पटना: एनडीए आ एनए कए परीक्षार्थी लेल एगो बढ़िया खबरि आबि रहल अछि. मध्य रेलवे कहलक अछि जे राष्ट्रीय रक्षा अकादमी (एनडीए) आ नौसैनिक अकादमी (एनए) कए परीक्षार्थी लेल 23 टा रुट पर पर चारि स’ छह सितंबर धरि स्पेशल ट्रेन चलाओल जायत.
एगो वक्तव्यमे मध्य रेलवे कहलक जे हरेक स्पेशल ट्रेन दू बेर यात्रा करत. सीएसएमटी-सावंतवाड़ी रोड विशेष ट्रेन चारि यात्रा करत. विशेष ट्रेन सोलापुर-मुंबई, पुणे-मुंबई, अहमदनगर-मुंबई, नासिक रोड-मुंबई, भुसावल-मुंबई, मुंबई-सावंतवाड़ी रोड, पुणे-हैदराबाद, कोल्हापुर-नागपुर, पुणे-नागपुर आ मुंबई-नागपुरक बीच चलत.
एकर अलावा नासिक रोड-नागपुर, अमरावती-नागपुर, जलगांव-नागपुर, अकोला-नागपुर, अहमदनगर-नागपुर, पनवेल-नागपुर, बलारशाह-नागपुर, पुणे-अहमदाबाद, मुंबई-मिराज-मडगांव, कोल्हापुर-मडगांव, कोल्हापुर-धारवाड़, पुणे-धारवाड़ आ मुंबई-हैदराबादक बीच विशेष ट्रेन सेवा संचालित होयत.
मध्य रेलवे कहलक जे स्पेशल ट्रेन पूरा तरहे आरक्षित होयत. रेलवेक अनुसार एकरा लेल बुकिंग चारि सितंबरके सांझ छह बजे स’ शुरू भ’ चुकल अछि. कंप्यूटरीकृत आरक्षण केंद्र आ ऑनलाइन माध्यम स’ टिकट बुक कराओल जा सकैत अछि. रेलवे यात्री लोकनि स’ अपील कयलक अछि जे एहि विशेष ट्रेनमे कोविड-19 ker दिशा निर्देशक पालन करैत मास्क लगा क’ और सामाजिक दूरी बनओने राखि क’ यात्रा करय.
एम्हर रेलवे बिहारमे दू स’ 15 सितंबर धरि स्पेशल ट्रेन चला रहल अछि. रेलवे नीट आ जेईईक अभ्यर्थीके परीक्षा वला दिन मुंबईमे विशेष उपनगरीय सेवाक लाभ उठयबाक अनुमति देबाक एक दिन बाद बिहारमे एहि परीक्षामे शामिल होमयवलाक सुविधा लेल दू स’ 15 सितंबर धरि 20 जोड़ी विशेष ट्रेन चलयबाक फैसला कयलक.