नई दिल्ली। आखिर तारीख पर तारीख स सुप्रीम कोर्ट सेहो तंग आबि गेल अछि। सुप्रीम कोर्ट 36 साल पुरान ललित बाबू हत्याकांड क सुनवाई मे भ रहल देरी पर आश्चर्य जतेलक अछि। मुदा इ सेहो आश्चर्य अछि जे इ प्रतिक्रिया देबा मे कोर्ट कए एतबा दिन लागि गेल। सुप्रीम कोर्ट 1975 क ललित नारायण मिश्रा हत्याकांड क स्टेटस रिपोर्ट मंगलक अछि। बिहार क समस्तीपुर मे 2 जनवरी, 1975 कए भेल एकटा बम धमाका मे तत्कालीन रेल मंत्री ललित नारायण मिश्रा क मौत भ गेल छल। एहि मामला क जांच सीबीआइ करी रहल अछि। जांच एजेंसी एहि हत्याक पाछु प्रतिबंधित आनंद मार्गी संगठन क हाथ बता रहल अछि। तत्कालीन अटार्नी जनरल क अनुरोध पर ललित नारायण मिश्रा हत्याकांड क सुनवाई 1979 मे समस्तीपुर स दिल्ली स्थानांतरित करि देल गेल छल। भारतीय इतिहास मे इ पहिल मामला छल जे कोनो राज्य स बाहर सुनवाई करबाक निर्देश देल गेल छल। देखबाक चाही जे सुप्रीम कोर्ट क एहि पहल क बाद एहि मामला मे आर केतबा तारीख भेटैत अछि।