• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

मिथिला मे आतंकी कए संरक्षण भेटब असंभव : गृहसचिव

June 5, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

मधुबनी। केन्द्रीय गृह सचिव राजकुमार सिंह कहला अछि जे मिथिला क लोग कोनो हाल मे आतंकी कए संरक्षण नहि द सकैत छथि। एहन कोनो आरोप एहि समाज पर नहि लगाउल जा सकैत अछि। आतंकी लेल सहानुभूति एहि ठामक लोक मे भेनाई संभव नहि अछि। ओ कहला जे इ आरोप ओहने लोक लगा सकैत अछि जेकरा मिथिलाक संबंध मे कोनो जानकारी नहि अछि। हाल मे भेल फसीह महमुद क गिरफ्तारी पर पूछल गेल सवालक संदर्भ मे किछु कहबा स बचैत श्री सिंह कहला जे आतंकवादी गतिविधि मे शामिल कोनो व्यक्ति कए कतहु स गिरफ्तारी भ सकैत अछि,मुदा गिरफ्तारी स पूर्व या फेर गिरफ्तारी क बाद ओहि ठाम क स्थानीय पुलिस स्टेशन कए एकर सूचना देब अनिवार्य अछि। अहां सब जे जानकारी द रहल छी अगर ओ सच अछि त एकर पूनरावृत्ति भविष्य मे नहि होएत।
दू दिवसीय यात्रा पर अपन मातृक आयल श्री सिंह कहला जे भारत-नेपाल सीमा स सटल गामक क लोक कहियो नहि चाहत जे सीमावर्ती क्षेत्र क माहौल बिगडै। एहि उद्देश्य स भारत-नेपाल सीमा पर सीमा सुरक्षा बलक तैनाती कैल गेल अछि। सबटा बीओपी कए निर्देश देल गेल अछि जे ओ गामक लोक संग समन्वय बनाकए शांति क संग-संग रचनात्मक कार्य सेहो करै ताकि लोक क विश्वास बढए। ओ कहला जे हमर सूचना तंत्र काफी मजबूत अछि। हमरा कियो हिला नहि सकैत अछि। सीमा पर हमर नजरि अछि। सरकार कए सीमा क हर गतिविधि क जानकारी अछि। हम कोनो हाल मे सीमावर्ती क्षेत्र क स्थिति बिगड़ए नहि देब। ओ नेपाल क वर्तमान स्थिति पर चिंता व्‍यक्‍त करैत कहला जे भारत चाहैत अछि जे ओहि ठाम शांति आ अमनचैन क माहौल कायम हुए। एकरा लेल ओहि ठाम सबटा राजनीतिक दल कए मिलकए जनतांत्रिक तरीका स स्थाई सरकार बनेबाक पहल करबाक चाहि।
श्री सिंह सीमा पर अवस्थित बीओपी क काजक चर्चा करैत कहला जे दूनू देश क बीच मधुर संबंध बनेबाक प्रयास एसएसबी जवान द्वारा कैल जा रहल अछि, मुदा एकरा आओर सशक्त बनेबा क जरूरत अछि। एहि दिशा मे प्रयास जारी अछि। श्री सिंह कहला जे टोल पर बीओपी कैंप स्थापित नहि कैल जाएत, जतए टोल लग कैंप अछि ओतए स ओकरा हटा लेल जाएत।
ओ युवा सब स आह्वान करैत कहला जे एसएसबी जवान क भर्ती होएत। अहां सब मेहनत करू आ 30 प्रतिशत बोर्डर डिस्ट्रिक्ट क लाभ उठाउ। निकट भविष्य मे आठ हजार स बेसी एसएसबी जवान क बहाली होएत। एहिमे तीस प्रतिशत सीट बॉर्डर जिला लेल सुरक्षित अछि। एकर लाभ मधुबनी क युवक कए भेट सकैत अछि।
सेना क हेलीकाप्टर स मधुबनी हवाई अड्डा पहुंचल श्री सिंह अपन मातृक शंभुआड़ मे ग्रामीण द्वारा निर्मित सड़क आ भानुप्रताप वर्मा क्रीड़ा मैदान क उद्घाटनोपरांत उपस्थित जनसमुह कए सेहो संबोधित केलाह। ओ कहला जे एहि क्षेत्र क विकास लेल हर संभव प्रयास करब। ओ कहला जे एहि ठामक लोक आ संस्कृति अन्य प्रांत स बेहतर अछि। एहि ठाम प्रतिभा प्रकृति प्रदत अछि जे कतहु आओर नहि देखबा लेल भेटैत अछि। एकर एकटा नहि बहुत रास सूचक अछि। ओ कहला जे हम आइ जे किछु छी से एहि ठाम स संबंध हेबाक कारण स छी। श्री सिंह कहला जे आइ एहि मुकाम तक पहुंचबा मे जेतबा योगदान हमर पैतृक धरती सुपौल क अछि ओतबे मधुबनी क शंभुआड़ क धरती क अछि। ओ कहला जे नाना क डीह पर आबि हम आन भगिनमान जेकां भावविभोर छी। हमरा नैनपन क बहुत किछु संस्मरण आइ आंखि क आगू आबि रहल अछि।
क्षेत्रक विकास पर गप करैत ओ कहला जे निर्मली स सुपौल रेल निर्माण कार्य धीमी गति स चलबाक सूचना हमरा एहि ठाम एलाक बाद पता चलल अछि। संगहि जनकपुर वाला सड़क क स्थिति सेहो नीक नहि अछि। एहि समस्या सब कए दूर करबाक प्रयास जरूर करब।
अपन नाना-नानी, मामा-मामी आ परिवार क अन्य सदस्‍य क संग राति बितेबा लेल मातृक आयल श्री सिंह स भेंट करबा लेल कईटा जनप्रतिनिधि सेहो आयल छलाह। नेता प्रतिपक्ष अब्दुल बारी सिद्दीकी कहला जे केन्द्रीय गृह सचिव आर.के. सिंह एहि धरती क गौरव छथि। हिनका सन पदाधिकारी भेटब मुश्किल अछि। विधायक रामदेव महतो कहला जे आइ हम सब धन्य छी जे भारत सरकार क गृह सचिव हहमर बीच छथि। विधान पार्षद विनोद कुमार सिंह कहला जे जाहि प्रकार स अहां शंभुआड़ क लोक कए मान बढेलहुं अछि ओहिना एहि क्षेत्र क विकास क गति सेहो बढेबा मे योगदान दी। विधायक फैय्याज अहमद कहला जे श्री सिंह आइ जाहि पद पर छथि ओहि ठाम गिनल-चुनल लोक पहुंचैत अछि, मुदा अपन संस्कृति आ संस्कार कए अपना मे बसा रखनिहार श्री सिंह स उम्‍मीद अछि जे ओ मिथिला लेल एहन काज करताह जे एकरा नव जीवन प्रदान करत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार बनल बिल्‍डर क पहिल पसंद

Esamaad Epaper Website

दूनू ठाम खुलत केंद्रीय विश्वविद्यालय

Esamaad Epaper Website

मार्च तक शुरू होएत बरौनी थर्मल स उत्‍पादन

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि