• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

रेलवे क माध्यम स होएत बिहार क कायाकल्प : मोदी

March 13, 2016
in समाचार
A A

मिथिला कए भेटल सनेस
दीघा रेल सह सड़क पुल देश कए समर्पित
मुंगेर रेल-सड़क पुल पर मालगाड़ीक परिचालन क शुभारंभ
राजेन्द्र पुल मोकामा लग नब रेल पुल क शिलान्यास

Modi Nitishहाजीपुर । प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी कहला कि बहुत जल्दे रेलवे क माध्यम स बिहार क कायाकल्प भए जाएत । केंद्र आओर राज्य कंधा स कंधा मिलाकए बिहारक विकास करत । ओ कहलथि‍ कि भारत क भाग्य बदलनाए अछि त बिहारक भाग्य पहि‍ने बदले होएत । ओना विकासक लेल सोच जरूरी अछि आओर ऐकरा सभ गोटे मिलेकए कए सकैत छी । मोदी कहलथि‍ कि जों भारत कए आगामी 25 साल तक निरंतर विकास करबाक अछि त पूर्वी भारत कए विकसित करय पड़त । भारत क नर्वसेंटर आब यैह इलाका अछि। एतय विकासक दीर्घकालीन रणनीति ‍बनेबाक आवश्यकता अछि । रेल वा सडक जेहन आधारभूत संरचना विकासक नींव रखैत अछि, ओकरा गति प्रदान करैत अछि । मोदी कहलथि‍ कि बिहार हमर प्राथमिकता अछि, किएक भारत क विकास लेल बिहार क विकास भेनाय अनिवार्य अछि ।  प्रधानमंत्री शनिदिन हाजीपुर मे रेल परियोजना क लोकार्पण सह शिलान्यास कार्यक्रम मे बाजि रहल छलाह । एहि‍ दौरान प्रधानमंत्री मोदी  बिहार क जनता कए तीनटा सेतू आओर पटना स लखनऊ कए नब ट्रेनक सौगात देलथि‍ । प्रधानमंत्री सोनपुर-पाटलिपुत्र ट्रेन कए सेहो हरियर झंडी देखोलथि‍ ।

विधानसभा चुनाव क बाद पहि‍ल बेर बिहार आएल मोदी कहलथि‍ कि अटल जीक समय मे नीतीश जी जे सपना देखने छलाह, ओ आब पूरा भेल अछि । पिछलका सरकारक उपेक्षा क कारणे रेल आओर पुल क निर्माण मे देर भेल । एहि कारणे  जे पुलक काज 5 साल पहि‍ने भए जेबाक चाही, ओ आब जाकए पूरा भेल अछि । मोदी कहलथि‍ 18 माह मे हुनकर सरकार बचलका 34 फसदी काम आओर परियोजना पूरा केलक । ओ कहलथि‍ कि आय जे परियोजना क शिलान्यास करि‍ रहल छी, ओकरा समय स पूरा कैल जाएत ।

मोदी कहलथि‍ कि अहाँक उत्साह स एहि पुलक महत्व पता चलैत अछि । ओ कहलथि‍ कि एहि पुल स नहि केवल गंगा क दुनू छोड़ जुडत, बल्कि एतौका आर्थिक सूरत सेहो बदलत । मोदी कहलथि‍ कि जे योजना कागज पर छल, ओकरा हम धरती पर आनि रहल छी । मोदी बिहारक युवा स कहलथि‍ कि अहाँक लेल सुनहरा अवसर आबि रहल अछि । बिहार मे 40 हजार करोड़ रुपया क विदेशी निवेश रेलवे क माध्यम स भए रहल अछि । एहि स युवा कए रोजगार भेटत । पांच करोड़ घर तक गैस सिलेंडर पहुंचेबाक वादे कए मोन पाड़ैत मोदी कहलथि‍ कि ई काज एक हजार दिन मे पूरा कए लेबाक अछि । ओ गाम-गाम मे बिजली पहुंचेबाक समय सीमा क सेहो जिक्र केलथि‍ ।  एहि स पूर्व मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलथि‍ कि आय जे दू टा महासेतु क लोकार्पण भए रहल अछि ओकर आधारशिला ओहि वक्त राखल गेल छल जखन ओ रेलमंत्री छलथि‍ । नीतीश कहलथि‍ कि‍ परियोजना कए पूरा करबाक लेल ओ  प्रधानमंत्री कए धन्यवाद देलथि । नीतीश कहलथि‍ कि हुनका लेल आजुक दिन व्यक्तिगत संतोष कए अछि ।  नीतीश कहलथि‍ कि केंद्र आओर राज्य मिलकए विकास क गाडी कए आगाँ  बढ़ाओत । नीतीश कुमार कहलथि‍ कि प्रधानमंत्री बिहार आएल छलाह त बिहार कए ए‍कर लाभ जरुर भेटत । ओ कहलथि‍ कि हुनका उम्मीद अछि कि केंद्र गांधी सेतु पर सेहो ध्यान देताह । नीतीश दोहरेलथि‍ कि देशक तरक्की तखने संभव अछि जखन बिहारक तरक्की होएत, बिहारक विकास बिना देशक विकास संभव नहि‍  अछि ।  समारोह काल नीतीश जखन जनता कए संबोधित कए रहल छलाह त भीड़ अचानक  मोदी-मोदी क नारा लगाबे लागल। ऐहन मे मोदी कए अपने उठि‍कए भीड़ कए शांत करय पड़ल‍ ।

एहि मौका पर सभटा अतिथी क स्वागत करैत रेलमंत्री सुरेश प्रभु कहलथि‍ कि रेलवे क लेल बिहार एकटा महत्वपूर्ण राज्य अछि । ओ कहलथि‍ कि 3 फरवरी 2002 मे वाजपेयी जी एहिकए आधारशिला रखने छलाह । आय पुल क लोकार्पण रय पड़ल भए रहल अछि । एहि क लेल ओ प्रधानमंत्री कए धन्यवाद देलथि‍ । एहि मौके पर  ‍रेल राज्यमंत्री संग बिहार स बनल सभटा केंद्रीय मंत्री उपस्थित छलाह ।  बिहार क उपमुख्यमंत्री आओर दुनू सदन क नेता प्रतिपक्ष सेहो सभा मे मौजूद छलाह ।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
Tags: Deegha Rail Pulmodi

Related Posts

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

कानून क राज लेल स्वतंत्र न्यायपालिका जरुरी : मुख्य न्यायाधीश

ई जे एकटा मिथि‍लानी छलीह - लखि‍मा

ई जे एकटा मिथि‍लानी छलीह - चामुण्डा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि