• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मासक अंत तक भ जाएत पावर ग्रिड संग संयुक्त उद्यम क स्थापना

September 11, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना। भोज बेर मे कुम्‍हर रोपबाक आरोप स बचबा लेल बिहार सरकार पावरग्रिड संग मिल कए एकटा संयुक्त उद्यम क स्थापना एहि मासक अंत तक क लेत। बिजलीक गंभीर संकट स गुजरि रहल बिहार कए अगिला दू साल बाद मांग स बेसी बिजली उपलब्‍ध भ जाएत, मुदा बेहतर ट्रांसमिशन लाइंस नहि रहबाक कारण स बिजली उपभोक्‍ता तक नहि पहुंचायल जा सकत। एहन मे
सरकार उपलब्‍ध बिजली कए उपभोक्‍ता तक पहुंचेबा लेल प्रयास तेज क देलक अछि। इ’समाद एहि संबंध मे पहिने समाद द चुकल अछि जे इ संयुक्त उद्यम बिहार मे पारेषण (ट्रांसमिशन) व्यवस्था कए मजबूत करत। संगहि, भविष्य क जरूरत कए देखैत नव ट्रांसमिशन लाइन स्थापित करत। एहि संदर्भ मे ऊर्जा मंत्री विजेंद्र यादव कहला जे अगिला 5 साल मे राज्य मे बिजली क उपलब्‍धता कम स कम 4,000-5,000 मेगावॉट भ जाएत, जे एखुनका 1,800 मेगावॉट स काफी बेसी अछि। एहि हिसाब स राज्य मे बिजली क मांग सेहो बढत। एहन मे सरकार अपन पारेषण आ वितरण (टीऐंडडी) घाटा कए कम स कम रखबाक प्रयास मे एखने स जुटि गेल अछि। एहि लेल सरकार पावरग्रिड संग करार केलक अछि। बेहतर ट्रांसमिशन व्यवस्था लेल सरकार अगिला 5 साल मे 6,000 करोड़ टका खर्च करबाक फैसला लेलक अछि। एकरा लेल विश्व बैंक, एशियाई विकास बैंक (एडीबी) आ पावर फाइनैंस कॉरपोरेशन ऋण उपलब्ध करेबा लेल तैयार भ गेल अछि। इ काज तीन चरण मे होएत। ट्रांसमिशन व्यवस्था मे सुधार क इ काज 2016-17 तक पूरा भ जाएत।
ओ कहला जे बिहार मे बिजली क मांग तेजी स बढि रहल अछि। मुदा बेहतर ट्रांसमिशन लाइंस नहि रहबाक कारण मांग क अनुरूप सरकार बिजली नहि कीन पाबि रहल अछि। किया त बिजली कए उपभोक्‍ता तक पहुचेबा लेल बेहतर ट्रांसमिशन लाइंस क जरूरत अछि। एहि लेल बिहार राज्य विद्युत बोर्ड आ पावरग्रिड क बीच एकटा संयुक्त उद्यम स्थापित करबा पर सैद्धांतिक रूप स सहमति भ गेल अछि। आब बस किछु छोट-मोट मसला पर चर्चा बाकी अछि जेकर बाद एहि मासक अंत तक समझौता कए अंतिम रूप द देल जाएत। फेर राज्य कैबिनेट स मंजूरी ल कए महीना क अंत तक एहि संयुक्त उद्यम क स्थापना क देल जाएत।
यादव कहला जे राज्‍य मे ट्रांसमिशन लाइन काफी पुरान अछि आ वर्तमान मांग लेल इ बहुत कमजोर भ चुकल अछि। नवका उद्यम राज्य मे अगिला 25 साल तक ट्रांसमिशन क व्यवस्था देखत आ ओहि अनुरूप काज करत। संगहि, इ उद्यम भविष्य क जरूरत कए देखैत नवका लाइन बिछेबाक काज सेहो करत।
पावरग्रिड क अध्यक्ष आ प्रबंध निदेशक आर एन नायक सेहो एहि उद्यमक पुष्टि केलथि अछि। ओ कहला अछि जे एहि संदर्भ मे बिहार सरकार स गप अंतिम चरण मे अछि। हम राज्य विद्युत बोर्ड संग मिलकए ट्रांसमिशन कक्षेत्र मे एकटा संयुक्त उद्यम एहि मासक अंत तक स्थापित करबाक प्रयास मे छी। राज्य सरकार एहि उद्यम कए अगिला 25 साल तक बिहार मे ट्रांसमिशन व्यवस्था क रख-रखाव क काज देबा लेल तैयार भ गेल अछि।’

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

केंद्र क उपेक्षा-1 : मनरेगा मे सबस कम मजदूरी बिहार मे

Esamaad Epaper Website

कोसी क कछैर मे जूट क मजार

Esamaad Epaper Website

केंद्र क उपेक्षा-2 : सिंगल लेन क एनएच सबस बेसी बिहार मे

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि