फुलवारीशरीफ। महावीर कैंसर संस्थान कए नव वर्ष मे एकटा नव तोहफा भेटल। एहि संस्थान मे कैंसल इलाज क लेल एकटा अत्याधुनिकमशीन भारतीय मूल क एकटा अमेरिकी वैज्ञानिक डा. प्रीतम कुमार तोहफा मे देलथि अछि। संस्थान मे आब हाइपरथर्मिया तकनीक स कैंसर क इलाज कएल जाएत, जेकर कीमत 50 लाख टका स बेसी अछि। एहि पद्धति स इलाज मे मरीज क कैंसरग्रस्त गांठ कए इलेक्ट्रोड क माध्यम स 44-45 डिग्री तक गर्म कएल जाइत अछि। एकर बाद रेडियोथेरैपी आ कीमोथेरैपी देल जाइत अछि। एहि पद्धति स कएल गेल इलाज मरीज कए अधिक लाभ देइत अछि। एहि पद्धति स रोगी क पूरा शरीर क तापमान बढ़बाक बजाय केवल रोगग्रस्त हिस्से क तापमान बढ़ैत अछि। रक्त नलिका मे ऑक्सीजन क मात्रा बढि़ जाइत अछि आ रक्त संचार सेहो तेज भ जाइत अछि। एहि स कीमोथेरेपी आ रेडियोथेरेपी क ज्यादा प्रभाव होइत अछि। एकरा संग संस्थान मे एकटा नव अध्याय क शुरुआत भेल। अखनि धरि इ मशीन देश मे केवल मुंबई क नानावती अस्पताल मे अछि। विश्व मे केवल जापान मे एहि मशीन स कैंसर क इलाज होइत अछि। वैज्ञानिक डा. प्रीतम सात दिन एहि ठाम रहि कए महावीर कैंसर संस्थान क दू टा चिकित्सक डा. विनीता द्विवेदी आ डा. मनीषा सिंह कए मशीन स इलाज क प्रशिक्षण सेहो देलथि। ओ संस्थान क निदेशक स वादा केलथि जे ओ हमेशा एहि संस्थान कए सहयोग करताह। मालूम हुए जे चेन्नई क टी.नगर निवासी डा. प्रीतम कुमार कैलिफोर्निया विश्वविद्यालय मे वैज्ञानिक छथि।