• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

लालू कए घेरबा लेल ममता बनेलथि रेल कए माध्यम

December 19, 2009
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

स्वेतपत्र मे रेलवेक नौकरशाह फेर केलथि आंकड़ाक बाजीगरी

नई दिल्ली। ममता बनर्जी रेलवे पर पेश श्वेत पत्र क जरिए पूर्व रेल मंत्री लालू प्रसाद क कामकाज कए कच्चा चिट्टा आइ लोकसभा मे खोलकए राखि देलथि। नौकरशाह द्वारा बनाउल गेल एहि रिपोर्ट क मुताबिक रेलवे मे जे ग्रोथ रेट बताउल गेल छल ओ सब अनरियलिस्टिक फिगर पर आधारित छल। रेलवे क ऊपरी कमाई जे 60,000 करोड़ स ऊपर बताउल गेल छल,ओ मात्र 17,000 करोड़ क आसपास अछि। श्वेत पत्र क मुताबिक रेलवे जे मुनाफा कमेलक अछि ओ 1991 स 1996 क बीच कैल गेल कोशिशक नतीजा छी। एहि कार्यकाल मे सीके जाफर शरीफ रेल मंत्री छलाह।
सवाल उठैत अछि जे रेलवे एक दिन मे नफा मे नहि जा सकैत अछि आ जाहि रेलमंत्रीक कार्यकाल मे रेलवे नफा मे गेल ओकरा अहां एना नजरअंदाज सेहो नहि करि सकैत छी। आब उठैत अछि लालूक दावा कए। लालू बजट नहि बनेलाह,बजट नौकरशाह बना कए देलक। अगर लालू कए कहला पर नौकरशाह आंकड़ाक बाजीगरी करि रेलवे कए नफा बढ़ा सकैत अछि, त कोन गारंटी जे ममताक आदेश पर फेर नौकरशाह आंकड़ाक बाजीगरी नहि केलक अछि। दरअसल स्वेतपत्र नीतीश कुमार सेहो अपन रेलमंत्री रहैत अनने छलाह, मुदा ओ रेलवेक कार्यशैली पर आधारित छल, मुदा ममताक स्वेतपत्र पूर्ण रूप स लालू केंद्रित अछि। एहि प्रकार स कोनो खास नेताक कार्यकाल पर सवाल उठा ममता एकटा गलत परंपरा शुरू केलथि अछि। आई धरि कोनो मंत्रीक सफलता ओकर कार्यकाल मे भेल निर्णय टा पर आधारित नहि होइत अछि। जहां तक लालूक सवाल अछि ओ अपन बजट भाषण मे ओहि आंकड़ाक उल्लेख केलथि जे हुनका नौकरशाह बना कए देने रहथिन। इ जांचक विषय अछि जे आंकड़ाक बाजीगरी करि राजनीति रूप स नेता कए फायदा पहुंचा रहल रेल मंत्रालयक नौकरशाह आखिर कोन सजाक पात्र छथि। कहल जा रहल अछि जे रेल भवन मे पहिने एहि स्वेत पत्र कए ल कए भ्रम छल आ नौकरशाह एहि लेल लालू कए जिम्मेदार मानबा स कतरा रहल छलाह, मुदा ममता बनर्जी कोनो हालत मे लालू कए घेरबा तैयार छलीह। नौकरशाह क इ मत सुनि ममता भड़क गेलीह आ ओ एहि मे रेलवे क एक्सपर्ट कमेटी क चेयरमैन अमित मित्रा कए शामिल करि लेलथि। श्वेत पत्र क तैयारी अमित मित्रा क देखरेख मे भेल। एहि मुद्दा पर रेलवे क अफसर त दूर रेल राज्यमंत्री तक किछु कहबा स कतरा रहल छथि।

Tags: lalu
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

बदलैत भाजपाक युवा चेहरा

Esamaad Epaper Website

दाल बेचबा लेल लाइसेंस

Esamaad Epaper Website

वाईमैक्स स जुड़त पटना: पायलट

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

How to Increase Download Speed in uTorrent by Changing Few Settings

How to Stay Anonymous with VPN for uTorrent

Make uTorrent Faster 8 Proven Tips Latest Guide

How to decrease or reduce the upload speed in uTorrent

Run uTorrent on Windows 10 or 11 DEV Community

What is Seeding in Torrenting? Torrent Seeding Explained

Why is bittorrent slow from my home computer?

Download files quickly and easily with uTorrent

How to Install uTorrent Web on Windows? GeeksforGeeks

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि