• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

मिथिला क देन छी मध्य काल क नव्य न्याय क भाषा : झा

November 29, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

संविधानसभा क सदस्‍य आ राज्‍यसभा क पूर्व सदस्‍य डा कामेश्‍वर सिंह क फोटो पर माल्‍यार्पण करैत दरभंगा क नगर विधायक संजय सरावगी।
———————————————————————-
दरभंगा : पूणे संस्कृत शोध संस्थान क पूर्व निदेशक प्रो. वीएन झा कहला अछि जे मध्य काल मे ज्ञान कए सबटा क्षेत्र मे नव्य न्याय क भाषा कए अपनाउल गेल, जे पूर्णत: मिथिला क देन अछि। श्री झा इ गप महाराजाधिराज कामेश्‍वर सिंह स्मारक व्याख्यानमाला 2012 क तहत विश्व क बहुभाषायी प्रतिमान, न्याय दर्शन क विश्व दृष्टि पर व्याख्यान दैत कहला। बुधदिन महाराजा कामेश्‍वर सिंह क 106 म जयंती पर अवसर पर महाराजा कामेश्वर सिंह फाउंडेशन क तत्वावधान मे आयोजित समारोह मे प्रो. झा कहला जे आदर्शवादी क अनुसार भाषा मिथ्या अछि, जखनकि यथार्थवादी क अनुसार भाषा क माध्यम स सत्य कए बुझल जा सकैत अछि। भारतीय दर्शन मे सत्य क अन्वेषण क प्रतिमान क विकास होइत गेल। यथार्थवादी क अलग सिद्धांत विकसित भेल ओतहि भारतीय दार्शनिक क अलग। मध्य काल मे ज्ञान कए सबटा क्षेत्र मे नव्य न्याय क भाषा कए अपनाउल गेल। इ पूर्णत: मिथिला क देन अछि।
एहि अवसर पर सेनानिवृत पुलिस महानिदेशक डीएन गौतम कहला जे आइ आध्यात्म आ विज्ञान मे एक दोसर क सामना करबाक इच्छ त अछि मुदा सामने कियो नहि आबि रहल अछि। तर्क क तुक मे तालमेल क खोज भ रहल अछि। सूर्य कए प्रकाशमान आ उर्जावान सब कियो मानैत अछि मुदा उपनिषद मे पहिने स सूर्य पर जल क चर्चा अछि आ आइ इ प्रमाणित भ रहल अछि। प्रसिद्ध वैज्ञानिक डॉ. मानस बिहारी वर्मा मिथिला क समृद्ध विरासत क चर्चा करैत कहला जे डा. हेतुकर झा क संचालन मे कामेश्वर सिंह फाउंडेशन एहि विरासत कए भलिभांति बचेबा मे लागल अछि। मिथिलाक्षर क फांट विकसित करनिहार हिमांशु पांडेय कहला जे आब एहि ठामक युवक कए जिम्मेवारी अछि जे मिथिला आ मैथिली कए विकसित करथि। सेवानिवृत आयकर आयुक्त आशुतोष सिंह ठाकुर धन्यवाद ज्ञापन केलथि। एहि अवसर पर हिस्ट्री आफ तिरहुत आ महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह लेक्चरर सीरीज तीन क लोकार्पण सेहो कैल गेल।

महाराजाधिराज कामेश्‍वर सिंह स्मारक व्याख्यानमाला 2012 क किछु अंश
विश्व क बहुभाषायी प्रतिमान, न्याय दर्शन क विश्व दृष्टि

हमर अनुभव क उद्गम क अनेकता क अन्वेषण आवश्यक अछि। कोनो जिज्ञासा क दूटा उत्तर चार संभावना कए जन्म दैत अछि। सत्य क ज्ञान क सिद्धांत क आधार जिज्ञासा कए संपूर्णता स बुझबा पर टिकल अछि। सत्य क ज्ञान अन्वेषण क प्रतिमान क विकास स बहुत हद तक जुडल अछि। आब सवाल अछि जे की सत्य भाषा क माध्यम स बुझल जा सकैत अछि। भारतीय आदर्शवाद आ प्रत्यक्षवाद की अछि। एकर विकास कोना भेल। भारतीय दर्शन क विकास मे गौतम, दिग्नाग आ शंकर क अवदान महत्वपूर्ण अछि। गौतम न्याय दर्शन क नींव रखलथि। दिग्नाग गौतम क सूत्र क परिभाषा बौद्ध दर्शन क तहत प्रस्तुत केलथि। आत्मा आ प्रत्यक्ष क सिद्धांत क प्रति गौतम आ दिग्नाग क सिद्धांत मे बहुत पैघ अंतर अछि। शंकर ब्रह्मा आ आत्मा क अस्तित्व, साहचर्य आ अन्वेषण पर विशेष बल देलाह। आदर्श वादी क अनुसार भाषा मिथ्या अछि। यथार्थ वादी क अनुसार भाषा क माध्यम स सत्य कए बुझल जा सकैत अछि। भारतीय दर्शन मे सत्य क अन्वेषण क प्रतिमान क विकास होइत गेल। यर्थार्थवादी क अलग सिद्धांत विकसित भले ओतहि भारतीय दार्शनिक क अलग। मध्य काल मे ज्ञान कए सबटा क्षेत्र मे नव्य न्याय क भाषा कए अपनाउल गेल। इ पूर्णत: मिथिला क देन अछि।
-प्रो. वीएन झा
पूणे संस्कृत शोध संस्थान क पूर्व निदेशक

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna


Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

धरोहर छी बंगाल क इ दोसर सबस पुरान अस्‍पताल : नायक

Esamaad Epaper Website

दिल्‍ली जेकां पटना मे सेहो होएत बस लेल रूट नंबर

Esamaad Epaper Website

नीतिशक विभाग मे 6000 करोड़ क घोटाला,नीतीश देलथि जांच क आदेश

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

by संपादक
January 15, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि