• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मिथिला धरोहर भूमि छी : राष्ट्रपति

October 3, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

विशेष समदिया
दरभंगा।
राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी कहला अछि जे मिथिला धरोहर भूमि छी, एहि ठाम क हर कण एकटा धरोहर छी। ललित नारायण मिथिला क चारिम दीक्षांत समारोह कए संबोधित करैत कामेश्‍वर नगरक नागेंद्र झा मैदान मे राष्ट्रपति कहला जे नव प्रयोग कए बढ़ावा भेटबाक चाही। शोध काज पर बल दैत महामहिम कहला जे वर्ष 1972 मे स्थापित ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय बहुत लंबा सफर तय क चुकल अछि। 43 अंगीभूत आ 36 संबद्ध कालेज एकर क्षेत्र मे अछि। महाराज दरभंगाक दान देल करीब एक लाख पुस्तक आ पांडुलिपि क एहि ठाम विशाल संग्रह अछि। एहन मे एहि ठाम अधिक स अधिक शोध हेबाक चाही। ओ कहला जे नव प्रयोग कए बढाबा देबा लेल देश मे राष्ट्रीय नवोन्मेष परिषद क स्थापना कैल गेल अछि। इ भारत मे नव-नव अन्वेषी तरीका क लेल रोडमैप बनाउत। राष्ट्रपति कहला जे प्रत्येक राज्‍य मे राजकीय नवोन्मेष परिषद क स्थापना आ केंद्रीय मंत्रालय स जुडल विभागीय नवोन्मेष परिषद क स्थापना क काज जारी अछि। ऑप्टिकल फाइबर क बुनियाद पर स्थापित राष्ट्रीय ज्ञान नेटवर्क 1500 उच्चतर अध्ययन आ अनुसंधान संस्थान कए आपस मे जोड़त।
राष्ट्रपति कहला जे विश्वविद्यालय मे स्वायत्त अनुसंधान कार्य कए बढ़ावा देब सेहो समान रूप स महत्वपूर्ण अछि। एकरा लेल विश्वविद्यालय क संपर्क क द्वार आओर विभिन्न संस्थान स सहयोग कए बढ़ाएब जरूरी अछि।
राष्ट्रपति कहला जे उच्चतर शिक्षा मे सार्वजनिक निजी भागीदारी सहित निजी निवेश कए सेहो प्रोत्साहित कैल जाएत। मुखर्जी कहला जे 12वीं पंचवर्षीय दृष्टिपत्र मे उच्चतर शिक्षा लेल केन्द्र सरकार विस्तार, समानता आ उत्कृष्टता क तीन सूत्री रणनीति अपनेबाक लक्ष्य रखलक अछि। दृष्टि पत्र मे राज्य विश्वविद्यालय आ कालेज मे नव जान फूंकब एहि योजना एकटा महत्वपूर्ण हिस्सा अछि। उत्कृष्टता क केंद्र बनेबा लेल सरकार विश्वविद्यालय क नवोन्मेष क कईटा पायलट प्रोजेक्ट, स्वायत्तता आ संसाधन बढेबाक प्रस्ताव केलक अछि।
भारतीय युवा वर्ग कए देश लेल अमूल्य धरोहर कहैत ओ कहला जे 2025 मे देश क आबादी क 70 प्रतिशत स बेसी हिस्सा कामकाजी बैसक लोक क होएत। एहि युवा कए ठोस बुनियाद दैत हमरा सब कए हिनका भविष्य लेल तैयार करबाक चाही। एकरा लेल उच्चतर शिक्षा क उपलब्धता बढेबाक संगहि हिनका सबहक पहुंच क दायरा मे व्यावसायिक कौशल क प्रशिक्षण कए आनब जरूरी अछि। ओ कहला जे विश्वविद्यालय आ शैक्षणिक संस्था कए उत्कृष्ट केंद्र बनेबा लेल सरकार विशेष अनुदान द रहल अछि। एकरा लेल एकटा राष्ट्रीय कौशल विकास परिषद क स्थापना कैल गेल अछि जे 2022 तक 15 करोड़ कुशल कामगार तैयार करत।
कार्यक्रम मे उपस्थित मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे राज्य सरकार लोक क शिक्षा, स्वास्थ्य, साक्षरता आ प्रजनन स्वास्थ्य कए बढेबा लेल ‘मानव विकास मिशन’ शुरू केलक अछि। ओ कहला जे मानव विकास मिशन क उद्देश्य मानव क हर क्षेत्र मे विकास करब अछि। स्त्री शिक्षा कए बढ़ावा द कए लोक सब कए प्रजनन स्वास्थ्य क प्रति जागरुक करब आ जनसंख्या स्थिरीकरण क लक्ष्य अछि। बिहार मे साक्षरता कम रहबाक कारण प्रजनन दर बेसी अछि। महिला कए साक्षर करबा स जनसंख्या क स्थिरीकरण होएत। कार्यक्रम मे राज्यपाल देवानंद कुंवर कहला जे मिथिला क संस्‍कृति आ सभ्‍यता काफी पुरान अछि आ इ विश्‍वविद्यालय एकर संरक्षण आ प्रतिनिधित्‍व करैत अछि। विश्‍वविद्यालयक प्रतिवेदन प्रस्‍तुत करैत कुलपति समरेंद्र प्रताप सिंह कहला जे विश्‍वविद्यालय अपन कम संसाधन क बावजूद महत्‍वपूर्ण उपलब्धि हासिल केलक अछि। एहि अवसर पर उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी, शिक्षामंत्री पीके शाही सहित कईटा गणमान्य लोक उपस्थित छलथि। राष्ट्रपति पांचटा विद्यार्थी कए स्वर्ण पदक प्रदान केलथि। जखनकि कुल 25टा विद्यार्थी कए स्वर्णपदक प्रदान कैल गेल। कार्यक्रम क बाद प्रणब दा क एक झलक देखबा लेल भोर स ढार जनता आ सुरक्षाकर्मी क बीच झडप भ गेल। झडप एतबा बढल जे पुलिस कए लाठीचार्ज करबा लेल मजबूर हुए पडल, जखन कि उग्र जनता कईटा वाहन कए क्षतिग्रस्‍त क देलक। एहन मे फेर सवाल उठैत अछि जे आम आदमी स दूर भ आम आदमी बनबाक प्रणब दा क इच्‍छा आखिर केवल ‘महामाहिम’ शब्‍द क उपयोग रोकला स संभव भ सकत। किया त एकटा ‘आम आदमी’ कए एक झलक देखबा लेल ठार आम आदमी कए लाठी मारबाक कोन जरूरत छल।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

विद्यापति गीतक संग शुरू भेल राष्ट्रपतिक सम्मान मे सांस्कृतिक संध्या

देखबा योग्‍य नहि रहत कामेश्‍वर नगर क वास्‍तुशिल्‍प

Esamaad Epaper Website

"डॉल्फिन दिवस" : औपचारिकता मात्र नहि रही जाए इ दिवस

Comments 2

  1. Aamrnath Jha Bakshi says:
    13 years ago

    Rastrapatiji Mithila elah! E bar khusi ke bat! Mithila ke pramukh samasya “barhi “achhi, ekar niyantran men hunak sahyog chahi.

    Reply
  2. Ajay Kumar Jha says:
    13 years ago

    Sukhad aascharya bhel apan Maithili me esamad dekh Kay. Hardik subhakamna.

    Ummid achi Rastrapati ke yatra Mithila ke unnati ke Rasta kholat.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि