दरभंगा। अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति क अध्यक्ष डॉ. बैद्यनाथ चौधरी बैजू कहा अछि जे मैथिलीक उपेक्षा आब बर्दाश्त नहि कैल जा सकैत अछि। विद्यापति सेवा संस्थान क प्रधान कार्यालय मे आयोजित संयुक्त प्रेस वार्ता मे डॉ. बैजू कहला जे मैथिली कए द्वितीय राजभाषा बनबाक हक अछि, मुदा मैथिली विरोधी नीतीश सरकार एकरा प्राथमिक शिक्षा क माध्यम सेहो बनेबा लेल तैयार नहि अछि। प्राथमिक स्तर पर मैथिली मे शिक्षा नहि देबाक सरकारक घोषणा पर आक्रोश जता रहल चौधरी शिक्षा मंत्री क जमिकए आलोचना केलथि। ओ कहला जे मिथिला मे उर्दू आ संस्कृत क संग बांग्ला शिक्षक क बहाली कैल जा सकैत अछि, मुदा संविधान मे शामिल मैथिली कए दरकिनार करि देल जा रहल अछि। आब इ उपेक्षा बर्दास्त स फाजिल भ गेल अछि। मैथिली कए प्राथमिक शिक्षा क माध्यम बनेबा पर हाई कोर्ट स केस जीतबाक चर्चा करैत ओ राज्यक मुखिया नीतीश स मांग केलथि जे मैथिली विरोधी शिक्षा मंत्री कए तत्काल हटाउल जाए आ प्राथमिक स्तर पर एहि भाषाक पढाई शुरू कैल जाए।
ओ कहला जे मैथिली आ मिथिला लेल सबटा राजनीतिक दल, स्वयंसेवी संगठन क संग-संग शिक्षक, वकील, ट्रेड यूनियन, किसान आ मजदूर कए एक मंच पर आनि समन्वित फ्रंट बनाउल जा रहल अछि। शीघ्र मिथिलास्तरीय सम्मेलन करि मिथिला आ मैथिलीक सम्मान लेल अभियान कए गति देल जाएत।
ओ जनगणना मे मिथिला क्षेत्र क लोक स एक बेर फेर अनुरोध केलाह जे मातृभाषा मैथिली दर्ज करा एहि भाषा भाषीक संख्या कम करबाक सरकारी कोशिश कए नाकाम केल जाए।