• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मिथिला क्षेत्र में बनत तीनटा नव औद्योगिक पार्क

April 19, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना । मिथिला क्षेत्र एक बेर फेर स औद्योगिक रूप स समृद्ध क्षेत्र क श्रेणी मे चिन्हल जाएत। एकरा लेल राज्य सरकार हर प्रकार क संभावना पर मंथन क रहल अछि। सरकार राज्य मे सातटा नव औद्योगिक पार्क स्थापित करबाक निर्णय लेलक अछि, जाहि मे तीनटा मिथिला क्षेत्र मे बनत। एकर जानकारी उद्योग मंत्री रेणु कुशवाहा कहलथि जे नव पार्क नालंदा, भागलपुर, बक्सर, लखीसराय, बांका, मधेपुरा और बेगूसराय मे बनत।
ओ कहलथि जे बेहतर कानून व्यवस्था आ मजदूर एहि क्षेत्र क सबस पैघ पूंजी रहल अछि। आब आधारभूत संरचना सेहो मजबूत भ चुकल अछि। अगिला दू साल मे बिजली क समस्या क निराकरण सेहो भ जाएत, एहन मे निवेश लेल सबस पैघ बाधा जमीन अछि, जेकर निराकरण लेल सरकार मंथन शुरू क देलक अछि। उद्योग मंत्री कहलथि जे उद्योग क स्थापना लेल जमीन महत्वपूर्ण घटक अछि। आइ पैघ पैघ उद्योगपति बिहार मे पूंजी निवेश करबा लेल रुचि ल रहल छथि। सरकार सेहो निवेशक कए हर संभव सुविधा देबा लेल तैयार अछि। जमीन उपलब्ध नहि रहबा स कई बेर उद्योग स्थापित नहि होइत अछि। एहि लेल राज्य सरकार निवेशक क सुविधा लेल राज्य मे सातटा नव औद्योगिक पार्क क स्थापना क निर्णय लेलक अछि। एहि लेल नालंदा, भागलपुर, बक्सर, लखीसराय, बांका, मधेपुरा और बेगूसराय मे 4,550 एकड़ जमीन क अधिग्रहण कैल जाएत। उद्योग मंत्री कहलथि जे ओ मिथिला क्षेत्र मे अधिकतर जमीन खेतिहर अछि, एहन मे उद्योग लेल एहि क्षेत्र मे जमीन क उपलब्धता मुश्किल रहैत अछि। ओना ओ कहलथि जे जमीन लेल किसान स गप करतथि आ औद्योगिक पार्क लेल भूमि उपलब्ध करेबा लेल आग्रह करतथि। ओ कहलथि जे हुनका उम्मीद अछि जे एहि क्षेत्र सब मे अगिला किछु साल मे औद्योगिक पार्क क स्थापना क लेल जाएत। ओ कहलथि जे ओना सरकार लग सेहो किछु जमीन अछि, जेकरा एहि पार्क क हिस्सा बनाउल जाएत। वर्ष 2012-13 मे बियाडा (बिहार औद्योगिक क्षेत्र विकास प्राधिकरण) 511 एकड़ जमीन क अधिग्रहण केने छल। एहि मे स 200 एकड़ जमीन 336 इकाइ लेल आवंटित कैल गेल अछि। मंत्री कहलथि जे एहन जे भूमि आवंटित कैल गेल अछि ओहि मे अधिकतर निवेशक निर्माण काज शुरू क चुकल छथि। किछु छोट इकाइ मे त उत्पादन शुरू भ रहल अछि। ओ दावा केलथि जे जमीन उपलब्ध भेलाक बाद निवेश क कमी नहि रहत, ओना एखनो सूची लंबा अछि जे बिहार मे निवेश लेल तैयार छथि। मुदा, निवेशक क पहिल इच्छा पटना मे जमीनक होइत अछि जे सरकार लेल उपलब्ध करा देब संभव नहि अछि। मंत्री कहलथि जे उद्योग विभाग क महत्वाकांक्षी मेगा औद्योगिक क्षेत्र सेहो अगिला वित्त वर्ष मे तैयार भ जाएत। ओ कहलथि जे बिहटा मे 350 एकड़ भूमि मे औद्योगिक पार्क विकसित कैल जा रहल अछि। एहि ठाम हीरो साइकिल आ रेमंड्स सहित किछु पैघ कंपनी अपन इकाइ क स्थापना क रहल अछि। मंत्री कहलथि जे सरकार राज्य क हर हिस्सा मे छोट औद्योगिक क्षेत्र क स्थापना करबा मे लागल अछि। एहि लेल उद्योग विभाग सबटा जिला मजिस्ट्रेट कए पत्र लिखलक अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

34 ग्रामीण क्षेत्र बनत नगर निकाय!

Esamaad Epaper Website

विदेश स बिहार मे आयल 200 करोड़, देश मे पांचम स्थान

Esamaad Epaper Website

मधुबनी मे खुलत बिहार क पहिल निजी विश्‍वविद्यालय

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि