• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मिथिला क पोखरि मे पोसल जाएत वियतनामी माछ

January 4, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

दरभंगा । मिथिला क महान अर्थशास्‍त्री राजा नरेंद्र सिंह क नारा ‘पग-पोखरि माछ मखान’ कए बिहार सरकार सेहो दोहरेबाक प्रयास क रहल अछि। मिथिला कए आर्थिक समृद्धि लेल बिहार सरकार पग पग स्थित पोखरि मे मत्‍स्‍य पालन कए बढाबा देबाक योजना पर काज करब शुरू क देलक अछि। ज्ञात हुए जे आजादी क किछु साल बाद तक एहि इलाका क माछ देश-विदेश तक जाइत छल मुदा आइ एहि ठाम क थारी मे सेहो आंध्रप्रदेश क माछ देखाइत अछि। एहन मे माछक उत्‍पादन बढेबा लेल जाहि पोखरि सब मे देसी माछ क पैदावार तक बंद भ चुकल अछि ओहि सब मे आब वियतनाम मूल क माछ पोसल जाएत। रेहू, नैनी, मांगुर, भाकुड़, झींगा, कतरी, पोठी क संग संग मिथिला मे पंगाश मछली क उत्‍पादन सेहो भ सकत। एकरा लेल जिला मत्स्य विभाग तैयारी शुरू क देलक अछि।
मिथिला क पोखरि मे वियतनामी मूल क पंगाश माछ क पालन क पाछु ओकर तर्क इ अछि जे पंगाश प्रजाति क माछ विपरीत परिस्थिति मे सेहो अपना आप कए बचेबाक सामर्थ रखैत अछि। सरकार ताहि लेल एकर उत्‍पादन लेल मछली पालक कए 60 फीसदी अनुदान सेहो देत। जानकारक कहब अछि जे पंगेसियस सूची मे सबस लोकप्रिय प्रजाति पंगास वियतनाम क मेकांग डेल्श क प्रमुख प्रजाति अछि। इ वियतनाम क अलावा थाईलैंड, लाओस, कंबोडिया, वर्मा आ चीन क किछु इलाका मे पोसल जाइत अछि। इ कैट-फिस प्रजाति क माछ अछि। एकर शरीर चमकीला, लंबा, माथ छोट, मुंह पैघ, जबडा मे छोट नुकीला दांत आ लैटरल लाइन पर कारी धारी होइत अछि।
जिला मत्स्य पदाधिकारी द्वारिका प्रसाद गुप्ता क अनुसार माछ उत्पादन लेल प्रसिद्ध एहि जिला मे देसी माछ क प्रजाति सब विलुप्त होइत जा रहल अछि। रेहू, नैनी, मांगुर, भाकुड़, झींगा, कतरी, पोठी आदि एहि ठामक खास प्रजाति छल, मुदा एकर उत्पादन मे लगातार कमी आबि रहल अछि। एहन मे वियतनामी मूल क माछ पोसबाक योजना पर दरभंगा जिला मे काज शुरू भ गेल अछि। ओना एखन कोनो पोखरि मे एकर जीरा नहि खसाउल गेल अछि मुदा कुल 14टा आवेदन आबि चुकल अछि जेकरा स्वीकृति लेल पटना पठाउल गेल अछि। उम्‍मीद अछि जे अगिला वित्तीय वर्ष स दरभंगा मे एकर उत्पादन क प्रक्रिया शुरू भ जाएत।
ओ कहला जे सबस पैघ गप इ अछि जे सरकार पोखरि क आकार क अनुसार माछक उत्‍पादनक लक्ष्‍य तय क रहल अछि, जाहि स मिथिला माछ उत्‍पादन मे नहि केवल आत्‍मनिर्भर भ जाएत, बल्कि दोसर राज्‍य कए सेहो माछ निर्यात भ सकत। जानकारीक अनुसार मिथिला मे माछ क उत्पादन प्रति हेक्टेयर 15 टन तक करबाक लक्ष्‍य राखल गेल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

पहिल 'विश्वमय अस्पताल' क शुभारंभ 22 कए, दरभंगा कए भेटत लाभ

Esamaad Epaper Website

करीब 2259 साल बाद भेल पाटलिपुत्र मे बौद्ध समागम

Esamaad Epaper Website

वैशाली क स्तूप मे राखल जाएत बुद्ध क अस्थि

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि