• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

मिथिला क ‘मदर टरेसा’ कए सम्‍मानित करत यूएन

October 26, 2013
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

मलाला युसूफज़ई क संग न्यूयॉर्क मे हेतीह सम्मानित यूएन फाउंडेशन क कार्यक्रम लेल अमेरिका जेबा लेल वीजा मंगलथि

ज्‍योति श्रीवास्‍तव

दरभंगा : अफ़गानिस्तान क मलाला यूसुफज़ई आ बिहार क दरभंगा क मार्था डोडराय एक दोसर स कहियो भेंट नहि केलथि मुदा एहि दूनू नाम कए आइ समस्‍त विश्‍व सम्‍मान देबा लेल तैयार अछि। न्यूयॉर्क, अमेरिका मे एकटा मंच पर दूनू सम्मानित हेतीह। आखिर हिनका दूनू मे एहन कोन समानता अछि जे हिनका एक संग इ सम्‍मान देल जा रहल अछि। मलाला क कहानी त अहां सब जनैत छी, मुदा अपन गाम-घर अपन सबहक बीच जे अछि तेकर संबंध मे जानकारी क बहुत कम लोक कए अछि। मलाला जेकां मिथिला क ‘मदर टरेसा’ बनि चुकल मार्था डोडराय सेहो मानवता क एकटा बहुत पैघ शत्रु पोलियो कए कुशेश्वर स्थान सन दुनियाक दुर्गम क्षेत्र स भगा देलथि अछि। इ काज कोनो असंभव स कम नहि छल। एहि काज लेल यूएन फाउंडेशन हिनका भारत क सर्वोत्तम टीकाकर्मी घोषित कैलक अछि। संगहि मलाला संग सम्मानित करत। झारखंड क लातेहार क चीका गांव मे जन्‍म, दसवीं तक पढल मार्था पांच साल पहिने एएनएम बनि कए बिहार एलीह। हुनका दरभंगा ज़िला क कुशेश्वर स्थान पूर्वी पीएचसी अंतर्गत तिलकेश्वर पंचायत मे नियुक्त कैल गेल। कुशेश्वर स्थान पूर्वी दुनिया क दुर्गम इलाका मे स एक अछि। दरभंगा-सहरसा-खगड़िया-समस्तीपुर क सीमा स लागल एहि इलाका क शायद कोनो एहन गाम हुए जाहि ठाम सडक मार्ग स पहुंचल जा सकैत अछि। एहि ठाम साल क छह मास बाढ़ रहैत अछि आ 12 मास नांव चलैत अछि। नाव एहि क्षेत्र क लाइफ लाइन अछि। रेत आ पगडंडी एहि ठाम सडक कहल जाइत अछि। कुल मिला कए आजादी एतबा दिनक बाद एहि ठाम लोकक जिनगी लगभग पिछला सदी जेकां अछि। ग़रीबी, भुखमरी, बेबसी, लाचारी, निरक्षरता आ पलायन क दंश झेल रहल एहि इलाका मे एखन हाल क किछु साल तक पोलियो क मरीज़ बहुत रास छल। इ बीमारी एहि ठाम आम छल। बेसी काल बिहार स पोलियो मिटेबा लेल मीडिया एहि इलाका कए चुनौती क रूप मे पेश करैत छल। एहन माहौल मे मार्था एहि ठाम एएनएम क काज शुरू केलथि। तिलकेश्वर पंचायत मे पोस्टिंग त भेल मुदा काज करीब पूरा प्रखंड मे करैत छथि। मार्था पोलियो स जूझबाक जज़्बा विकसित केलथि। पहिने हुनका काफी कठिनाई महसूस भेल। परिस्थि एहि ठाम झारखंड क हुनकर गाम स बेसी विपरीत छल। मार्था सब दिन 15-20 किलोमीटर क यात्रा करैत छथि। भोर तीन बजे उठैत छथि। घर क कामकाज़ निपटा निकलि पडैत छथि अभियान पर। नाव पर, पैदल आ चचरी पुल पार करैत ओ गाम सब मे जाहि ठाम टीकाकरण की होइत छै लोक नहि जनैत छल। मार्था लोक कए एकर मतलब बुझबैत छथि। इ कहैत छथि जे हुनकर बच्‍चा कए विकलांगता क अभिशाप स पोलियोरोधि टीका मुक्त क सकैत अछि। इ बीमारी छी, जे कोनो झाड़-फूंक या बाबा नहि ठीक क सकैत अछि। धीरे-धीरे लोक मे जागरूकता आयल मुदा मार्था कए एकरा लेल बहुत कठिन परिश्रम करै पडल। एहि ठाम महिला अपन बच्‍चा कए अपना संग खेत मे काज करबा लेल ल जाइत छथि एहन मे बच्‍चा कए ताकब एकटा कठिन काज भ जाइत अछि। मार्था एक एकटा बच्‍चा कए ताकि ओकर वैक्सिनेशन करैत रहलीह। बाद मे एहन जागरूकता आबि गेल जे लोक मार्था क बाट तकैत अछि। जा धरि टीका नहि पड़ल लोग खेत नहि जाइत अछि। आखिरकार मार्था क मेहनत रंग अनलक आ बिहार क सर्वाधिक पोलियो ग्रसित इलाका मे स एक दरभंगा स पोलियो गायब भ गेल। आइ दरभंगा ज़िला पोलियो मुक्त भ गेल। मार्था क काज कए देखबा लेल डब्ल्यूएचओ समेत दुनिया क कईटा संगठन क लोक कुशेश्वर स्थान एलाह। हुनका पर एकटा खास डॉक्यूमेंटरी सेहो बनल। विश्‍व मे हुनक काज क सराहना भेल। कुशेश्वर स्थान पीएचसी क प्रभारी डॉ भगवान आ हेल्थ मैनेजर दीपक कुमार गर्व स कहैत छथि जे मार्था अपन कार्यक्षेत्र स छह-छह दिन पर घर लौटैत छथि। ओ दिन-राति टीकाकरण करैत छथि। गाम क ग़रीब लोकक हुनक खान-पीन होइत अछि। मार्था एहि ठाम क महिला कए सूचिता क संबंध मे सेहो जागयक करैत छथि। बच्‍चा कए गंदा देख ओकर परिजन खास क माता कए सफाई क मतलब बुझबैत छथि, बहुत ठाम त अपने आगू बढि बच्‍चा साफ-सफाई क दैत छथि। मार्था कहैत अछि जे ओ हर बच्‍चा कए अपन बच्चा मानैत छथि। दरभंगा क सिविल सर्जन डॉ उदय कुमार चौधरी कहला जे अगर दरभंगा पोलियो मुक्त घोषित भ रहल अछि त एहि मे मार्था क योगदान सबस महत्‍वपूर्ण अछि। मार्था क पति जोर्जे पलामू क रहनिहार छथि आ बीएसएफ स रिटायर्ड छथि। ओ मार्था क काज मे बहुत सहायता केलथि अछि। इसमाद जखन मार्था स पूछलक जे मलाला क संग सम्मानित कैल जेबा पर हुनका केहन लागि रहल अछि त ओ कहलीह जे पहिने त अमेरिका जेबाक गप सुनि नर्वस भ गेल रही, मुदा मलाला क संग मंच पर बैसब हमर लेल सम्‍मान आ खुशी क गप अछि। मार्था क सपना अछि भारत क हर गाम, गली-कूचा स पोलियो क खात्मा।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार फेर स बदनाम भ गेल

आखिर कहिया होएत हमरा अपन धरोहर क चिंता

बिहारक सबसे पुरान रनवे : खाली आसमान, परती जमीन

बिहारक सबसे पुरान रनवे : खाली आसमान, परती जमीन

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि