• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

यात्री किराया बढल, माल भाडा यथावत

March 14, 2012
in देश-दुनिया
A A

दोसरसमाचार

दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

दुबई घुमबाक क’ रहल छी प्लानिंग त’ अवश्य ल’ लिय इ इंश्योरेंस, नहि त’ बढ़त मोश्किल

September 3, 2020
Esamaad Epaper Website

नेपालक ओली सरकार लिपुलेखमे बटालियन तैनात कयलक, एहि यूनिटके भारतीय सेनाक गतिविधि पर नजरि रखबाक आदेश

September 2, 2020
दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

September 1, 2020
Indo China war, War in Border, Pangok Lake war

भारत-चीनक बीच फेर झगड़ा: पैंगोंग लेक लग चीनी सैनिक घुसपैठक प्रयास कयलक, सेना देलक मुंहतोड़ जवाब

August 31, 2020

नई दिल्ली। रेल मंत्री दिनेश त्रिवेदी वर्ष 2012-13 लेल रेल बजट पेश केलथि। रेल बजट में माल भाडा मे कोनो प्रकारक बदलाव नहि कैल गेल अछि मुदा करीब नौ साल बाद सब श्रेणी क यात्री किराया बढा देल गेल अछि। रेलमंत्रालय एक आ दू टकाक प्रचलन बंद करैत अपन भाडा पांच गुनक मे अनबाक घोषणा सेहो केलक। आब रेलवे क न्‍यूनतम भाडा पांच टका भ गेल, संगहि अगर दूरी क हिसाब स रेल भाडा छह टका होइत अछि त रेलवे अहां कए एक टकाक छूट दैत मात्र पांच टका लेत, मुदा अगर भाडा सात टका होइत अछि त रेलवे अहां स तीन टका अतिरिक्‍त अर्थात दस टका लेत। रेल किराया मे बढ़ोतरी क संगहि प्लेटफॉर्म क टिकट सेहो तीनक स्‍थान पर आब पांच टकाक भ गेल। रेल मंत्री किराया बढोतरी कए प्रतिकिलोमीटर क हिसाब स देखा किछु काल लेल सब कए भ्रम मे राखि देलथि। रेलमंत्री कहला जे रेलवेक आर्थिक हालत कए देखैत किराया मे नाम मात्रक बढोतरी कैल जा रहल अछि। रेल मंत्री प्रस्‍ताव रखलथि जे उपनगरीय ट्रेन आ पैसेंजर ट्रेन क भाडा मे 2 पाई प्रति किलोमीटर, मेल आ एक्सप्रेस ट्रेन क दि्वतीय श्रेणी लेल 3 पाई प्रति किलोमीटर, स्लीपर क्लास लेल 5 पाइ प्रति किलोमीटर, एसी-वन लेल 30 पाई प्रति किलोमीटर, एसी टू मे 15 पाई आओर एसी-थ्री मे 10 पाई प्रति किलोमीटरक बढ़ोतरी कैल जा रहल अछि। एहि बढोतरीक अनुसार नई दिल्‍ली स पटना श्‍यानयान मे जेबा लेल आब 55 टका अतिरिक्‍त लागत। रेल मंत्री दिनेश त्रिवेदी भाडा मे बढोतरी क पाछु सबस पैघ कारण रेलवे क आधुनिकीकरण बतोलथि अछि। ओना आधुनिकीकरण क नाम पर ओ मोबाइल क जरिए टिकट जारी करबाक घोषणा केलथि अछि। एकर तहत टिकट क रूप मे रेलवे मोबाइल पर एसएमएस व्यवस्था शुरू करत। एहि एसएमएस क इस्तेमाल वर्तमान टिकट क रूप मे कैल जा सकत आ यात्री अपन मोबाइल फोन या लैपटॉप पर एकरा देखा यात्रा क सकतथि। इ सुविधा भेटला स टिकट क प्रिंट आउट निकालबाक झंझट आब खत्‍म भ जाएत। एकर संगहि त्रिवेदी घोषणा केलथि जे सबटा ट्रेन क जानकारी एसएमएस क जरिए मुहैया कराउल जाएत। रेलमंत्री अपन बजट मे सबस पैघ यात्री सुविधा इ देलथि जे आब वेटिंग लिस्ट मे नाम रहलाह पर कोनो न कोना गाडी मे सीट जरूर उपलब्ध करा देल जाएत। मंत्री क अनुसार आब वेटिंग लिस्ट क यात्री कए ओहि मार्ग क दोसर ट्रेन मे जगह देल जाएत। बिहार क यात्री लेल इ एकटा सुखद घोषणा कहल जा सकैत अछि। सुविधाक नाम पर रेलमंत्री किछु रेलवे कए निजीकरण दिस सेहो ल गेलाह। रेलमंत्री कहला अछि जे देशक कुल 100टा स्टेशन कए एयरपोर्ट क तर्ज पर विकसित कैल जाएत, जाहि मे एसी लाउंज सन सुविधा भेटत। किछु रेल स्टेशन पर एस्केलेटर सेहो लगाउल जाएत। इ आधुनिकीकरण निजी भागिदारी क तहत होयत। जहां धरि अन्‍य सुविधाक सवाल अछि त रेलमंत्री अमीनिया पीडित लेल एसी कोचक भाडा मे 50 फीसदीक छूट देबाक घोषणा केलथि अछि। तहिना अर्जुन पुरस्‍कार विजयता खिलाडी आब राजधानी आ शताब्‍दी मे सेहो नि:शुल्‍क यात्रा क सकतथि। रेलमंत्री इज्‍जत योजना क तहत लागू 100 किमी क दायरा कए बढा कए 150 किमी क देलथि अछि। एकर अलावा किछु ट्रेन मे हरित शौचालय आ किछु मार्ग पर डबल डेकर ट्रेन क सुविधा देलथि अछि।
रेलवे कए आइसीयू स बाहर निकालबाक दावा करैत रेलमंत्री एकर गति से बढेबाक घोषणा केलथि। रेलमंत्री कहला जे शताब्‍दी आब 160 किमी प्रति घंटा क गति स चलत। ओतहि नई दिल्‍ली स जोधपुर तक बुलेट ट्रेन चलेबाक प्रक्रिया कए सेहो आगू बढेलथि। रेल मंत्री कहला जे रेल सुरक्षा लेल मंत्रालय गंभीर अछि आ दुर्घटनाक प्रतिशत 0.55 कए घटा कए 0.17 करबाक कोशिश कैल जा रहल अछि। एहि लेल अगिला पांच साल मे सब क्रोसिंग पर फाटक लगा देल जाएत।
रेलमंत्री अपन भाषण दौरान कोनो परियोजना या ट्रेन से संबंधित जानकारी देबा स बचैत रहलाह। एहन पहिल बेर भेल जे रेलमंत्री ट्रेन क नाम आ नव परियोजनाक संबंध मे अपन भाषण मे बहुत संक्षिप्‍त विवरण देलथि। ओना ओ कहला जे छपरा चक्‍का कारखाना एहि साल स उत्‍पादन शुरू क देत। रायबरेली कोच कारखाना सेहो एहि साल चालू भ जाएत। रेलमंत्री नव परियोजना क चर्च करैत कर्नाटक आ गुजरात में रेल इंजनक कल पुर्जा कारखाना लगेबाक घोषणा केलथि, ओतहि अपन गृह राज्‍य मध्‍यप्रदेशक विदिशा मे एकटा रेल इंजन कारखाना लगेबाक घोषणा केलथि। रेल मंत्री कहलथि जे तमिलनाडू आ महाराष्‍ट मे रेल नीर संयंत्र लगाउल जाएत। एकर अलावा सेहो एक दूटा परियोजना अछि जेकर जिक्र ओ अपन भाषण मे नहि केलथि।
रेल बजट क अनुसार बिहारक कोसी नदी पर बनि रहल रेलपुर एहि साल पूरा भ जाएत आ एहि मार्ग पर ट्रेन शुरू कैल जाएत। एहिना बिरौल स कुशेश्‍वरस्‍थान लेल नव पटरी एहि साल बिछा लेल जाएत। एकर संगहि बनमनखी-पूर्णिया, सहरसा-सरायगढ़ आओर थावे-छपरा क बीच सेहो आमान परिवर्तन एहि साल पूरा भ जाएत। बजट मे कहल गेल अछि जे खगड़िया-अलौली, चंडी-बिहारशरीफ आओर क बीच नवका रेललाइन सेहो एहि साल पूरा करि लेल जाएत। एहि रेलखंड पर सेहो एहि साल ट्रेन शुरू भ जाएत। रेलमंत्री कहला जे दरभंगा समस्‍तीपुर, कटरीहा-कुरसेला, मुजफ्फरपुर-नरकटियागंज-गोरखपुर, आओर छपरा-बलिया रेलखंड क दोहरीकरण लेल सर्वेंक्षण कराउल जाएत। किछु टिसन कए आदर्श स्टेशन बनेबाक सेहो घोषणा कैल गेल अछि जाहि मे बेगूसराय, नवादा, जीरादेई, जोगबनी, फारबिसगंज, घोड़ासहन, जनकपुर रोड आओर सुपौल शामिल अछि।

बिहार आ मिथिला कए भेटल ट्रेन क सूची-:
दरभंगा-सिकंदराबाद एक्सप्रेस (सप्ताह मे दू दिन)
पटना-बिलासपुर एक्सप्रेस (साप्ताहिक)
हावड़ा- रक्सौल एक्सप्रेस (सप्ताह मे दू दिन)
कोलकाता-जयनगर एक्सप्रेस (साप्ताहिक)
छपरा-लखनऊ एक्सप्रेस (सप्ताह मे तीन दिन)
छपरा-मंडुआडीह इंटरसिटी एक्सप्रेस (दैनिक)
दरभंगा-अजमेर एक्सप्रेस (साप्ताहिक)
भुवनेर भवानी पटना लिंक एक्सप्रेस (दैनिक)

जाहि रेलगाडी क दूरी बझाउल गेल
मंडुआडीह बापूधाम मोतिहारी एक्सप्रेस आब मुजफ्फरपुर तक
वलसाड सोनपुर एक्सप्रेस आब मुजफ्फरपुर तक
सूरत वाराणसी एक्सप्रेस आब छपरा तक
पटना मथुरा एक्सप्रेस आब कोटा तक
कोलकाता दरभंगा एक्सप्रेस आब सीतामढी तक

Tags: dineshmamtarail

Related Posts

दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

दुबई घुमबाक क’ रहल छी प्लानिंग त’ अवश्य ल’ लिय इ इंश्योरेंस, नहि त’ बढ़त मोश्किल

September 3, 2020
Esamaad Epaper Website

नेपालक ओली सरकार लिपुलेखमे बटालियन तैनात कयलक, एहि यूनिटके भारतीय सेनाक गतिविधि पर नजरि रखबाक आदेश

September 2, 2020
दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

September 1, 2020
Indo China war, War in Border, Pangok Lake war

भारत-चीनक बीच फेर झगड़ा: पैंगोंग लेक लग चीनी सैनिक घुसपैठक प्रयास कयलक, सेना देलक मुंहतोड़ जवाब

August 31, 2020
ओमान क राजधानी मस्‍कट मे मनाओल गेल मैथि‍ली मिलन समारोह

ओमान क राजधानी मस्‍कट मे मनाओल गेल मैथि‍ली मिलन समारोह

September 16, 2019

बिहार-नेपाल बस सेवा शुरु

September 10, 2018
Next Post
Esamaad Epaper Website

सदन मे गूंजल दरभंगा क उपेक्षा क मुद्दा

Esamaad Epaper Website

टूरिस्ट सर्किट मे शामिल भेल दरभंगा आ मधुबनी

Esamaad Epaper Website

पटना आ मोकामा मे एहि साल शुरू होएत पुल निर्माण

Comments 1

  1. Dr. Shashidhar kumar says:
    13 years ago

    मतलब कि “मधेपुरा रेल ईञ्जन” कारखाना पर ग्रहण यथावत ।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि