• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home संपादकीय

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

नेता अगर काज करनिहार हो, ओकरा लग दृष्टि आ लक्ष्य हो त काज कोना होइत छै, एकर उदाहरण अछि इ परियोजनाक पूरा होएब.

September 8, 2020
in संपादकीय
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

प्रीतिलता

करीब चारि दशक पूर्व कोनो योजनाक शिलान्यास भेल हो, मुदा काज जमीन पर कतहु देखा नहि रहल हो, राजनीतिक चर्च स गायब भ चुकल हो आ जनमानस सेहो ओकरा मरल मानि चुकल हो, एहन मे अगर नव लक्ष्य तय क योजना कए लक्ष्य स एक वर्ष पूर्व तैयार क लेल गेल, सेहो कोरोना काल में..त निश्चित रूप स इ विभागक बदलल कार्यशैली कए देखा रहल अछि. मन मे सवाल उठैत अछि जे इ सब कोना संभव भेलैय. विभागीय मंत्री स पूछबा लेल मैथिली गजल क इ पाति उपयुक्त बुझा रहल अछि -कोनो टोना भलै कि छू मंतर,लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

 

किछु कहां बदललै, वैह विभाग छै, वैह अधिकारी, वैह योजना आ वैह बजट. फेर इ संभव कोना भेल. एकटा मंत्री. जी हां, एकटा मंत्री. नेता अगर काज करनिहार हो, ओकरा लग दृष्टि आ लक्ष्य हो त काज कोना होइत छै, एकर उदाहरण अछि इ परियोजनाक पूरा होएब. अहांक मन मे इ सवाल उठि सकैत अछि जे एकटा परियोजना छल, पूरा भ गेल. एहि मे कोन बडका गप. मुदा इ आम परियोना नहि छल. बांध आ नहर मिथिलाक राजनीति कए 1952 स प्रभावित करैत आयल अछि. विज्ञानक संग समाज सेहो मानैत अछि जे बिना नहर क बांध लाभ कम विनाश बेसी करैत अछि. एहन मे अगर बांध बनलाक 40 साल बाद कोनो नहर निर्माणक काज पूरा होइत अछि त इ सवाल उठबाक चाहि जे एकरा बनबा मे कि दिक्कत छल जे 40 साल लागि गेल. पिछला 40 साल मे इलाकाक विनाश हमरा अहां स नुकायल नहि अछि.

 

दोसरसमाचार

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019
चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

September 28, 2019

संजय झा नागिरक उड्डयन मंत्री नहि छथि, संजय झा स्वास्थ्य मंत्री या कला संस्कृति मंत्री सेहो नहि छथि. संजय झा नीतीश कैबिनेट मे सबस हाल फिलहाल मे बनल जल संसाधन मंत्री छथि. 2019 मे लोकसभा चुनाव क बाद हुनका इ पद भेटल. एहन मे विभागीय मंत्रीक रूप मे संजय झाक समीक्षा आ परीक्षा दूनू लेल महज एक वर्ष क समय अछि.यैह कारण अछि जे संजय झाक चर्चा हुनकर विभागीय काज स बेसी दोसर विभाग मे हुनकर हस्तक्षेप पर होइत अछि. जेना दरभंगा एयरपोर्ट, दरभंगा एम्स आ मिथिला हाट. इ तीनू परियोजना हुकर विभाग स संबंधित नहि अछि. एकर अलावा संजय झाक चर्चा एहि लेल सेहो होइत अछि जे नीतीश कुमार हुनका पार्टीक आइटी विभाग क काज मे लगौने छथि. कतहु नहि कतहु एहि तरहक चर्चा में हुनकर अपन विभाग आ असली काज पर चर्चा हेरा जाइत अछि. लोकक ध्यान ओहि दिस कम जाइत छै.

 

मुदा एहि पर चर्च हेबाक चाही, किया त मिथिला मे बाढि आ बांध राजनीतिक संग संग सामाजिक बदलाव सेहो केलक आ चारि-पांच दशक स इ परियोजना राजनीतिक चर्चा क क्रम मे सबस पैघ सपना कहल जाइत रहल. आइ अगर इ सपना जमीन पर उतरल त एकर समीक्षा स परहेज किया. 26 अगस्त कमलाक कछैर मे बसल लोक लेल मुक्ति पर्व जेकां छल, मुदा ओहि तरहक लोक मे उत्साह नहि देखबा लेल अगर भेटल त ओकर एकटा कारण एहि परियोजनाक पूरा भ जायब, एकटा अविश्वासनीय सूचना अछि. मुख्यमंत्री  नीतीश कुमार जखन 26 अगस्त कए जल संसाधन विभाग क 23टा योजनाक उद्घाटन केलथि त ओहि मे एकटा इ 40 साल स निर्माणाधीन झंझारपुर शाखा नहर सेहो शामिल छल.

 

कारण जे रहल हो, लेकिन इ सच छै जे पूर्वी कोसी नहर परियोजना जेबका तेजी स तैयार भेल, ओतबे शिथिल पश्चिमी कोसी नहर परियोजना कए राखल गेल. कई दशक पहिने शुरू भेल इ योजना एखनो पूरा नहि भ सकल अछि. पिछला 40-50 साल मे अगर किछु निर्माण कहबा लेल भेलो, त वो अनुपयोगी भ रहि गेल. एहि परियोजना क अधीन झंझारपुर शाखा नहर सेहो छल. जे पश्चिमी कोसी मुख्य नहर क बिंदु दूरी 69.00 स निकलैत अछि. एकर कुल लंबाई 42.07 किमी अछि. मतलब लगभग हर साल औसतन एक किमी नहरक निर्माण भेल. इ देखा रहल अछि जे एहि परियोजना कए पूरा करब पूर्व सरकार, विभाग या मंत्री तीनूक लक्ष्य नहि छल.आब एहि स त मुकरल नहि जा सकैत छै जे संजय कुमार झा क जल संसाधन मंत्री बनलाक बाद एहि दिशा मे प्रगति भेल.

 

आखिर 33.94 करोड़ टकाक लागत स झंझारपुर शाखा नहर क अवशेष आ पुनर्स्थापन दूनू काज दिसंबर 2019 मे प्रारंभ भेल. एकर 2021 क मध्य मे पूरा हेबाक लक्ष्य राखल गेल. मुदा मार्च मे कोरोना काल एलाक बाद बुझा रहल छल जे इ लक्ष्य एकटा चुनावी जुमला बनि रहि जायत. अविश्वासनीय रहल जे कोरोना काल मे निर्धारित समय स लगभग एक वर्ष पूर्वहि रिकार्ड अवधि मे परियोजना क एहि हिस्सा कए पूरा क लेल गेल.  झंझारपुर शाखा नहर आ एहि स निःसृत खैरी आ डुमरियाही उपवितरणी मे विद्यमान चौर मे काज करा देल गेल अछि. झंझारपुर शाखा नहर क पुनर्स्थापन क कार्य सेहो पूरा भ चुकल अछि.  एहन धरि मंच स सुनैत रही जे एहि नहर प्रणाली स करीब 33,000 हेक्टेयर मे सिंचाई सुविधा उपलब्ध होएत, आइ ओ भ गेल. मधुबनी जिला क बाबूबरही, अंधराठाढ़ी, झंझारपुर, लखनौर आ मधेपुर प्रखंड क किसान कए खेत तक जल पहुंचल. इ काज एतबा आसान छल त एतेक दिन भेल किया ने, पूर्व सरकार आ नेता कए करबा इच्छा नहि छल या सपना कए जमीन पर अनबाक सामर्थ नहि छल. ताहि लेल त संजय झा स इ सवाल दोहरा रहल छी- कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

Tags: BiharKoshi KosiSanjay Jha
ShareTweetPin

Related Posts

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

हिंदुत्व स बंधुत्व कए हटेबा लेल तैयार नहि भेल दिल्ली‍

February 11, 2020
झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

झूठ साबित भेल मंदिर तोडबाक आरोप, चलत मस्जिद तोडबाक मुकदमा

November 11, 2019
इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

इसमादक 10 साल : एकटा पैघ लकीर खींचबाक खिस्‍सा

November 9, 2019
चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

चीनक बच्‍चा भारतक इम्‍फोसिस देख रहल अछि आ भारतक बच्‍चा कए देखाउ जा रहल अछि पाकिस्‍तानक मदरसा

September 28, 2019
Esamaad Epaper Website

कांग्रेस आइ बिहार मे हीरो अछि

May 23, 2019

गुरु क प्रकाश स उदित भेल बुद्धक बिहार

January 7, 2017
Next Post
दरभंगाक आसमान में 57 साल बाद देखल गेल कोनो यात्री विमान, स्पाइसजेट केलक एयरपोर्टक मुआयना

दरभंगाक आसमान में 57 साल बाद देखल गेल कोनो यात्री विमान, स्पाइसजेट केलक एयरपोर्टक मुआयना

नीतीशक जिद, मोदीक निर्णय आ संजयक प्रयास क परिणाम थीक दरभंगा एम्स

नीतीशक जिद, मोदीक निर्णय आ संजयक प्रयास क परिणाम थीक दरभंगा एम्स

खत्म भेल 86 साल क इंतजार, PM Modi केलथि Kosi Rail Mega Bridge क शुभारंभ

खत्म भेल 86 साल क इंतजार, PM Modi केलथि Kosi Rail Mega Bridge क शुभारंभ

टटका समाचार

How to Increase Download Speed in uTorrent by Changing Few Settings

How to Stay Anonymous with VPN for uTorrent

Make uTorrent Faster 8 Proven Tips Latest Guide

How to decrease or reduce the upload speed in uTorrent

Run uTorrent on Windows 10 or 11 DEV Community

What is Seeding in Torrenting? Torrent Seeding Explained

Why is bittorrent slow from my home computer?

Download files quickly and easily with uTorrent

How to Install uTorrent Web on Windows? GeeksforGeeks

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि