• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

राजकीय महिला औद्योगिक विद्यालय : नामांकन शून्य, पद रिक्त, भवन बनल आवास

March 8, 2013
in समाचार
A A

महिला दिवस पर विशेष : महिला कए स्वरोजगार आ स्वाबलंबन बनेबा लेल 1962 मे भेल छल स्थापना

दरभंगा । महिला दिवस पर सब ठाम आइ एक सुर स महिला कए स्वरोजगार आ स्वाबलंबन बनेबा लेल अपील कैल जा रहल अछि। मुदा वर्ष अपील महज मंच स ताली सुनबा लेल कैल जाइत रहल अछि। किया त सच किछु आओर अछि। महिला कए स्वरोजगार आ स्वाबलंबन बनेबा लेल खुलल संस्‍थान क प्रति लोक आ सरकारक नजरि उपेक्षा स भरल रहल अछि। 1962 मे मैट्रिक पास युवती कए स्वरोजगार आ स्वाबलंबन बनेबा लेल प्रशिक्षित करबा क महत्वाकांक्षी योजना क तहत राज्य सरकार क विज्ञान आ प्रावैधिकी विभाग दरभंगा मे एकटा राजकीय महिला औद्योगिक विद्यालय स्‍थापित केने छल।  आइ स्थिति इ अछि जे एहि संबंध मे  बहुत कम लोक लग जानकारी अछि । कादिराबाद स्थित पॉलिटेक्निक कॉलेज परिसर मे स्थित इ राजकीय महिला औद्योगिक विद्यालय 1962 स चलि रहल अछि, मुदा लगभग एक दशक स मृतप्राय भ चुकल अछि । एहि संस्थान मे विगत सत्र स कोनो  नामांकन नहि भेल अछि। प्रधानाध्यापक आ शिक्षिका क सबटा पद कई साल स रिक्त अछि। एकर बंगलानुमा भवन कए पोलिटेक्निक क कर्मचारी अपना रहबा लेल उपयोग करैत छथि।  वर्तमान मे एहि ठाम एकटा अंशकालीन लिपिक आ एकटा गार्ड कार्यरत छथि, मुदा हिनकर दुर्दशा इ अछि जे संस्थान क एकटा बोर्ड तक अस्तित्व मे नहि बचा सकलाह।

तत्‍कालीन राज्‍यसभा सांसद डा कामेश्‍वर सिंह क सहयोग स पहिने इ पुरान बस स्टैंड क निकट स्थित राज पॉलिटेक्निक कॉलेज क कैंपस मे खोलल गेल छल। वर्ष 1968 मे एकरा नव पॉलिटेक्निक कॉलेज परिसर मे शिफ्ट कैल गेल।

एहि ठाम छात्रा कए सिलाई-कटाई, खिलौना आ गुड़िया निर्माण, काशीदाकारी आदि स संबंधित चारिटा कोर्स मे एक वर्षीय सर्टिफिकेट कोर्स क प्रशिक्षण देल जाइत छल। एहि ठाम सिलाई आ कटाई पाठ्यक्रम मे 25टा छात्रा कए आ हाथ काशीदा आ मशीन कशीदा, हाथ बुनाई आ मशीन बुनाई आओर खिलौना आ गुड़िया निर्माण पाठ्यक्रम मे 10-10टा छात्रा क नामांकन लेल जाइत छल। पहिने इ संस्थान राज्य सरकार क योजना अंतर्गत संचालित कैल जाइत छल, जेकरा एक मार्च 1998 कए नियमित क देल गेल।

एहि ठाम शिक्षक आ शिक्षकेत्तर कर्मचारी क सातटा पद स्वीकृत अछि। एहि मे स एकटा प्रधानाध्यापिका, एक वरीय अध्यापिका, दूटा कनीय अध्यापिका, एकटा दाई, एकटा दरबान आ एकटा अंशकालीन लिपिक शामिल अछि, मुदा वर्ष 2000 स स्थानांतरित भ गेला पर एहि ठाम शिक्षिका क सबटा पद रिक्‍त अछि।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

वर्ष 2000 से मात्र एकटा कनीय अध्यापिका क सहारे लचर ढ़ंग स प्रशिक्षण कार्य चलैत रहल। वर्ष 2011 मे हुनको बदली क देल गेल जेकर बाद छात्रा एहि ठाम नामांकन लेबा स परहेज क लेलथि।  सत्र 2003-04 आ 2004-05 मे एहि ठाम कोनो नामांकन नहि भेल। सत्र 2005-06 मे सबटा पाठ्यक्रम मिला कए मात्र 10टा, सत्र 2006-07 मे मात्र 13टा, सत्र 2007-08 मे 5टा आ सत्र 2008-09 मे 14टा नामांकन भेल। सत्र 2009-10 स नामांकन नहि भ रहल अछि।

वर्तमान मे एहि ठाम एकटा अंशकालीन लिपिक आ एकटा गार्ड कार्यरत छथि, मुदा संस्थान क बोर्ड तक लापता भ चुकल अछि। संस्थान क प्रभारी, विज्ञान आ प्रावैधिकी विभाग क निकासी आ व्ययन पदाधिकारी रेवती रमण झा संस्थान क एहि हालत पर कहैत छथि जे राज्य क सबटा महिला औद्योगिक विद्यालय जेकां इ सेहो शिक्षिका  क अभाव झेल रहल अछि।  छात्रा नामांकन नहि करा रहल छथि। शिक्षिका क नव नियुक्ति होएत तखने हालात मे बदलाव आबि सकैत अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

देश क किसान कए संबोधित करतथि किसान चाची

Esamaad Epaper Website

बिहार मे स्थापित होएत सातटा औद्योगिक पार्क

धरोहर क रक्षा क प्रति सरकार कटिबद्ध : मांझी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि