• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

यूनिवर्सिटी आफ नालंदा क भेल उद्घाटन

September 20, 2014
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

Nalandaविदेशमंत्री सुषमा स्‍वराज केलथि पहिल शैक्षणिक सत्र क विधिवत उद्घाटन
कईटा देशक राजदूत, बिहार क मुख्‍यमंत्री आ पूर्व उपमुख्‍यमंत्री समेत कईटा नेता मौजूद

राजगीर। विदेश मंत्री सुषमा स्‍वराज शुक्रदिन यूनिवर्सिटी आफ नालंदा क विधिवत उदघाटन केलथि। एकर संगहि उच्‍च शिक्षा क विश्‍व मानचित्र पर 821 साल बाद नालंदा क एक बेर फेर उदय भ गेल। एहि अवसर पर विदेश मंत्री कहलथि
जे  800 साल बाद फेर स शुरू भ रहल एहि गौरवशाली विश्वविद्यालय क अकादमिक सत्र क उद्घाटन करब हुनका लेल गर्व क गप अछि। एहि मौके कए पाबि वो सचमुच बेहद उत्साहित छथि । इ हुनकर, बिहार क या भारत क नहि बल्कि विश्‍व लेल एतिहासिक क्षण अछि। हमर दायित्व अछि जे पुरान गौरव कए लौटा सकी। आइ एकर शुरुआत भ रहल अछि। एहि दौरान बिहार क मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी आ पूर्व उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी सेहो उपस्थित छलाह। चारि देश क राजदूत आ करीब आधा दर्जन देश क प्रतिनिधि क मौजूदगी मे राजगीर क कन्‍वेशन सेंटर मे आयोजित समारोह मे विदेश मंत्री कहलथि जे नालंदा कए आइ पुनर्जिवित नहि कैल गेल अछि किया त नालंदा कोनो संस्‍था मात्र नहि छल।
ओ कहलथि जे नालंदा एकटा परंपरा अछि आ परंपरा कहयिो मरैत नहि अछि, ओ लुप्‍त होइत अछि। आइ ओहि लुप्‍त परंपरा कए संग्रहित संरक्षित कैल जा रहल अछि।
स्‍वराज कहलथि जे एहि संस्‍थान कए फेर स बनेबाक सपना 2006 मे डॉ कलाम देखने छलाह। बिहार सरकार एकरा राज्‍य स्‍तर पर बनेबाक फैसला लेने छल मुदा एकर महत्‍व एक देखैत केंद्र एकरा एकटा राज्‍यस्‍तरीय संस्‍थान क बदले
अंतरराष्‍ट्रीय संस्‍थान बनेबाक फैसला केलक। पूर्वी एशियाई देश सब  जेना एहि संस्‍थान क स्‍थापना मे मदद क प्रस्‍ताव देलक, खास क सिंगापुर क तत्‍कालीन विदेशमंत्री जार्ज यो क नालंदा प्रस्‍ताव स एकर महत्‍व कए बुझल जा सकैत अछि। ओ कहलथि जे इ संस्‍थान केवल पूर्वी एशिया तक सिमित नहि रहत। कईटा आओर देश एहि मे सहयोग लेल सामने आबि रहल अछि आ हम दरबाजा खोलि रहल छी। स्‍वराज कहलथि जे केंद्र सरकार एहि संस्‍थान कए विश्‍वस्‍तर क
संस्‍थान बनेबा लेल कृतसंकल्‍प अछि। ओ कहलथि जे विश्वविद्यालय क निर्माण प्राचीन नालंदा विश्वविद्यालय स 12 किलोमीटर दूर होएत। केंद्र सरकार अगिला 10 साल मे एकर निर्माण पर कुल 2727 करोड़ रुपया खर्च करत। स्‍वराज
कहलथि जे एयरपोर्ट सन चीज आब जरुरत नहि अनिवार्य भ गेल अछि ओकर निर्माण हेबाक चाही।  एहि स पूर्व  बिहर क मुख्‍यमंत्री जीतनराम मांझी विश्वविद्यालय शुरु भेला पर केंद्र कए धन्‍यवाद देलथि। मांझी नालंदा लग एयरपोर्ट लेल जमीन देबाक आ विश्‍वविद्यालय लेल 100 एकड जमीन आओर देबाक घोषणा केलथि। मुख्‍यमंत्री कहला जे एहि संस्‍थान क सपना नीतीश कुमार देखलथि आ बिहार सरकार शुरु स एकरा लेल यथा संभव मदद द रहल अछि, आगू सेहो दैत रहत। ओ कहला जे हुनका विश्‍वास अछि जे इ संस्‍थान क मदद स बिहार एक बेर फेर विश्‍व स्‍तर पर ज्ञान क केंद्र बनत। पहिल शैक्षणिक सत्र क विधिवत उद्घाटन स पूर्व विदेशमंत्री राजगीर क विश्वविद्यालय कैम्पस मे चलि रहल कार्य क निरीक्षण क एकटा गाछ सेहो रोपलथि हुनका मास्टर प्लान सेहो देखाउल गेल। समारोह क दौरान, विश्वविद्यालय क कुलपति गोपा सभरवाल, सिंगापुर, थाईलैंड क राजदूत आ विश्वविद्यालय कए दोबारा शुरू करेबा मे भूमिका निभानिहार कईटा देशक प्रतिनिधि मौजूद छलाह। नालंदा विश्वविद्यालय कए दोबारा शुरू करानिहार पूर्व मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ कुलाधिपति अमर्त्‍य सेन समारोह मे मौजूद नहि छलाह। उल्‍लेखनीय अछि जे 15टा छात्र आ आधा दर्जन संकाय सदस्य क संग एक सितंबर स कक्षा शुरू भ चुकल अछि।

( नोट : जरूर पढू कुमुद सिंह क विशेष संपादकीय- बीएचयू सन नहि भ जाए नालंदा क इतिहास )

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

कोलंबिया स आयल पूर्णिया मे यूनिवर्सिटी खोलबाक प्रस्ताव

Esamaad Epaper Website

सालक अंत तक सेंट्रल यूनिवर्सिटी बनत राजेंद्र कृषि विश्वविद्यालय

खुदाई मे भेटल संग्रहालय मे राखल मूर्ति क शेष हिस्सा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि