• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मधुबनी मे खुलत बिहार क पहिल निजी विश्‍वविद्यालय

April 23, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

भवनाथ-वेदमती चौधरी कॉलेज ऑफ एजुकेशन स होएत शुरुआत

पटना । बिहार क पहिल निजी विश्‍वविद्यालय मधुबनी मे खुलत। एहि संभावना कए बिहार क राज्‍यपाल डीवाई पाटिल पुष्‍ट क देलथि अछि। राज्‍य सरकार राज्‍य मे निजी विश्‍वविद्यालय खोलबा संबंधी विधेयक कए पास क देलक अछि। विधेयक राजभवन मे मंजूरी लेल गेल अछि। सरकारक एहि फैसलाक बाद इ चर्च क विषय छल जे राज्‍यक पहिल निजी विश्‍वविद्यालय कोन ठाम खुलत। एहन मे राज्‍यपालक इशारा स साफ भ गेल जे बसैठ चानपुरा निवासी संत कुमार चौधरी ओ पहिल व्‍यक्ति हेताह जे बिहार मे निजी विश्‍वविद्यालय खोलताह। राजस्‍थान में सक्रिय शंकर ग्रुप आफ एजुकेशन बहुत दिन स मिथिला मे निवेशक प्रयास क रहल छल। प्राइवेट यूनिवर्सिटी कए मंजूरी भेटलाक बाद शंकर ग्रुप मधुबनी मे विश्‍वविद्यालय स्‍थापित करबा लेल गंभीर प्रयास शुरू केलक। मधुबनी ओकर शुरू स प्रिय जगह रहल अछि। कारण साफ अछि जे शंकर ग्रुप क संस्‍थापक संत कुमार चौधरी मधुबनी क बसैठ चानपुरा क रहनिहार छथि। योग गुरु धरेंद्र ब्रहमचारी क गाम बसैठ चानपुरा एक बेर फेर एहि कारण स चर्चा मे आबि गेल अछि। श्री चौधरी जयपुर आ ओकर आसपास कईटा इंजीनियरिंग आ मैनेजमेंट कालेज क स्‍थापना केने छथि, मुदा मधुबनी मे विश्‍वविद्यालय खोलब हुनक सपना अछि। श्री चौधरी कए पिछला साल राष्‍ट्रपति प्रणब मुखर्जी शिक्षा क क्षेत्र मे योगदान लेल दिनकर पुरस्‍कार स सम्‍मानित केने छलाह। ज्ञात हो जे संत कुमार चौधरी मधुबनी मे विश्‍वविद्यालय स पूर्व भवनाथ-वेदमती चौधरी कॉलेज ऑफ एजुकेशन खोलबाक काज शुरू क चुकल छथि पूर्व राष्ट्रपति प्रतिभा देवी सिंह पाटिल राष्ट्रपति भवन क दरबार हॉल मे मधुबनी स्थित भवनाथ-वेदमती चौधरी कॉलेज ऑफ एजुकेशन क सांकेतिक शिलान्यास केने छलीह। महामहिम एकर संगहि चानपुरा (मधुबनी) स्थित कृषि विज्ञान केन्द्र क नव निर्मित प्रशासनिक आ प्रशिक्षण भवन क सेहो सांकेतिक उदघाटन केने छलीह। एहि अवसर पर स्व. भवनाथ चौधरी क प्रतिमाक अनावरण सेहो महामहिम राष्ट्रपति क हाथ स भेल छल। एसके चौधरी शिक्षा न्यास क अध्यक्ष संत कुमार चौधरी क कहब अछि जे अहाँ सभहक सहयोग स न्यास दिनोदिन शिक्षा क क्षेत्र मे प्रगति क रहल अछि। चौधरी जानकारी दैत कहला जे ट्रस्ट दिस स देश क विभिन्न हिस्सा मे 47टा शिक्षण संस्था कार्यरत अछि। एहि मे इंजीनियरिंग, प्रबंधन आ सामान्य शैक्षणिक संस्थान शामिल अछि। जल्द एकर संख्या सौ पार भ जाएत। शंकरा ग्रुप आफ एजुकेशनक चेयरमैन कहला जे बिहार मे बीएड शिक्षक लेल कालेजक अभाव कए देखैत भवनाथ वेदमती चैधरी बीएड कालेज कए एहि सत्र स शुरू करबाक लेल तेज गति स काज कैल जा रहल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

 

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

सैलूनक फोटो स संतोष केलक पूर्व मध्य रेलवे

डीएमसीएच मे खुलल बिहारक पहिल मॉडलर ओटी

Esamaad Epaper Website

मैथिली आ भोजपुरी में जारी भेल श्रीगीत

Comments 5

  1. Rakesh Kumar says:
    12 years ago

    Der aayad, durusta aayad 🙂

    Reply
  2. Santoshi Kumar says:
    12 years ago

    Sukhad samachar!

    Reply
  3. Dayakant says:
    12 years ago

    Sri Sant Choudhary jee ke bahut bahut dhanyabad. Mithilak vikas takhne hoyat jakhan maithil khud aagu etah, Kihak te mithila suru se upekshak ke shikar rahi chukal achhi.

    Reply
  4. Dr. Shashidhar says:
    12 years ago

    Bahut neek, swaagat yogya samaad.

    Aashaa achhi je ehi thaamak dhiyaa – putaa ken bhavishya me aan state jaa ka appan baap – daadaa ker mehnatak kamaai phenki ka shiksha ker bheekh nai maanga partaik.

    Reply
  5. Prakash Kumar Jha says:
    12 years ago

    Bahut neek samaad.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि