केवटी । तिरहुत इंडस्ट्रीज लिमिटेड क प्रबंध निदेशक प्रदीप कुमार चौधरी आ निदेशक प्रेमजी भानुसाली रैयाम चीनी मिल प्रांगण मे डिस्टीलरी फैक्ट्री भवन क शिलान्यास केलथि । एहि मौका पर श्री चौधरी कहला जे रैयाम मे पांच हजार टन गन्ना पेराई क्षमता क चीनी मिल प्रथम चरण मे लगेबाक योजना अछि मुदा पहिने साठ किलो लीटर प्रतिदिन उत्पादन क्षमतावाला डिस्टीलरी फैक्ट्री शुरू होएत, जेकर परियोजना मे प्रावधान अछि। तत्काल डिस्टीलरी फैक्ट्री लगेबाक स्वीकृति सरकार स सेहो भेट गेल अछि। 30 मई स एहि पर काज शुरू होएत आ 30 अगस्त तक मशीन लगा देल जाएत। एहि मे करीब 150 गोटे कए रोजगार भेटबाक उम्मीद अछि। ओ कहला जे चीनी मिल बहुत जल्द शुरू होएत, मुदा पहिने जेकां एहि बेर ओ साल या महिना बतेबा स परहेज केलथि। ज्ञात हुए जे 2009 स सब साल ओ अगिला साल मिल चालू भ जेबाक दावा करैत एलाह अछि। मिल चालू हेबाक दावा क बीच मिलक सामान बेचबा स उत्पन्न हालात मे दरभंगा आ मधुबनी जिला क कृषक डिस्टीलरी फैक्ट्री क संगहि चीनी मिल लगागेबाक मांग क रहल छथि। प्रबंध निदेशक एहि मांग पर फिलहाल रैयाम मे गन्ना प्राप्त केंद्र क व्यवस्था करेबाक अनुरोध मुख्य गन्ना प्रबंधक एएन झा स केलथि अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa