• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

रेलवे इंफ्रास्ट्रक्चर क विकास क मामला बहुत पाछु अछि बिहार

August 8, 2012
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

नई दिल्‍ली। बिहार क कईटा नेता रेल मंत्री बनलथि। ललित बाबू स ल कए लालू प्रसाद तक एहि मंत्रालय स नाम कमेलथि। संसद मे कई बेर इ आरोप सेहो लरगल जे रेल मंत्रालय कए बिहार पर विशेष मेहरबानी भ रहल अछि। रामविलास पासवान कए बजट भाषणक दौरान ममता बनर्जी सदन मे हंगामा क देलथि जे इ बिहारक रेल बजट छी। किछु एहने आरोप लालू पर सेहो लगैत रहल, मुदा हकीकत इ अछि जे एखनो रेलवे इंफ्रास्ट्रक्चर क विकास क मामला मे आंध्रप्रदेश सन राज्‍य स बिहार काफी पाछु अछि। अगिला आठ साल मे आंध्र स आगू निकलबा लेल बिहार मे एहि सेक्टर क सालाना 25 फीसदी क ग्रोथ चाही, बशर्ते आंध्र अपन मौजूदा रफ्तार स बढैत जाए। इ तखने मुमकिन अछि जखन बिहार क सबटा राजनीतिक दल राज्य कए ओकर वाजिब हक दियेबा लेल एकजुट भ जाइथि आ रेल क लंबित परियोजना कए समय पर पूरा करेबा लेल व्‍यक्तिगत प्रयास क संग संग सामूहिक प्रयास सेहो हुए। बिहार मे रेलवे क जेतबा परियोजना लंबित अछि ओतबा परियोजना कोनो आन राज्‍य मे लंबित नहि अछि। बिहार मे रेल पटरीक विस्‍तार कोनो आन जनसंख्‍या घनत्‍व वाला राज्‍य क मुकाबले सबस कम भेल अछि। किछु एहने स्थिति दोहरीकरण, विद्युतीकरण आ आमान परिवर्तन क सेहो अछि। छपरा मे रेल कारखाना जरूर लालूक व्‍यक्तिगत प्रयास स चालू भ गेल, मुदा हरनौत, मढोरा आ मधेपुरा एखनो लंबित अछि। छोट-मोट परियोजनाक त नाम लेनिहार कियो नहि अछि। स्‍टेशनक आधुनिकीकरण नाम मात्र लेल भ रहल अछि। सबस गौरतलब इ अछि जे बिहार मे लेल गाडी मे जे डिब्‍बा आवंटित अछि ओहि मे स 80 फसदी एहन अछि जेकर उपयोग आन राज्‍यक लेल नहि कैल जा सकैत अछि। आन राज्‍य मे ओकरा क्षतिग्रस्‍त या पुरान घोषित क देल जाइत अछि। यात्रीक संख्‍याक मुकाबले बिहार मे गाडीक संख्‍या सेहो कम अछि। इ अनुपात भारत मे आन कोनो राज्‍य मे देखबा लेल नहि भेटैत अछि। एहि कारण स बिहार लेल टिकट लेब रेलवे मे सबस कठिन काज भ गेल अछि। गाडीक संख्‍या कम रहबाक तकनीकी कारण पटरीक विस्‍तार नहि होएब सेहो कहल जा सकैत अछि। एहन मे सवाल उठैत अछि जे बिहारक रेलमंत्री केवल संसद मे बिहार ल कए बदनाम भेला या बिहार रेल मामला मे एतबा पाछु अछि जे हुनक अथक प्रयासक बावजूद बिहार आंध्रप्रदेश सन राज्‍य स एखनो एतबा पाछु अछि जे ओकर बराबरी करबा लेल 25 फीसदीक दर स ओकरा अपन विकास करै पडत। सवाल बिहार क अछि जे अपन हक लेबा मे हरदम पाछु रहल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिना चालक विदेश चल गेल इंजन

Esamaad Epaper Website

अशोक पेपर मिल मे आगि लगेबा लेल आखिर के जिम्‍मेदार

Esamaad Epaper Website

पुरातात्विक स्थल आ स्मारक क संरक्षण पर खर्च होएत 100 करोड़

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि