• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

मिथिला मे धूम मचा रहल अछि नेपाल क एफ़एम

July 12, 2011
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

भारतीय रेडियो क घटि रहल अछि लोकप्रियता, विज्ञापन सेहो जा रहल अछि सीमा पार
सीतामढी। पड़ोसी राष्ट्र नेपाल स संचालित विभिन्न मैथिली भाषी एफ़एम रेडियो क क्रेज मिथिला क श्रोता क बीच दिन ब दिन बढ़ैत जा रहल अछि। एफ़एम रेडियो क संचालन स मिथिला क्षेत्र मे मैथिली गीत आ मातृभाषा क प्रति लोकक रूझान बढि गेल अछि। जाहि कारण स भारतीय रेडियो स्टेशन स सब गोटेक स्‍नेह कम होइत जा रहल अछि। मालूम हुए जे नेपाल क सीमावर्ती क्षेत्र जनकपुर आ जलेश्वर स जानकी एफ़एम, जनकपुर एफ़एम, रेडियो मिथिला, रेडियो जनकपुर, मिथिलांचल एफ़एम, रेडियो टूडे, मधेश एफ़एम, अपन मिथिला, जलेश्वरनाथ एफ़एम आ रूद्राक्ष एफ़एम सहित कुल 10टा एफ़एम रेडियो संचालित भ रहल अछि। इ सबटा एफ़एम रेडियो विभिन्न कार्यक्रम चलाकए मिथिला क्षेत्र क दबल आ अछूत प्रतिभा कए तकबाक सफ़ल प्रयास करि रहल अछि। संगहि मिथिला क्षेत्र क ख्याति प्राप्त सिद्धहस्त कलाकार कए श्रोता स रूबरू हेबाक सेहो मौका दैत अछि। जे मिथिला आ मैथिली क लेल वरदान साबित भ रहल अछि। उक्त सबटा मैथिली रेडियो स्टेशन स सब वर्ग क श्रोता क लेल रोचक, मनोरंजक आ ज्ञानवर्धक कार्यक्रम प्रस्तुत कैल जाइत अछि। देश दुनिया क समाद लेल इ एफ़एम चैनल बीबीसी रेडियो क हिंदी सेवा सेहो प्रसारित करैत अछि। एहि रेडियो क विज्ञापन दर अत्यंत कम होइत अछि जेकर कारण स छोट छोट व्यापारी सेहो अपन व्यवसाय मे तरक्की करबा लेल एकरा विज्ञापन दैत छथि। नेपाल स संचालित एकटा एफ़एम स्टेशन क मालिक कहला जे नेपाल क सबटा रेडियो स्टेशन मे लगभग तीन करोड टका खर्च भ चुकल अछि, जखन कि एक मास मे करीब 45 मिनट विज्ञापन प्रसारित कैल जाइत अछि। कम दाम पर विज्ञापन रहबाक कारण अधिकतर एफएम कए नीक विज्ञापन भेट रहल अछि किया जे कम दाम पर भारतीय रेडियो मे विज्ञापन देब दिन मे तारा देखबाक समान अछि। नेपाल स संचालित उक्त सबटा रेडियो स्टेशन क विज्ञापन क भाषा मैथिली हेबाक कारण श्रोता विज्ञापन क आनंद उठेबाक सेहो मौका नहि छोडैत छथि। जखनकि भारतीय रेडियो स्टेशन स नाम मात्र क लेल मैथिली कार्यक्रम प्रस्तुत कैल जाइत अछि। किछु एहने कारण स मिथिला क्षेत्र क व्यापारी आ श्रोता भारतीय रेडियो क अपेक्षा नेपाल स संचालित मैथिली एफ़एम कए सुनब बेसी पसंद करि रहल छथि।

Tags: BiharIndiamithilanepal
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

कलाकार मनक हत्‍या नहि कए सकलहुं : राहुल

Esamaad Epaper Website

एनएचएआइ कए सौंपल गेल गांधी सेतु

Esamaad Epaper Website

ब्रांडेड कपडा क निर्माण लेल मुजफ्फरपुर तैयार

Comments 2

  1. jitendra jha says:
    11 years ago

    (नेपाल स संचालित एकटा एफ़एम स्टेशन क मालिक कहला जे नेपाल क सबटा रेडियो स्टेशन मे लगभग तीन हजार करोड टका खर्च भ चुकल अछि) लिखबामे या जोडबामे किछु छुटि गेल अछि ? एत्तेक बेशी संख्या भ्रामक अछि ।

    Reply
  2. Prakash Kr. Jha says:
    11 years ago

    bharatak radio jabat dhari Maithili bhashak upeksha karait rahat aam aadmi sa doore rahat.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

मैथिली, मैथिल संस्कृति आओर मिथिला राज्य

by संपादक
July 30, 2010
2

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि