• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

मेगा फूड पार्क क स्थापना लेल आगू एलाह भू-स्वामी

August 18, 2013
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

भागलपुर : विकास मे आबि रहल हर बाधा कए दूर करबाक शपथ ल चुकल मिथिला क जनता एक बेर फेर आगू बढि कए पहल क देलक अछि । ताजा घटनाक्रम स साफ भ गेल जे कहलगांव मे प्रस्तावित मेगा फूड पार्क आब आन कोनो जिला नहि स्थानांतरित हुए जा रहल अछि। बियाडा द्वारा आवंटित जमीन पर कब्जा नहि भेटला स नाउम्मीद भ चुकल निवेशक सबहक चेहरा पर उम्मीद क एकटा नव इजोत देखा रहल अछि। प्रस्तावित मेगा फूड पार्क लेल जमीनक अभाव स संबंधित रिपोर्ट एलाक बाद भागलपुर क किछु निजी भू-स्वामी मेगा फूड पार्क लेल जमीन देबाक घोषणा केलथि अछि, ओ सब एहि लेल निवेशक स संपर्क सेहो केलथि अछि। बिना कोनो शर्त कए जमीन उपलब्ध भेला स निवेशक गदगद छथि आ भागलपुर क चयन पर गर्व क रहल छथि। एहि स निवेशक क मन मे प्रोजेक्ट क प्रति सकारात्मक रुझान पैदा भ गेल अछि।
मेगा फूड पार्क क निवेशक सह शक्ति सुधा क एमडी सत्यजीत सिंह क कहब अछि जे हुनका स पिछला तीन दिन में दू-तीनटा भू-स्वामी संपर्क क चुकला अछि आ एहि परियोजना लेल 70 स 80 एकड़ तक जमीन देबाक पेशकश क देलथि अछि। भू-स्वामी निवेशक स साफ कहला अछि जे जमीनक कारण इ परियोजना कोनो हाल मे भागलपुर स बाहर नहि जाएत। ओ चाहैत छथि जे इ प्रोजेक्ट भागलपुर मे लागे। भू-स्वामी जमीन देबाक नाम पर लचीला रुख रखैत सबटा शर्त मानबा लेल तैयार छथि। आब देखबाक अछि जे सरकारक एहि प्रस्ताव पर की रुख रहैत अछि। ओना अपन नाकामी पर परदा दैत बियाडा क विकास पदाधिकारी पंकज कुमार पंकज क कहब अछि जे बियाडा क जे दर निर्धारित होइत अछि ओ कोनो क्षेत्र मे भू-अर्जन लेल कैल गेल पूर्ण भुगतान आ आधारभूत संरचना कए जोड़िकए होइत अछि। एहि मे प्रति वर्ष 10 फीसद वृद्धि सेहो हाइत अछि। हुनक कहब अछि जे मेगा फूड पार्क क निवेशक नियमानुसार 30 फीसद राशि जमा क देने छथि। हुनका 80 एकड़ जमीन क विरुद्ध पांच करोड़ 97 लाख देबाक अछि। कब्जा भेटलाक बाद ओ अगिला किश्त क भुगतान करताह।

प्रोजेक्ट मे के के छथि सहयोगी
भारत सरकार स इ प्रोजेक्ट केवेंटर एग्रो लिमिटेड, कोलकाता क नाम स भेटल अछि। मेगा फूड प्रोजेक्ट कए केवेंटर एग्रो लिमिटेड, कोलकाता क चेयरमैन एमके जालान भागलपुर मे अनलथि अछि। हुनक संग दूटा आओर सहयोगी छथि। शक्ति सुधा क एमडी सत्यजीत सिंह आ बिग बाजार क चेयरमैन किशोर बियानी।

की अछि परियोजना
हिनका सब कए 80 एकड़ जमीन आवंटित होएत। 40 एकड़ मे इ सब अपन यूनिट लगेताह। शेष 40 एकड़ भूमि मे छोट-छोट उद्यमी कए आधारभूत संरचना तैयार क देबाक छल। स्थानीय आ छोट उद्यमी सब कए प्रशिक्षण सेहो मूल निवेशक कए देबाक अछि। 15टा कंपनी एहि ठाम केवल कच्चा माल तैयार करत जे पैघ उत्पाद मे सहायक बनत। एहि ठाम कई तरह क पाउडर तैयार करबाक योजना अछि। जेकर प्रयोग पैघ उत्पाद मे कैल जाइत अछि। एहन उत्पाद एखन केवल देश क मध्य-पूर्व क्षेत्र, गुजरात, राजस्थान मे तैयार भ रहल अछि। दिसंबर 2013 तक प्रोजेक्ट पर काज शुरू करबाक अछि। अगस्त तक जमीन पर दखल नहि भ सकल अछि।

टर्नओवर केतबा, रोजगार केतबा
प्रोजेक्ट लगबा स एक वर्ष मे छह स सात हजार करोड़ क टर्नओवर क लक्ष्य अछि। प्रोजेक्ट क स्थापना मे एक हजार करोड़ क निवेश हेबाक अछि। प्रोजेक्ट चालू भेला पर प्रत्यक्ष आ अप्रत्यक्ष ढंग स डेढ़-दू लाख लोक कए रोजगार भेटत।

की की बनत
चिप्स, टोमैटो सॉस, फ्रूटी पेय, बिस्कुट, ग्लूकोज, केला, चावल, मखाना, बार्ली, टोमैटो चेरी, आंवला, आटा, स्टार्च क निर्माण होएत।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

भागलपुर मे जमीन भेट जाएत त बड सुविधा होएत। समस्तीपुर या दोसर जिला लेल हमरा फेर स भारत सरकार स अनुमति लिअ पडत। हम अपन स्तर पर जमीन ताकि रहल छी। कोशिश अछि जे इ प्रोजेक्ट बिहार स नहि लौटए। कतहु अगर ढंग स एकठाम 80 एकड़ निजी जमीन भेट गेल त भुगतान करबा लेल तैयार छी।   एमके जालान, चेयरमैन, केवेंटर एग्रो लिमिटेड, कोलकाता  

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

लक्ष्य स बेसी रहल बिहार मे राजस्व वसूली

काल बनि आयल राज्यरानी

बीच बाट मे अस्त भेल अंशु कए श्रद्धांजलि

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

दरभंगाक रंगमंचक अन्हार दुर कए रहल छथि‍ प्रकाश

by संपादक
December 22, 2017
0

Read more

तिरहुतक पहिल कारोबारी शहर छल नाथपुर

by संपादक
March 15, 2018
0

Read more

अध्यात्मिक और शैक्षणिक दृष्टिकोण सँ प्रख्यात रहल अछि लोहना पाठशाला 

by संपादक
September 4, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि