यशाला मे मॉरीशस क कलाकार आ कला शिक्षक कए प्रशिक्षित कएल जाएत। विभाग क एक अधिकारी कहला जे मॉरीशस कलाकार आ कला शिक्षक कए प्रशिक्षित करवाक लेल बिहार स मधुबनी पेंटिग क दू टा विशेषज्ञ कए आमंत्रित कएल गेल छलि।
मॉरीशस कए बिहार क साथ मजबूत सांस्कृतिक संबंध अछि। मॉरीशस मे रह वाला ज्यादातर लोग क पूर्वज कए भूमि बिहार स अछि। पिछला साल मॉरीशस क प्रधानमंत्री नवीनचंद्र रामगुलाम सेहो अपन बिहार दौरा क समय भारत क साथ नजदीकी सांस्कृतिक संबंध बनाव पर जोर देने छएला।
मॉरीशस कए 12 लाख क आबादी मे स 60 प्रतिशत लोग भारतीय मूल क अछि। एहि मे स ज्यादातर लोग बिहार क अछि आ हुनकर मातृभाषा भोजपुरी अछि।