राजगीर। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आम्रपाली बायोटेक इंडिया प्रा.लिमिटेड क खाद्य प्रसंस्करण इकाई छबिलापुर (राजगीर) क उद्घाटन केलथि। एहि अवसर पर ओ कहला जे उद्योग क क्षेत्र मे बिहार तेजी स आगू बढि रहल अछि, मुदा किछु लोक कए बजबाक आदत अछि आ ओ बाजि रहल छथि। ओ पुराना राग क अलाप क रहल छथि। नीतीश कहला जे 2005 मे बिहार लग एकटा सुईयाक कारखाना नहि छल। विपक्ष पर निशाना साधैत कहला जे आब काज भ रहल अछि त देखबाक साहस नहि जुटा पाबि रहल छथि। उद्यमी लेल सिंगल विंडो सिस्टम बनाउल जा रहल अछि। बिहार शताब्दी समारोह मनेबाक दौरान जखन ओ मुम्बई गेलाह त ओहि ठामक उद्योगपति स भेंट मे पता चलल जे मुबई क चमड़ा उद्योग तिरहुत क उद्यमी सब चला रहल छथि।
मुख्यमंत्री कहला जे ओ बिहार लेल कोनो पैघ सपना नहि देखने छथि ओ मात्र इ सपना ल बिहार कए आगू बढा रहल छथि जे कोनो जिला क गाम स पटना क सफर छह घंटा मे पूरा भ जाए आ बिहार क उत्पादित वस्तु देश क हर राज्य क थाली मे देखबा लेल भेट जाए। हम दूनू लक्ष्य क करीब छी। किशनगंज जिला क किछु गाम मे सडक निर्माण पूरा भेला स हमर पहिल सपना पूरा भ जाएत। दोसर सपना सेहो पूरा हेबाक प्रक्रिया मे अछि।
मुख्यमंत्री आम्रपाली बायोटेक क खाद्य प्रसंस्करण प्लांट क भीतर प्रवेश क बनि रहल वस्तु सब कए देखलथि। एहि अवसर पर आम्रपाली समूह क अध्यक्ष सह प्रबंध निदेशक डा.अनिल कुमार कहला जे हुनकर बक्सर मे दोसर खाद्य प्रसंस्करण इकाई छह माह मे चालू भ जाएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper