फुलपरास(मधुबनी) । अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषदक राष्ट्रीय अध्यक्ष डा॰ धनाकर ठाकुर कहलथि अछि जे राजनेता क इच्छाशक्ति मे अभाव क कारण मैथिली क सतत उपेक्षा भ रहल अछि। संवैधानिक दर्जा भेटलाक बावजूद प्राथमिक शिक्षा धरि मे मैथिली क उचित स्थान नहि भेट सकल अछि जेकरा लेल एकटा सशक्त आदोलन क आवश्यकता अछि आ इ आंदोलन बहुत जल्द होएत। ओ मधेपुर कॉलेज परिसर मे अंतरराष्ट्रीए मैथिली परिषद क तत्वावधान मे आयोजित भेल चारदीना मैथिली कार्यकर्ता प्रशिक्षण शिविर क समापन पर नवयुवक सब कए संबोधित करि रहल छलाह। प्रखंड क फुलपरास, ब्रह्मपुरा, डेवढ़ आदि गामक भ्रमण करि मधेपुर पहुंचल ठाकुर कहलथि जे राष्ट्रीय राजमार्ग 57 केर बनलाक बाद से दू भाग में विभक्त मिथिला केर भूभाग फेर से एक भऽ गेल हँ। लोकक बीच व्यावहारिक आ व्यापारिक आदान प्रदानक सिलसिला फेर से चालू भ गेल अछि, जाहि स मिथिलाक परिक्षेत्र मे वृद्धि कहब अतिशयोक्ति नहि मानल जा सकैत अछि। समारोह में अठारह टा प्रशिक्षु लोकनि कए प्रमाण पत्र थमाओल गेल। समारोह के संबोधित करैत अं परिषदक राष्ट्रीय अध्यक्ष डा. धनाकर ठाकुर मिथिलाक प्रगति मे युवा वर्गक भूमिका आ मैथिलीक अस्तित्व आ मिथिलाक समस्या पर विस्तार स प्रकाश देलथि। आयोजित समारोह कए डा. उमेश ठाकुर, महेन्द्र मिश्र, अशोक कुमार सहनी सहित आन लोकनि सेहो संबोधित कैलाह।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna