• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

मैथिली साहित्य मे आब खगल लोकक चिंता नहि : विद्यानंद

February 15, 2015
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना । प्रसिद्ध शिक्षाविद आ आइआइएम, कोलकाता क प्राध्या्पक विद्यानंद झा कहला अछि जे मैथिली साहित्य मे खगल लोकक चिंता कतहु नहि देखा रहल अछि । आइ लोक लेल नहि बल्कि लोकप्रियता लेल साहित्यक रचना भ रहल अछि। 60 क दशक तक जे मैथिली क प्रगतिशील साहित्य छल से आइ हेरायल बुझा रहल अछि । लोकपक्षधरिता दिस गेने बिना मैथिली साहित्य क विकास आ भविष्य संभव नहि अछि । श्री झा रविदिन पटना में आयोजित प्रबोध साहित्य  सम्मान कार्यक्रम में प्रधान अतिथिक रूप मे सभा कए संबोधित क रहल छलाह । ओ कहला जे आइ जे साहित्य लिखल जा रहल अछि, से मात्र पुरस्कार लेबाक नजरि स लिखल जा रहल अछि । मैथिली कए एहि धारा क पोथीक काज नहि छै । श्री झा कहला जे नव पाठक क अभाव सब भाषा मे अछि । दुनिया भरि मे भाषा क विकास पर मंथन भ रहल अछि । मैथिली कए संविधान मे मान्य ता भेटला स नीक आ अधलाह दूनू गप भेल । लोक इ मानि लेलक जे आब त मैथिली मान्यता प्राप्त क लेलक । सरकारी स्तर पर टकाक बहाव भेल आ सरकारी टका लेल रचना हुए लागल । इ संस्थागत टकाक हमरा जनैत बर्बादी छी, एकर नीक जेकां उपयोग हेबाक चाही । श्री झा कहला जे मैथिली पोथी क वितरण एकटा समस्या  अछि, मुदा अधिकतर पोथी लोग अपना लेल लिखी रहल अछि आ अपन किछु परिचित कए बांटी पुरस्कार पाबि रहल अछि। श्री झा कहला जे मैथिली क नव लेखक नव मंच क माध्यम स सामने आबि रहल छथि, मुदा हुनका मे लेखकीय क्षमता त अछि मुदा हुनका लेखकीय प्रशिक्षणक जरुरत अछि, ताहि लेल वर्कशॉप क आयोजन हेबाक चाही। बेव माध्यम क चर्च करैत श्री झा कहला जे आइ बेव पर समग्र साहित्य अछि आ नव लेखक आ पाठक बनि रहल अछि, एकरा आओर बढेबाक प्रयास हेबाक चाही। बेव मंच क कमी कए दूर करबा लेल व्यक्ति आ संस्था  दूनू कए प्रयास करबाक चाही। कार्यक्रम कए संबोधित करैत उदयनारायण सिंह नचिकेता कहला जे मैथिली मे रचना क अभाव नहि अछि, मुदा ओकर पाठक तक पहुंच नहि भ पाउल अछि। ओ कहला जे मैथिली लेल सेहो एकटा फ्लि‍पकार्ड सन मंच चाही, जाहि स दुनिया भरिक लोक मैथिली पोथी कीन सकैथि । श्री सिंह कहला जे मैथिली मे लेखन क संग संग वाचनक सेहो परंपरा पुरान अछि मुदा लोकगीत स ल कए कविता या कहानी कए पाठक लए कोनो रिकार्डिंग हमरा सब लेल उपलब्ध नहि अछि। श्री सिंह कहला जे मैथिली मे इ काज हेबाक चाही । सब कवि क एकटा शैली होइत अछि जेकर संग्रह हमरा सब लग नहि अछि । मैथिली मे गंभीर काज क अभाव पर प्रकाश दैत श्री सिंह कहला जे ओ राष्ट्रीय स्तर पर कईटा एहन समिति क सदस्य छथि जाहि ठाम भाषा विज्ञान पर काज केनिहार कए सरकारी मदद देबाक फैसला लेल जाइत अछि, मुदा हुनक अनुभव रहल अछि जे मैथिली लेल कोनो प्रस्ताव पिछला 10 साल में हुनका नहि भेटल । ओ कहला जे एहि समाजक लोग केवल सरकार स टका चाहैत अछि,  मुदा टका कोन आधार पर सरकार देत, से आधार बतेबा मे असमर्थ भ जाइत अछि, जखन कि संताली आ अन्य  भाषा अपन प्रस्ताव राखि 20-20 लाख टका क सहयोग सरकार स प्राप्त  क रहल अछि । श्री सिंह कहला जे मैथिली साहित्य  क भविष्य नव पीढी आ नव विधा पर निर्भर करैत अछि । एहि स पूर्व मैथिली क सुप्रसिद्ध गीतकार रबींद्रनाथ ठाकुर कए 12म प्रबोध साहित्यब सम्मान स पुरस्कृत कैल गेल, संगहि एक लाख टकाक चेक आ प्रस्सति पत्र प्रदान कैल गेल ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

मोकामा मे बनत समानांतर पुल, कोसी सेतु लेल 30 करोड

Esamaad Epaper Website

बाढ क दोसर यूनिट चालू, पहिल फेजक काज सेहो करत एनटीपीसी

Esamaad Epaper Website

जगल सरकार, देलक मंजूरी

Comments 1

  1. तारानंद वियोगी says:
    8 years ago

    जे समस्या सब राखल गेल अछि, एकदम सही अछि।युवालेखन कें एहि दिस सचेष्ट हेबाक चाही।मैथिलीक ताकत ओकर मौलिक लेखन मे छै, एहि बात कें हरदम मोन राखबाक चाही।
    समाचारक सुंदर प्रस्तुति लेल आभार।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि